बिराटनगर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एतय जाए: भ्रमण, खोज
बिराटनगर
Biratnagar

गोग्रहा
महानगरपालिका
सुर्योदयक दृश्य
सुर्योदयक दृश्य
बिराटनगरBiratnagar is located in Nepal
बिराटनगरBiratnagar
बिराटनगर
Biratnagar
नेपालमे बिराटनगरक अवस्थिति
निर्देशाङ्क (बिराटनगर): २६°२७′१५″ उत्तर ८७°१६′४७″ पूर्व / २६.४५४१७° उत्तर ८७.२७९७२° पूर्व / 26.45417; 87.27972निर्देशाङ्क: २६°२७′१५″ उत्तर ८७°१६′४७″ पूर्व / २६.४५४१७° उत्तर ८७.२७९७२° पूर्व / 26.45417; 87.27972
देश  नेपाल
प्रदेश प्रदेश नं. १
विकास क्षेत्र पूर्वाञ्चल विकास क्षेत्र
अञ्चल कोशी
जिला मोरङ
क्षेत्रफल
 • सम्पूर्ण ७७ किमी (३० वर्गमाइल)
उँचाई ८० मिटर (२६० फिट)
जनसङ्ख्या (बि.स.२०६८)
 • सम्पूर्ण २,४२,५४८[१][२]
समय क्षेत्र नेपालक प्रमाणिक समय (युटिसी+५:४५)
पोस्टल कोड ५६६००, ५६६१३, ५६६१४
टेलिफोन कोड ०२१
वेबसाइट बिराटनगर महानगरपालिका

बिराटनगर नेपालक महानगरपालिका[२] आ दोसर पैग शहर छी ।[३][४] नेपालक संविधान २०७२ अनुसार ई शहर नेपालक प्रदेश नं. १मे रहल कोशी अञ्चल अन्तर्गत मोरङ जिलाक दक्षिण भागमे अवस्थित अछि । ई नेपालक सबसँ पैग औद्योगिक नगर आ उद्योगिक राजधानी सेहो छी ।[५] ई नगर तथा आसपासक क्षेत्रमे बहुतेक सङ्ख्यामे कारखाना, उद्योग तथा व्यवसायसभ अछि । बिराटनगर एक पारवहन तथा वाणिज्य केन्द्र सेहो छी । एतयसँ भारत तथा तेसर राष्ट्रसँ व्यापारिक सामानसभ आयात निर्यात होइत अछि । नेपालक जनगणना २०११ अनुसार जनसङ्ख्याक आधारमे विराटनगर, नेपालक चारिम पैग शहर आ जनघनत्वक आधारमे दोसर पैग शहर छी ।[६] ई शहर काठमाडौंसँ ३९९ किमी पूर्वमे आ भारतक बिहार राज्यसँ ६ किमी उत्तरमे अवस्थित अछि । बिराटनगरके सन् २०१७ मई २२ कऽ दिन वीरगञ्ज संगे महानगरपालिका घोषित कएल गेल छल ।[७] ई शहरके महानगरपालिका घोषित करैत काल टङ्किसिनवारी आ जहदा-३ मिलाएल गेल छल जहिसँ बिराटनगरक जनसङ्ख्या २,१४,६६३ सँ २,४२,५४८ पहुँचल अछि ।[८][९][१०][११]

नामाकरण आ इतिहास[सम्पादन करी]

