सगरमाथा
सगरमाथा | |
---|---|
नेपाली: सगरमाथा Chomolungma Qomolangma ཇོ་མོ་གླང་མ 珠穆朗玛峰 | |
उच्चतम विन्दु | |
अवनति | ८,८४८.८६ मी (२९,०३२ फिट)[१] सबसँ ऊँच |
स्थलाकृतिक प्रमुखता | ८,८४८.८६ मी (२९,०३२ फिट) सगरमाथाकें लेल बिशेष |
सूचीकृत | सेभेन समिट आठ-हजारी देशकें उच्चतम बिन्दु |
निर्देशाङ्क | २७°५९′१७″उ॰ ८६°५५′३१″पू॰ / २७.९८८०६°N ८६.९२५२८°Eनिर्देशाङ्क: २७°५९′१७″उ॰ ८६°५५′३१″पू॰ / २७.९८८०६°N ८६.९२५२८°E [२] |
भूगोल | |
स्थान | सोलुखुम्बु जिला, सगरमाथा अञ्चल, नेपाल टिङ्ग्री काउन्टी, जिगेज,तिब्बत[३] |
माता शृङ्खला | महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला |
आरोहन | |
प्रथम चढाई | २९ मे १९५३ एडमण्ड हिलारी तेन्जिङ नोर्गे शेर्पा |
हल्लुक आरोहन मार्ग | साउथकोल (नेपाल) |
सगरमाथा संसारकें सबसँ ऊँच पर्वत शिखर छी । एकर उचाई समुन्द्र सतहसँ ८,८४८.८६ मीटर (२९,०३१.६९ फिट) अछि ।[४] सन् ८ डिसेम्बर २०२० आगे ८,८४८ (२९,०२८ फीट) थि । इ नेपालकें सोलुखुम्बु जिलाकें खुम्जुङ्ग गा विस में अवस्थित अछि । तिब्बती भाषामें एकरा चोमोलुङ्गमा कहएत अछि । सगरमाथाकें सन १८६५ में ब्रिटिस सर्भेयर कर्णेल सर जोर्ज एभरेष्टकें नाममें माउन्ट एभरेस्ट नामाकरण केल गेल छल । बादमें सन् १९५६ (बि.स. २०१२) में इतिहास शिरोमणि बाबुराम आचार्य एकर नाम सगरमाथा राखने छल वो सगरमाथाकें नेपाली नाम झ्यामोलोङ्मो सेहो लिखने छल । [५] सगरमाथाकें कतौ कतौ देवढुङ्गा [६] सेहो कहल जाएत अछि । सगरमाथा पर्वतमें सर्वप्रथम, सन १९५३ मई २९ तारिखके भोर ११:१५ बजे, नेपालक तेन्जिङ नोर्गे शेर्पा आर न्युजिल्याण्डका सर एडमन्ड हिलारी अपन टांग राखने छल ।
नामकरण आर आरोहणक पृष्ठभूमि
[सम्पादन करी]सन् १८०९ में उपरी गंगा अर्थात कुमाउक्षेत्रक खोजीमें निकलल डब्लूएस वेब नेपालमें धौलागिरी पर्वत ८ हजार मिटरसँ पैग रहल रहस्योद्घाटन केने छल अर्थात हिमालयकें ऊँच पर्वतसभ मे सँ सबसँ पहिल उचाई नापल गेल पर्वत धौलागिरी (८,१७२ मिटर) छी । ए पर्वतकें उचाई नाप लेला के बाद एकरा संसारकें सबसँ ऊँच पर्वत कहल गेल छल । बादमें सन् १८४८ में कञ्चनजङ्घाकें उचाई नापल गेल आर एकर उचाई ८ हजार ५ सय ८६ मिटर रहल परिणाम बाद कञ्चनजङ्घा पर्वतकें संसारकें सबसँ ऊँच पर्वत कहल गेल । वहिक वर्ष आन पर्वत सभक उचाई नापल गेल आर रेकर्ड जम्मा करि सर्वे अफ इन्डियाकें कार्यालयमें पठाओल गेल । ए घटनाकें करिब तीन वर्षबाद सन् १८५२ में जब सगरमाथा संसारकें सबसँ ऊँच पर्वत शिखर छी कहिँ ठहर कल गेल, तखन एकर उचाईं २९ हजार २ फिट मानल गेल । सगरमाथाकें रोमन संकेतचिहृन 'पिक १५' नाम प्रदान केल गेल । सन् १८५२ कें समयमें पहाडसभक उचाइ 'कियोडा लाइट' यन्त्रक प्रयोगसँ मापन करि रहल भारतक सर्वे विभागके एउटा टिमके सदस्यगणमें सँ एक बंगाली