सामग्री पर जाएँ

नेपालक भूगोल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
नेपालक भूगोल
महादेशएसिया
क्षेत्रदक्षिण एसिया
coordinates = २८°००′उ॰ ८४°००′पू॰ / २८.०००°N ८४.०००°E / 28.000; 84.000
ठामRanked 93rd
  Total१,४७,१८१ किमी (५६,८२७ वर्ग माइल)
  Land92.94%
  Water7.06%
तट किमी (० माइल)
सिमानाTotal land borders:
२,९२६ किमी (१,८१८ माइल)
चिन:
१,२३६ किमी (७६८ माइल)
भारत:
१,६९० किमी (१,०५० माइल)
उच्चतम बिन्दुसगरमाथा
८,८४८ मी (२९,०२९ फिट)
नमहर नदिकर्णाली
बड्का नदिरारा ताल
नेपालक भौगोलिक नक्सा
सुक्खा हिमाली पृष्ठभूमि
नेपाल जनसंख्या कऽ तुलना

नेपालक लम्बाई करिब ८८५ किलोमिटर (५०० माइल)आ चौडाई १९३ किलोमिटर (१२५ माइल) अछी । नेपालक कूल क्षेत्रफल १४७,५१६ वर्ग किलोमिटर (५६,८२७ sq माइल)अछी । नेपाल भौगोलिक हिसाबसँ ३ भागमे विभाजन कएल अछी: हिमाली क्षेत्र, पहाडी क्षेत्र, आ तराइ क्षेत्र। ई क्षेत्रसभ पूर्व-पश्चिम दिशामे देशभरि फैलिएल अछी आ ई सभ नेपालक प्रमुख नदी तथा पहाडसभ ठाउ-ठाउमे विभाजन केने अछी ।

नेपालक सबसँ दक्षिण भागमे दक्षिणतर्फ गेल समुन्द्री सतहसँ ५९ मिटरसँ मिटरधरिक उचाइ रहल क्षेत्र तराई प्रदेश छी । नेपालक कुलक्षेत्रफल मध्ये १७% भूभाग ओगेटेने ई प्रदेशक उत्तर दक्षिण फैलावट २५ सँ ३० किलोमिटरधरिक रहल अछी ।

पहाडी भूभागमे १,००० सँ ४,००० मिटरधरिक (३,३००१३,१२५ फू) उचाईक पर्वत परैत अछी । ई क्षेत्रमे महाभारत लेक आ सिवालिक श्रृखला (चुरिया) नामक दुई छोट पहाडी श्रृखला मुख्य श्रृखला अछी । पहाड क्षेत्रमे काठमाडौं उपत्यका सेहो परैत अछी जे नेपालक सबसँ उर्वर तथा शहरी क्षेत्र छी। पहाडी क्षेत्रक उपत्यकासभक तुलनामे २,५०० मिटर (८,२०० फिट)सँ उच्च स्थलमे जनघनत्व बहुत कम अछी ।

हिमाली क्षेत्रमे संसारक सबसँ उच्च हिमश्रृंखलासभ परैत अछी । ई क्षेत्रक उत्तरमे चीनक सिमानामे संसारक सर्वोच्च शिखर, सगरमाथा ८,८४८ मिटर (२९,०३५ फि) अवस्थित अछी। संसारक ८,००० मिटर भन्दा अग्ला १४ चुचुरा मध्ये ८ नेपालक हिमाली क्षेत्रमे परैत अछी । कञ्चनजङ्घा, संसारक तेसर उच्च शिखर सेहो एही हिमाली क्षेत्रमे परैत अछी । नेपालक सब भौगोलिक क्षेत्रक मुख्य समस्यामे वन बिनास एक मुख्य छी जेस भूक्षय आ इकोसिस्टमक विनास होइत अछी ।

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]

    बाह्य जडीसभ

    [सम्पादन करी]