बाढ़ि

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अकस्मात परल पानिसँ आएल आकस्मिक बाढ़ि
जर्मनी आ स्पेनमे अक्टुबर १६३४ मे गेल बाढ़िक चित्र
जाभा द्वीपमे लोकसभ बाढ़िसँ राहतक आसमे 1865–1876.
अष्ट्रेलियाक डार्बिनमे बाढ़िक विनास
Jeddah साउदी अरबक King Abdullah Street बाढ़िक डुबान
अक्टुबर २००५ मे अमेरिकाक फ्लोरिडामे आएल बाढ़ि
ब्राजीलमे अप्रिल २०१३ मे आएल बाढ़ि
उत्तर पश्चिम बंगलादेशदेशमे बाढ़िसँ विस्थापित भेल जनता अक्टुबर १२, २००५ मे नासा द्वारा खिचल गेल अन्तरिक्ष तस्वीर

बाढ़ि नदीमे पानि बढलाक अवस्थाके कहल जाइत अछि। बाढ़ि अधिक मात्रामे पानि एकत्र भेनाइक सेहो बुझल जाइत अछि । सामान्य रुपमे वर्षा मौषममे अत्याधिक पानि परलाक बाध नदीमे बाढ़ि आबैत छैक।[१]

बाढ़िसँ आसपासक जमीन कटान भऽ नदीक आसपासक जमीन डुबैत अछि जेकरा डुबान, कटान सेहो कहल जाइत अछि।[२]

बाढ़िमे कोना करी

अपने स्थिती कऽ जानी[सम्पादन करी]

  • नयाँ इलाकामे पहुँचला पर निचला जगहसभ कऽ पता लगाबी।
  • पहिलेसँ स्थानीय ऊंच इलाकाक दिस भागऽक रास्ता सोचिके राखि। किछ रास्ता बन्द सेहो भऽ सकैत अछि, कृपया एकाधिक रस्ता सोचिके राखि।
  • आपातकालीन सेवासभ - पुलिस, अस्पताल आ फायर ब्रिगेड (दमकल विभाग)क फोन नम्बर अपने साथ राखि आ घरऽक आस-पास सेहो राखि।

किछ सामान घर पर एकत्रित राखी[सम्पादन करी]

१) अगर आंहा ऐहन इलाकामे रहैट छी जहि ठाम बाढ़िक सम्भावना अछि ताए पहिलेसँ आपातकालीन निर्माण वस्तुसभ कऽ एकत्रित करी।

जेनाकी -
    • प्लाइवुड
    • प्लास्टिक/टार्पौलिन
    • काठ
    • कीला (काटी)
    • हथौड़ी
    • आरी
    • बेलचा/खुरपा,
    • बालुसँ भरल बोरा, इत्यादि।

२) आपातकालीन स्तिथिसभक लेल किछ समान अपन साथ थैलीमे राखी

जेनाकी -
    • टार्च आर अतिरिक्त बैटरिसभ (सेल)
    • बैटरी-चालित रैडियो/ट्रान्सिस्टर आर अतिरिक्त बैटरिसभ (सेल)
    • बैन्डेज, गौज, कटल-जलल कऽ दवाई
    • पेट खराब, बुखार, दर्द इत्यादि कऽ दवाई (आ जे दवाई घरक कोनो सदस्यक नियमित लेबऽ पड़ैत होइ सेहो)
    • पीबऽ वला पानिक बोतल (हरेक आदमी तथा महिलाके सभ दिन तीन लीटर पानि लगैत अछि)
    • खाई कऽ समान
    • पैसा

३) अपन जरूरी कागजातसभ एक ठाम राखी।

४) घरक बाढ़ि बीमा करावी आर बीमाक कागज सेहो साथ राखी।

५) घरक कीमती समान (फ्रीज़, टीवी)क सूची बनाबी आ ओकर तस्वीर सेहो खीचि राखि।


अपन घरके सुरक्षित बनाबी[सम्पादन करी]

  • घरक पहिल तल्लाके दीवारमे सूजनसँ बचबाक लेल ओकरा जल-रोधक केमिकलसँ सील करी।
  • घरके गन्दा पानिक ड्रेनमे वल्व लगवाबी ताकि बाढ़िक पानि वहि जगहसँ घरमे नै घुसे। आपातकालीन स्थितिमे आहाँ रबरक गेन्द इस्तमाल करि सकैट छी।
  • घरक गीजर, फर्नेस आर स्विच/प्लग पायन्ट घरके ऊपरी हिस्सामे लगावी।

अपन परिवारसभ कऽ आपातकालीन स्थितिके लेल तैयार करी[सम्पादन करी]

  • आफत एला पर ई सम्भव अछि कि आँहा आ आँहाके घरक लोक दफ्तर/कर्मस्थल/पाठशालामे फंसि जाएब।
  • ई स्थितिमे दोसर शहरमे रहनिहार दोस्त/रिश्तेदार कऽ पहिलेसँ 'सम्पर्क-व्यक्ति' निर्णय करिके राखी।
    • आपातकालीन स्तिथिमे अक्सर दूरक टेलिफोन (एस.टी.डी) लाइने काम करैत अछि, पर स्थानिय (लोकल) फोन नै चलैत सकैत अछि।
    • ई ज़रूर जाँची कऽ घरमे सभके ई व्यक्तिक नाम, ठेकाना आ टेलिफोन नम्बर पता होइ।
  • बिजली, पानि आ गैसके लाइ बन्द करनाइ सीखी आर घरमे सबके सेहो सीखाबी। बाढ़िमे एकरा सभके बन्द करनाई आवश्यक भऽ सकैत अछि।

पंचमेल[सम्पादन करी]

  • गाड़ीके टैन्कमे पेट्रोल तथा डीजल हमेशा भरिके राखऽक कोशिश करि। बाढ़िके समय अक्सर पम्प बन्द रहैत अछि।


एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "FFG"मूलसँ 4 March 2013 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 29 January 2013 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "Archive copy"मूलसँ 2017-08-17 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-08-14 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link)