नागरिक राधानाथ सिकन्दर हमही सबसँ ऊँच पर्वत शिखर पत्ता लगौने दावी केलक । राधानाथकें सहयोगिकें रूपमें हेनेसी नामक वोकर चेला छल । उक्त विभागक सर्वे कर्मचारीसभ तेजवीर बुढाथोकी आर राधानाथ सिक्दर पत्ता लगेलक उक्त शिखरकें उचाईं ८ हजार ८ सय ४० मिटर छल । राधानाथ प्रतिभाशाली गणितज्ञ छल । सर्वे अफ इन्डियामें कार्यरत रहल वोकर उमर मात्र १९ वर्ष छल । सबसँ ऊँच पर्वत शिखरक उचाईं नापए वाला विधि बेलायतकें इन्जिनियर जर्ज एभरेष्ट विकास केने छल । संसारकें सबसँ ऊँच पर्वत शिखर खोजए वाला काज सुरू भेल पश्चात बिहार (भारत)के समतल मैदानके अध्ययन करि रहल भारतक सर्वेयर जनरल सर एन्ड्रयू वाघ अपन अग्रज जर्ज एभरेष्टकें स्मरणमें पन्ध्रहम ऊँच पर्वत नाम परिवर्तन करि सन् १८६५ (वि.सं. १९२१)में 'माउण्ट एभरेष्ट' नाम राखि देलक । एन्ड्रयू वाघकें वो टिम नेपालक एक हिमशिखर संसारकें सर्वोच्च भागकें रूपमें रहल दाबी सेहो करलक । भारतकें तत्कालीन कम्पनी सरकारद्वारा उक्त नामकरण करैत काल जर्ज ७५ वर्षक छल । जर्ज एभरेष्ट सन् १८२५ सँ सन् १८४३ तक भारतकें सर्वेयर जनरल छल । वि.सं. २०१३ सालमें इतिहासशिरोमणि बाबुराम आचार्य उक्त पर्वतकें नेपाली नामकरण करि 'सगरमाथा' नाम राखने छल । वो इ पर्वतकें नेपाली नाम 'शारदा' नामक पत्रिकामार्फत केने छल ।
खोज
[सम्पादन करी]चित्र दीर्घा
[सम्पादन करी]-
सगरमाथाकें भोर प्रहरक दृश्य
-
सगरमाथा
-
सगरमाथाकें मनोरम दृश्य
-
सगरमाथाकें प्यानारोमिक दृश्य
-
सगरमाथा क्षेत्रमें रहल याकसभ
सन्दर्भ सामाग्री
[सम्पादन करी]- ↑ Based on elevation of snow cap, not rock head. For more details, see Measurement.
- ↑ The WGS84 coordinates given here were calculated using detailed topographic mapping and are in agreement with adventurestats. They are unlikely to be in error by more than 2". Coordinates showing Everest to be more than a minute further east that appeared on this page until recently, and still appear in Wikipedia in several other languages, are incorrect.
- ↑ The position of the summit of Everest on the international border is clearly shown on detailed topographic mapping, including official Nepalese mapping.
- ↑ दाहाल, फणीन्द्र। "सगरमाथाको नयाँ उचाइ ८,८४८.८६ मिटर भएको नेपाल र चीनको घोषणा"। बीबीसी न्यूज नेपाली। अन्तिम पहुँच 8 डिसेम्बर 2020।
{{cite news}}
: Check date values in:|accessdate=
(help) - ↑ सगरमाथा आर झ्यामोलोङ्मो : नेपाली गद्य सङ्ग्रह, भाग १।
- ↑ http://www.harappa.com/engr/darjeeling.html#everest
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे सगरमाथासँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |