मकालु-बरूण राष्ट्रिय निकुञ्ज
मकालु-बरूण राष्ट्रिय निकुञ्ज | |
---|---|
आइयुसिएन श्रेणी II (राष्ट्रिय निकुञ्ज) | |
रहल स्थान | नेपाल |
निर्देशाङ्क | २७°४५′२५″N ८७°०६′४९″E / २७.७५६९°N ८७.११३६°Eनिर्देशाङ्क: २७°४५′२५″N ८७°०६′४९″E / २७.७५६९°N ८७.११३६°E |
क्षेत्रफल | २,३३० किमी२ (९०० वर्ग माइल) |
स्थापना | सन् १९९२ |
सरकारी संस्था | राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग, वन मन्त्रालय |
मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्जक स्थापना बि. सं. २०४९ (सन १९९२)मे भेल अछि, जेकर नामाकरण मकालु हिमालक नामसँ कएल गेल अछि । एकर प्रशासनिक तथा ब्यबस्थापनक कार्य नेपाल सरकार, राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभागसँ होएत अछि तथा सहयोगिक रूपमे द माउन्टेन इन्स्टिच्युटस (संरक्षित क्षेत्र तथा समुदाय विकासक समाहित कराक ल जएवाला नविन संरक्षण नमुना) सेहो कार्य करैत आएल अछि ।
अरुण नदीक अगलबगलक उष्ण जंगलसँ हिमालयक उच्च भाग तक पसरल मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज बिश्वक सबसँ उचाई स्थानमे रहल संरक्षीत क्षेत्र छी, जे समुन्द्री सतहसँ ८,००० मिटरक उचाईमे अवस्थित अछि। मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज २३,३० वर्ग किलोमिटर क्षेत्रफलमे पसरल अछि । एहि निकुञ्ज भितर मकालु हिमाल (८,४६३ मिटर) बिश्वक पन्ध्रौ उचाई हिमाल, चाम्लाङ्ग हिमाल ( ७,३१९ मिटर) नेपालक चौंथो उचाई हिमाल, बरुन्त्से हिमाल ( ७,१२९ मिटर), मिरा पिक (६,६५४ मिटर) लगायतक हिमालसभ रहल अछि ।
वनस्पति तथा वन्यजन्तुसभ
[सम्पादन करी]वन्सपतिक अधिक बिभिदताक कारण परिचित एहि मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्जमे २५ प्रजातिक लाली गुराँससभ, ४७ प्रजातिक अर्किड (Orchid) तथा ५६ अन्य दुर्लभ प्रजातिक वनस्पतिसभ पावल जाएत अछि । साथे एहि निकुञ्जमे हिम चितुवा, कस्तुरी मृग लगायतक दुर्लभ वन्यजन्तुसभ सेहो पावल जाएत अछि ।
इतिहास
[सम्पादन करी]ई लेख एखन अपूर्ण अछि। अहाँ एकरा पैग बना विकिपिडियाक सहायता कऽ सकैत छी। |
सन्दर्भ सामाग्रीसभ
[सम्पादन करी]बाह्य लिङ्कसभ
[सम्पादन करी]- मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज सङ्ग्रहित २००९-१०-३१ वेब्याक मेसिन नेपाल सरकार वन तथा भु-संरक्षण मन्त्रालय, राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग