तराई

तराई (अङ्ग्रेजी: Terai ) नेपालक दक्षिण आ भारतक उत्तरदक्षिणी दिशामे रहल समथल क्षेत्र छी जे हिमालयक दक्षिण, शिवालिक पहाड आ भारतीय-गङ्गा क्षेत्रक समथल भूभागमे अवस्थित अछि। ई क्षेत्र पश्चिममे यमुना नदीसँ पूर्वमे ब्रह्मपुत्र नदीधरि फैलल अछि। ई क्षेत्रक भूमि भिजल अछि तथा ई क्षेत्रमे घासक मैदान आ वन अछि। तराई क्षेत्रक भूमिके भितर माटि आ बालूक एक के बाद एक परत अछि। एतय जल-स्तर बहुत उपर अछि। ई क्षेत्रमे रहल नदीसभमे मनसुनक समय प्राय: बाढ़ि आबि जाइत अछि। तराई क्षेत्रक नीचा (दक्षिणमे) गङ्गा-यमुना-ब्रह्मपुत्रक मैदानी क्षेत्र स्थित अछि। उत्तरी भारतमे यमुना नदीक पूर्वी भागमे अवस्थित हिमाचल प्रदेश, हरियाणा, उत्तराखण्ड, उत्तर प्रदेश आ बिहारधरि तराई क्षेत्र फैलल अछि।[१] नेपालक सम्पूर्ण भूभागमे सँ २३.१% भाग लगभग ३३,९९८.८ किमी२ (१३,१२७.० वर्ग माइल) तराई क्षेत्र ओकटने अछि। तराई क्षेत्र समुदी सतहसँ ६७ आ ३०० मी (२२० आ ९८४ फिट) उचाइ पर अवस्थित अछि। ई क्षेत्रमे लगभग ५० सिमसार क्षेत्र अछि। तराई क्षेत्रक उत्तरी भाग भाभर क्षेत्र कहलावैत अछि, ई सकेत होइत अछि मुदा ई क्षेत्रमे रहल वनजङ्गल लगभग ८–१२ किमी (५.०–७.५ माइल) चौडा अछि।[२]
उत्पति
[सम्पादन करी]तराईक अर्थ समतल भूमि होइत अछि।[३] संस्कृतमे सेहो एकरा तराई आ नेपालीमे सेहो तराई कहल जाइत अछि। हिमालयसँ नीचा अवस्थित क्षेत्र मुख्य रुपसँ तराई छी।[४][५]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Johnsingh, A.J.T., Ramesh, K., Qureshi, Q., David, A., Goyal, S.P., Rawat, G.S., Rajapandian, K., Prasad, S. (2004). Conservation status of tiger and associated species in the Terai Arc Landscape, India सङ्ग्रहित २०११-०९-२९ वेब्याक मेसिन. RR-04/001, Wildlife Institute of India, Dehradun
- ↑ Bhuju, U.R., Shakya, P.R., Basnet, T.B., Shrestha, S. (2007). Nepal Biodiversity Resource Book. Protected Areas, Ramsar Sites, and World Heritage Sites. Kathmandu: International Centre for Integrated Mountain Development; Government of Nepal, Ministry of Environment, Science and Technology; United Nations Environment Programme, Regional Office for Asia and the Pacific. Archived from the original on 2011-07-26. https://web.archive.org/web/20110726170342/http://books.icimod.org/demo/uploads/ftp/Nepal%20Biodiversity%20Resource%20Book.pdf. अन्तिम पहुँच तिथि: 2017-08-16.
- ↑ Bahri, H. (१९८९), "Learners' Sanskrit-English dictionary — Siksarthi Nepal-Angrejhi sabdakosa.", Rajapala, Delhi।[permanent dead link]
- ↑ Turner, R.L. (१९३१), "A Comparative and Etymological Dictionary of the Nepali Language", K. Paul, Trench, Trubner, London।[permanent dead link]
- ↑ Platts, J. T. (1884). "ترائي तराई tarāʼī". A dictionary of Urdu, classical Hindi, and English. W. H. Allen & Co., London. http://dsalsrv02.uchicago.edu/cgi-bin/philologic/getobject.pl?c.2:1:3349.platts.[permanent dead link]
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]![]() |
विकियात्रामे तराईसँ सम्बन्धित यात्रा वृतान्त उपलब्ध अछि। |