बाढ़ि
पठन सेटिंग्स
बाढ़ि नदीमे पानि बढलाक अवस्थाके कहल जाइत अछि। बाढ़ि अधिक मात्रामे पानि एकत्र भेनाइक सेहो बुझल जाइत अछि । सामान्य रुपमे वर्षा मौषममे अत्याधिक पानि परलाक बाध नदीमे बाढ़ि आबैत छैक।[१]
बाढ़िसँ आसपासक जमीन कटान भऽ नदीक आसपासक जमीन डुबैत अछि जेकरा डुबान, कटान सेहो कहल जाइत अछि।[२]
बाढ़िमे कोना करी
अपने स्थिती कऽ जानी
[सम्पादन करी]- नयाँ इलाकामे पहुँचला पर निचला जगहसभ कऽ पता लगाबी।
- पहिलेसँ स्थानीय ऊंच इलाकाक दिस भागऽक रास्ता सोचिके राखि। किछ रास्ता बन्द सेहो भऽ सकैत अछि, कृपया एकाधिक रस्ता सोचिके राखि।
- आपातकालीन सेवासभ - पुलिस, अस्पताल आ फायर ब्रिगेड (दमकल विभाग)क फोन नम्बर अपने साथ राखि आ घरऽक आस-पास सेहो राखि।
किछ सामान घर पर एकत्रित राखी
[सम्पादन करी]१) अगर आंहा ऐहन इलाकामे रहैट छी जहि ठाम बाढ़िक सम्भावना अछि ताए पहिलेसँ आपातकालीन निर्माण वस्तुसभ कऽ एकत्रित करी।
- जेनाकी -
- प्लाइवुड
- प्लास्टिक/टार्पौलिन
- काठ
- कीला (काटी)
- हथौड़ी
- आरी
- बेलचा/खुरपा,
- बालुसँ भरल बोरा, इत्यादि।
२) आपातकालीन स्तिथिसभक लेल किछ समान अपन साथ थैलीमे राखी
- जेनाकी -
- टार्च आर अतिरिक्त बैटरिसभ (सेल)
- बैटरी-चालित रैडियो/ट्रान्सिस्टर आर अतिरिक्त बैटरिसभ (सेल)
- बैन्डेज, गौज, कटल-जलल कऽ दवाई
- पेट खराब, बुखार, दर्द इत्यादि कऽ दवाई (आ जे दवाई घरक कोनो सदस्यक नियमित लेबऽ पड़ैत होइ सेहो)
- पीबऽ वला पानिक बोतल (हरेक आदमी तथा महिलाके सभ दिन तीन लीटर पानि लगैत अछि)
- खाई कऽ समान
- पैसा
३) अपन जरूरी कागजातसभ एक ठाम राखी।
४) घरक बाढ़ि बीमा करावी आर बीमाक कागज सेहो साथ राखी।
५) घरक कीमती समान (फ्रीज़, टीवी)क सूची बनाबी आ ओकर तस्वीर सेहो खीचि राखि।
अपन घरके सुरक्षित बनाबी
[सम्पादन करी]- घरक पहिल तल्लाके दीवारमे सूजनसँ बचबाक लेल ओकरा जल-रोधक केमिकलसँ सील करी।
- घरके गन्दा पानिक ड्रेनमे वल्व लगवाबी ताकि बाढ़िक पानि वहि जगहसँ घरमे नै घुसे। आपातकालीन स्थितिमे आहाँ रबरक गेन्द इस्तमाल करि सकैट छी।
- घरक गीजर, फर्नेस आर स्विच/प्लग पायन्ट घरके ऊपरी हिस्सामे लगावी।
अपन परिवारसभ कऽ आपातकालीन स्थितिके लेल तैयार करी
[सम्पादन करी]- आफत एला पर ई सम्भव अछि कि आँहा आ आँहाके घरक लोक दफ्तर/कर्मस्थल/पाठशालामे फंसि जाएब।
- ई स्थितिमे दोसर शहरमे रहनिहार दोस्त/रिश्तेदार कऽ पहिलेसँ 'सम्पर्क-व्यक्ति' निर्णय करिके राखी।
- आपातकालीन स्तिथिमे अक्सर दूरक टेलिफोन (एस.टी.डी) लाइने काम करैत अछि, पर स्थानिय (लोकल) फोन नै चलैत सकैत अछि।
- ई ज़रूर जाँची कऽ घरमे सभके ई व्यक्तिक नाम, ठेकाना आ टेलिफोन नम्बर पता होइ।
- बिजली, पानि आ गैसके लाइ बन्द करनाइ सीखी आर घरमे सबके सेहो सीखाबी। बाढ़िमे एकरा सभके बन्द करनाई आवश्यक भऽ सकैत अछि।
पंचमेल
[सम्पादन करी]- गाड़ीके टैन्कमे पेट्रोल तथा डीजल हमेशा भरिके राखऽक कोशिश करि। बाढ़िके समय अक्सर पम्प बन्द रहैत अछि।
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]- बाढ - तैयार रहें (गेट रेडी, गेट थ्रू)
- अमेरिकी रेड क्रास बाढ़ जानकारी
- नार्थ डाकोटा स्टोट यूनिवर्सिटी, संयुक्त राष्ट्र, क्रषि विभाग सङ्ग्रहित २००९-०१-०८ वेब्याक मेसिन
- फेडेरल इमर्जन्सि मैनेजमेन्ट एजंसी, संयुक्त राष्ट्र
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "FFG"। मूलसँ 4 March 2013 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 29 January 2013।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ "Archive copy"। मूलसँ 2017-08-17 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-08-14।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link)