ई शहरमे पौराणिक कालक विराट राजाक दरवार आ राजधानी रहल आ हुनकरे नामसँ विराटनगरक नाम रहल विश्वास कएल जाइत अछि । वि.सं. १९७५ धरि ई ठाम गोग्राहा कऽ नामसँ जानल जाइत छल । विराटनगरक पुरान नाम गोग्राहा छी । वि.स. १९७१ मे वडाहाकिम जित बहादुर खत्री बिराटनगर शहरक परिकल्पना करि मोरङ जिलाक सदरमुकाम रङ्गेलीसँ सरकारी गोश्वारा, माल, अमिन, वनजाँच, चिट्ठी, अडिटर, जेल आ अस्पताल बिराटनगर स्थानान्तरण केनए छल मुदा एकर नामाकरण शिकार खेलैलेल काठमाडौंसँ मोरङ आएल केशर शम्सेर जबरा केनए छल ।[१२] अपन मोरङ दौडाहाक समयमे भेडियारीमे भेटल विराट राजाक दरवारक भग्नावशेषक दृष्टिगत करि केशर शम्सेर गोग्राहासँ विराटनगर नामाकरण केनए छल । वि.सं.१९७१ मे रङ्गेलीसँ विराटनगरमे जिला सदरमुकाम (तत्कालिन गौडा) आनलाक बाद विराटनगर शहरक स्वरूप परिवर्तित होमए लागल ।[१२][१३] बडाहाकिम खत्रीके उत्तराधिकारी कर्णेल शिवप्रताप शमशेर थापा विराटनगर निर्माणमे अपन सम्पूर्ण योगदान देनए छल । बिराटनगरमे कृष्णप्रसाद कोइराला, भारतीय मारवाडीसभ बोलाए व्यापारिक वातावरण बनेनाए छल । कृष्णप्रसाद कोइराला, सुब्बा गुञ्जमान, डिट्ठठा कृष्णराज, हनुमानदास, सुब्बा कालिदास, सुबेदार अनन्तराम कऽ विशेष योगदानसँ वि.सं. १९७२ मे सदरमुकाम बिराटनगर आएल छल ।[१४]बिराट शब्दक अर्थ पैगनगर शब्दक अर्थ शहर होइत अछि ।

नेपालक भूभाग बिराटनगरमे पहिल राणा बिरोधी आन्दोलनक आरम्भ सन् १९४७ मार्च ४ कऽ दिन विराटनगर जुट मिल हड़तालक रुपमे भेल जकर नेतृत्व मिलक कर्मचारी बनि गिरिजाप्रसाद कोइराला[१५] तारणी प्रसाद कोइराला, मन मोहन अधिकारीयुवराज अधिकारी केनए छल ।[१६][१७][१८]किछ दिन बाद ई आन्दोलनमे विश्वेश्वरप्रसाद कोइराला जुड़ल आ आन्दोलन वृहत बनाए नेपालसँ राणा शासनक अन्त केलक ।[१९]

यातायात[सम्पादन करी]

बिराटनगरसँ काठमाडौं आ नेपालक अन्य शहरसभ हवाई आ सड़क यातायातसँ जुडल अछि । बिराटनगर विमानस्थलसँ पूर्वी नेपालक पहाडी दुर्गम स्थानसभ आ नेपालक मुख्य शहरसभधरि हवाई सम्पर्क अछि । यातायातक मुख्य केन्द्रक रूपमे रहल बिराटनगर शहरक दक्षिणी सिमाना भारतक अररिया जिलाक जोगबनीमे वि.सं. १९६८ सँ रेल सेवा सञ्चालन होमए लागल ।

  • वायुसेवा: बिराटनगर विमानस्थलसँ काठमाडौंक लेल आ नेपालक अन्य विमानस्थलसभक लेल उडानसेवा अछि । ई नेपालक पूर्वी भागक क्षेत्रीय विमान हब छी ।
  • सड़कसेवा: राजधानी शहर काठमाडौंसँ बिराटनगर लगभग ५०० किलोमिटर (३१० माइल)क दूरीमे अछि । ई धरान, इटहरीधनकुटा लगायत नेपालक पूर्वी क्षेत्र आ अन्य क्षेत्रक सड़कसेवासँ निक जका जुड़ल अछि ।
  • सिमापार: भारतक राज्य बिहारसँ लगभग ७ किलोमिटर (४ माइल)क उत्तरमे बिराटनगर अवस्थित अछि । भारतक अररिया जिलाक जोगबनीमे रेल लाइन समाप्त होइत अछि । एतयसँ कटिहार, कोलकातानयाँ दिल्लीक लेल सीधा रेल सेवा उपलब्ध अछि । भारत आ नेपालक ई क्षेत्रमे राजश्व केन्द्र स्थापित अछि । नेपाली आ भारतीय लोकसभ निकसँ आवतजावत करैत अछि । बिराटनगरधरि रेलसेवा सञ्चालनक लेल सर्वेक्षण कएल गेल अछि ।
  • शहर भितर: साइकल, मोटर सवारी, रिक्सा आ ट्याक्सीसभ शहरमे चलैत अछि । शहरसँ बाहर यात्राक लेल अटो रिक्सा (टेम्पो)उपलब्ध अछि । सिटी सफारी आ विद्युतीय रिक्सा बिराटनगरक सम्पूर्ण भागमे जुड़ल अछि जे सर्वसुलभ आ वातावरण मैत्री अछि ।

