सामग्री पर जाएँ

महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला
Mahalangur Himal
महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला नेपालपर अवस्थित
महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला
महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला
नेपाल/ चीन सिमानामे अवस्थित नक्सा
उच्चतम विन्दु
चोटीसगरमाथा
अवनति८,८४८ मी (२९,०२९ फिट)
निर्देशाङ्क२७°५९′१७″उ॰ ८६°५५′३१″पू॰ / २७.९८८०६°N ८६.९२५२८°E / 27.98806; 86.92528
आयामसभ
लम्बाई८० किमी (५० माइल) ESE
चौडाई६५ किमी (४० माइल) NNE
क्षेत्रफल५,२०० किमी (२,००० वर्ग माइल)
भूगोल
देशसभनेपाल चीन
जिलासभसोलुखुम्बु जिला, सङ्खुवासभा जिला टिङ्गरी काउन्टी
माता शृङ्खलाहिमालय
सिमानामेरोल्वालिङ हिमालय

महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला हिमालयक एक भाग छी जे पूर्वोत्तर नेपाल आ दक्षिण-मध्य तिब्बतमे अवस्थित अछि । ई पूर्वमे नाङ्गपा ला नामक दर्रासँ पश्चिममे अरुण नदीधरि विस्तारित अछि । हिमालयके उपभागक दृष्टिसँ एकर पश्चिममे खुम्बु हिमालय (जकर आगा पश्चिममे रोल्वालिङ हिमालय) आ पूर्वमे कञ्चनजङ्घा हिमालय आबैत अछि । पृथ्वीके छ सर्वोच्च हिमालयमे सँ चारि हिमालयसभ, सगरमाथा, ल्होचे, मकालुचोयु हिमालय - एहिमे शामिल अछि ।[] एकर तिब्बती भागमे रोङ्गबुक हिमनदीकाङ्गशुङ हिमनदी बहैत अछि जबकि नेपाल भागमे बरुण नदी, नोजुम्बा, खुम्बु हिमनदी बहैत अछि । ई सभ उत्तर आ पूर्वमे अरुण नदीद्वारा आ दक्षिणमे दुधकोशी नदीद्वारा कोशी नदीके जल प्रदान करैत अछि ।

चित्र दीर्घा

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. H. Adams Carter (१९८५), "Classification of the Himalaya", American Alpine Journal 27 (59), American Alpine Club, पृ: 116–120, अन्तिम पहुँच मई १, २०११

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]