मकालु-बरूण राष्ट्रिय निकुञ्ज

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
मकालु-बरूण राष्ट्रिय निकुञ्ज
मकालु-बरूण राष्ट्रिय निकुञ्ज अवस्थित क्षेत्र
रहल स्थाननेपाल
निर्देशाङ्क२७°४५′२५″N ८७°०६′४९″E / २७.७५६९°N ८७.११३६°E / 27.7569; 87.1136निर्देशाङ्क: २७°४५′२५″N ८७°०६′४९″E / २७.७५६९°N ८७.११३६°E / 27.7569; 87.1136
क्षेत्रफल२,३३० किमी (९०० वर्ग माइल)
स्थापनासन् १९९२
सरकारी संस्थाराष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग, वन मन्त्रालय
नेपालक नक्सामे मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज अवस्थित स्थान
माकालु-बरुणक रेपुक उपत्यकाक एक दृष्य

मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्जक स्थापना बि. सं. २०४९ (सन १९९२)मे भेल अछि, जेकर नामाकरण मकालु हिमालक नामसँ कएल गेल अछि । एकर प्रशासनिक तथा ब्यबस्थापनक कार्य नेपाल सरकार, राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभागसँ होएत अछि तथा सहयोगिक रूपमे द माउन्टेन इन्स्टिच्युटस (संरक्षित क्षेत्र तथा समुदाय विकासक समाहित कराक ल जएवाला नविन संरक्षण नमुना) सेहो कार्य करैत आएल अछि ।

अरुण नदीक अगलबगलक उष्ण जंगलसँ हिमालयक उच्च भाग तक पसरल मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज बिश्वक सबसँ उचाई स्थानमे रहल संरक्षीत क्षेत्र छी, जे समुन्द्री सतहसँ ८,००० मिटरक उचाईमे अवस्थित अछि। मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज २३,३० वर्ग किलोमिटर क्षेत्रफलमे पसरल अछि । एहि निकुञ्ज भितर मकालु हिमाल (८,४६३ मिटर) बिश्वक पन्ध्रौ उचाई हिमाल, चाम्लाङ्ग हिमाल ( ७,३१९ मिटर) नेपालक चौंथो उचाई हिमाल, बरुन्त्से हिमाल ( ७,१२९ मिटर), मिरा पिक (६,६५४ मिटर) लगायतक हिमालसभ रहल अछि ।

वनस्पति तथा वन्यजन्तुसभ[सम्पादन करी]

वन्सपतिक अधिक बिभिदताक कारण परिचित एहि मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्जमे २५ प्रजातिक लाली गुराँससभ, ४७ प्रजातिक अर्किड (Orchid) तथा ५६ अन्य दुर्लभ प्रजातिक वनस्पतिसभ पावल जाएत अछि । साथे एहि निकुञ्जमे हिम चितुवा, कस्तुरी मृग लगायतक दुर्लभ वन्यजन्तुसभ सेहो पावल जाएत अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]


सन्दर्भ सामाग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य लिङ्कसभ[सम्पादन करी]

  1. मकालु-बरुण राष्ट्रिय निकुञ्ज सङ्ग्रहित २००९-१०-३१ वेब्याक मेसिन नेपाल सरकार वन तथा भु-संरक्षण मन्त्रालय, राष्ट्रिय निकुञ्ज तथा वन्यजन्तु संरक्षण विभाग