विश्व सम्पदा क्षेत्र

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एतय जाए: भ्रमण, खोज
विश्व सम्पदा समितिक आधिकारिक लोगो

संयुक्त राष्ट्र सङ्घीय अङ्ग युनेस्कोद्वारा बहुमूल्य सम्पदाक रूपमे सूचीकृत विश्वक स्मारक आ स्थानसभके युनेस्को विश्व सम्पदा क्षेत्र कहल जाएत अछि ।[१]युनेस्को कोनो भी राष्ट्रक विशेष सांस्कृतिक महत्व राखैवाला (जेना वन, पहाड, ताल, द्वीप, मरुभूमि, स्मारक, भवन, वा शहर) धरोहरसभके अपन सूचीमे सूचीबद्ध करैत अछि । जे विश्व सम्पदा समितिद्वारा चयन करल जाएत अछि आ अहि समिति ई सम्पदा क्षेत्रके रेखदेख युनेस्कोक तत्वाधानमे करैत अछि ।

ई कार्यक्रमक उद्देश्य विश्वक एहन स्थलसभके सूचीबद्ध करनाए आ संरक्षित करनाए होएत अछि जे विश्व संस्कृतिक दृष्टिसँ मानवताक लेल महत्वपूर्ण होएत अछि । कोनो खास परिस्थितिमे एहन सम्पदासभके ई समितिद्वारा आर्थिक सहयोग सेहो प्रदान कएल जाएत अछि । सन् २०५ जुलाई ३१ धरिमे १६३ राष्ट्रक १०३१ क्षेत्रके विश्व सम्पदाक रूपमे सूचीकृत कएल गेल अछि जहिमे ८०२ सांस्कृतिक, १९७ प्राकृतिक आ ३१ मिश्रत रहल अछि।[२][३][४]

प्रत्येक सम्पदा क्षेत्र ओ देशक विशेष सम्पति हएत अछि, जे देशमे ओ स्थल रहैत अछि मुदा अन्तर्राष्ट्रिय समुदायक हितमे सेहो याह बेश होएत अछि कि आबैवाला पिढीके तथा मनावताक हितक लेल सेहो एहन विशेष सम्पदाक संरक्षण कएल जाए । तथापि पुरे विश्व समुदायके एकर संरक्षणक जिम्मेवारी रहैत अछि ।[५]

इतिहास[सम्पादन करी]

विश्वक सांस्कृतिक आ प्राकृतिक सम्पदाक संरक्षण विषयमे अधिवेशन
हस्ताक्षर १६ नवम्बर १९७२
स्थान पेरिस,फ्रान्स
कार्यान्वयन १७ दिसम्बर १९७५
अवस्था २० अनुममर्थन
सदस्य १९१ (१८७ संयुक्त राष्ट्र संघक सदस्य राष्ट्रसभ संगे कुक टापु, द होलि सी, नियुप्यालेस्टाइन)
जामाकर्ता संयुक्त राष्ट्र शैक्षिक, वैज्ञानिक एवं सांस्कृतिक संगठनक महासचिव
भाषासभ अरबिक, अङ्ग्रेजी, फ्रेञ्च, रसियन आ स्पेनी

सन् १९५९ मे इजिप्ट सरकार अस्वान बाँध बनेबाक निश्चय कएलक । अहिसँ प्राचीन सभ्यता समेटल नाइल नदी नजदिकक उपत्यका नुबियामे रहल अनेकौ बहुमुल्य खजानासभके बाँधक पानिसँ बहनाई निश्चित छल । ओ समय युनेस्को इजिप्टसुडान सरकारके आग्रह करवाक संगे एकर रक्षा करैक निमित्त विश्वव्यापी रक्षा उपाय अभियान चलेलक ।[६] ई अभियानक कारण ई निश्चित कएल गेल कि ओतेक रहल हजारौं पुरातात्विक सम्पदासभ आ सबसँ एतिहासिक आ चर्चित अबु सिम्बलफिलेके कोनो उँच स्थानमे पुनर्स्थापित कएल जाए । ई अभियानक अन्त्य सन् १९८० मे भएल जेकरा पूर्ण रुपसँ सफल मानल गेल । विशेष रूपसँ अभियानमे सहयोग करैवाला राष्ट्रके इजिप्ट अपन चाएरटा मन्दिरसभ उपहार स्वरूप प्रदान कएलक जहिमे: डेनडुर मन्दिरके न्यू योर्क सहरक महानगरीय कला सङ्ग्रहालयमे, डेबोद मन्दिरके म्याड्रिडक पार्क डेल ओएस्तोमे, तफेह मन्दिरके नेदरल्याण्डक रिज्क्स सङ्ग्रहालयमे आ इलिसिया मन्दिरके तुरिनको म्युजियो इगीजियोमे घसकाएल गेल छल । [७]


ई परियोजनाक लागत लगभग $८० मिलियन छल जहिमेसँ $४० मिलियन ५० राष्ट्रसभसँ जम्मा कएल गेल छल । ई अभियानके व्यापक रूपमे पूर्ण सफलता मानल गेल आ याह अभियानसँ प्रेरित भ अनेकौं अभियान चलाएल गेल (जेना भेनिस आ ओकर लगुनक संरक्षण इटालीमे, मोहन जोदडो पाकिस्तानमेइन्डोनेसियामे बोरोबोदर मन्दिर प्राङ्गन) । अहि पश्चात युनेस्को अन्तर्राष्ट्रिय स्मारक तथा स्थल परिषदसँ पहल करि एकटा सम्मेलन कएलक जे मानवताक सार्वजनिक साँस्कृतिक धरोहरसभके संरक्षण करैत रहत ।

तथ्याङ्क[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "World Heritage". http://whc.unesco.org/en/about/. 
  2. World Heritage List, UNESCO World Heritage Sites official sites.
  3. Sites in Germany and Italy bring to 19 the number of sites inscribed on the World Heritage List this year, UNESCO World Heritage Sites official sites.
  4. According to the UNESCO World Heritage website, States Parties are countries that signed and ratified The World Heritage Convention. As of November 2007, there are a total of 186 states party.
  5. Convention Concerning the Protection of World Cultural and Natural Heritage
  6. Monuments of Nubia-International Campaign to Save the Monuments of Nubia World Heritage Convention, UNESCO
  7. The Rescue of Nubian Monuments and Sites, UNESCO

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]