मौसम[सम्पादन करी]

बिराटनगरक अधिकतम तापक्रम ४३.० °से (१०९.४ °फे) सन् १९९२ अप्रैल १४ कऽ दिन तापमान कएल गेल छल आ न्यूनतम तापक्रम −१.० °से (३०.२ °फे) सन् १९७० दिसम्बरमे तापमान कएल गेल छल ।[२०]

बिराटनगर विमानस्थल (१९८१-२०१०)-कऽ लेल मौसम जानकारी
महिना जन फर मार्च अप्रैल मई जुन जुलाई अगस्त सित अक्टु नव दिस वर्ष
अधिकतम °से (°फे) औषत २२٫७
(७३)
२६٫१
(७९)
३०٫९
(८८)
३३٫९
(९३)
३३٫३
(९२)
३२٫९
(९१)
३२٫१
(९०)
३२٫५
(९१)
३२٫१
(९०)
३१٫६
(८९)
२९٫३
(८५)
२५٫४
(७८)
३०٫२
(८६)
दैनिक औषत °से (°फे) १५٫८
(६०)
१८٫६
(६५)
२३٫३
(७४)
२७٫१
(८१)
२८٫३
(८३)
२९٫०
(८४)
२८٫८
(८४)
२९٫२
(८५)
२८٫४
(८३)
२६٫४
(८०)
२२٫३
(७२)
१८٫०
(६४)
२४٫६
(७६)
न्यूनतम °से (°फे) औषत ९٫०
(४८)
११٫१
(५२)
१५٫६
(६०)
२०٫४
(६९)
२३٫३
(७४)
२५٫२
(७७)
२५٫६
(७८)
२५٫८
(७८)
२४٫७
(७६)
२१٫१
(७०)
१५٫३
(६०)
१०٫५
(५१)
१९٫०
(६६)
औषत हिमपात/वर्षा मीमी (इञ्च) ११٫७
(०٫४६)
१३٫२
(०٫५२)
१३٫२
(०٫५२)
५३٫१
(२٫०९)
१८६٫०
(७٫३२)
३०२٫४
(११٫९१)
५३०٫८
(२०٫९)
३७८٫३
(१४٫८९)
२९८٫८
(११٫७६)
९१٫८
(३٫६१)
५٫९
(०٫२३)
६٫६
(०٫२६)
१,८९१٫८
(७४٫४७)
स्रोत: जल तथा मौसम पूर्वानुमान विभाग (नेपाल)[२१]

भूगोल[सम्पादन करी]

बिराटनगर शहर समुन्द्र सतहसँ ७० मिटर (२२९ फिट) उपर अछि ।

जनसङ्ख्या[सम्पादन करी]

नेपालक वि.सं. २०६८ कऽ जनगणना अनुसार बिराटनगरक जनसङ्ख्या २,४२,५४८ रहल अछि ।[२][१]जाहिमे पुरुष ५३% आ महिला ४७% अछि । ई शहरमे नेपालक प्राय: सब जातजातिक लोकसभक बसोबास अछि । बि.सं. २०५८ कऽ जनसङ्ख्याक अनुसार बिराटनगरक जनसङ्ख्या करिब २ लाख देखल गेल अछि । नेपालक भौगोलिक रूपसँ बिराटनगर तराईक गर्मी क्षेत्र रहलाक बादो जनघनत्व बहुत बेसी अछि ।

शिक्षा[सम्पादन करी]

बिराटनगर पूर्वाञ्चलक शैक्षिक केन्द्रक रूपमे देखल जाइत अछि । पूर्वाञ्चल विश्वविद्यालय सहित मेडिकल कलेज आ इन्जीनियरिङ कलेज लगायत बहुतेक शैक्षिक संस्थासभ बिराटनगरमे स्थापित अछि ।[२२][२३]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ "नेपाल जनगणना बि.स.२०६८", अभिगमन तिथि नवम्बर २०१२ 
  2. २.० २.१ २.२ "राजपत्र संसोधन सहित", अभिगमन तिथि जेठ ११, २०७४ 
  3. "Biratnagar, the second biggest city of Nepal", Boss Nepal (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०१७-०८-१९ 
  4. "विराटनगर महानगरपालिका | नेपाल सरकार", biratnagarmun.gov.np, अभिगमन तिथि २०१७-०१-२२ 
  5. "Top 10 Best cities of Nepal to Live in", Real Estate Land & House on Sale in Nepal (अङ्ग्रेजीमे), २०१५-०३-१७, अभिगमन तिथि २०१७-०८-१९ 
  6. Location of Biratnagar - Falling Rain Genomics
  7. "Govt adds 23 local units, elevates Birgunj and Biratnagar as metros" (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०१७-०६-०१ 
  8. "Biratnagar, Birgunj promoted to Metropolitan Cities - The Himalayan Times", The Himalayan Times (अङ्ग्रेजीमे), २०१७-०६-०१, अभिगमन तिथि २०१७-०८-१९ 
  9. "Biratnagar excited to celebrate metropolitan promotion", The Himalayan Times (अङ्ग्रेजीमे), २०१७-०५-२३, अभिगमन तिथि २०१७-०८-१९ 
  10. "Biratnagar, Birgunj now Metropolitan cities" (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०१७-०८-१९ 
  11. "Biratnagar joins the league of metropolitan cities, rolls up sleeves for celebration - Karobar National Economic Daily" (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०१७-०८-१९ 
  12. १२.० १२.१ "१०० वर्षको विराटनगर, मणि खोज्दै - Himalkhabar.com", Himalkhabar.com (नेपालीमे), २०१३-०९-१७, अभिगमन तिथि २०१७-०८-२० 
  13. सय वर्षसम्म सहर उस्तै नागरिक
  14. "Biratnagar celebrates centenary as birthplace of Nepal’s industry" (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०१७-०८-१९ 
  15. Bhuwan Lal Joshi; Leo E. Rose (1966). Democratic Innovations in Nepal: A Case Study of Political Acculturation. University of California Press. प॰ 62. GGKEY:5N30S3HU9BC. https://books.google.com/books?id=MX22o4PJ3Q0C&pg=PA543. 
  16. Mahendra Man Singh (3 September 2013). Forever Incomplete: The Story of Nepal. SAGE Publications. pp. 124–. आइएसबिएन 978-81-321-1658-5. https://books.google.com/books?id=Av-HAwAAQBAJ&pg=PA124. 
  17. Bhuwan Lal Joshi; Leo E. Rose (1966). Democratic Innovations in Nepal: A Case Study of Political Acculturation. University of California Press. प॰ 61. GGKEY:5N30S3HU9BC. https://books.google.com/books?id=MX22o4PJ3Q0C&pg=PA543. 
  18. Bhuwan Lal Joshi; Leo E. Rose (1966). Democratic Innovations in Nepal: A Case Study of Political Acculturation. University of California Press. प॰ 62. GGKEY:5N30S3HU9BC. https://books.google.com/books?id=MX22o4PJ3Q0C&pg=PA543. 
  19. Human Rights Violations in Nepal. Human Rights Watch. 1989. pp. 15–. आइएसबिएन 978-0-929692-31-9. https://books.google.com/books?id=CnTFLXce3toC&pg=PA15. 
  20. "Archived copy", मूलसँ २०१६-०३-०४-के सङ्ग्रहित, अभिगमन तिथि २०१६-०२-२७ 
  21. "Normals from 1981-2010", Department of Hydrology and Meteorology (Nepal), अभिगमन तिथि २० अक्टुबर २०१२ 
  22. "Picture-perfect moments convocation - The Himalayan Times", The Himalayan Times (अङ्ग्रेजीमे), २०१६-०४-२७, अभिगमन तिथि २०१७-०८-२० 
  23. "अभियान राष्ट्रिय दैनिक - Aarthik Abhiyan National Daily : Nepal Business, Stock Market (nepse), Finance and Economic news", अभिगमन तिथि २०१७-०८-२० 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]


एहो सभ देखी[सम्पादन करी]