कैलाली जिला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
कैलाली जिला
Kailali District
क अवस्थिति
देश नेपाल
प्रदेशसुदूरपश्चिमाञ्चल
अञ्चलसेती
भौगोलिक अवस्थितितराई
गाउँपालिका सङ्ख्या३१
नगरपालिका सङ्ख्या
उपमहानगरपालिका सङ्ख्या
सदरमुकामधनगढी
क्षेत्रफल
 • कुल३२३५ किमी (१२४९ वर्गमाइल)
उन्नतांश
(अधिकतम)
१९५० मिटर (६४०० फिट)
उच्चतम उचाइ
१९५० मिटर (६४०० फिट)
न्यूनतम उचाइ
१०९ मिटर (३५८ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०६८[१])
 • कुल७७५७०९
 • घनत्व२४०/वर्ग किमी (६२०/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रयुटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय)
क्षेत्रीय सङ्केत०९१
मुख्य भाषासभनेपाली
प्रमुख जातिसभबाहुन, क्षेत्री आदि
वेबसाइटwww.ddckailali.gov.np

कैलाली नेपालक सुदूरपश्चिमाञ्चल विकास क्षेत्रक सेती अञ्चलमे अवस्थित समथर भूभाग तथा पहाड मिश्रित जिला छी । ई जिलाक क्षेत्रफल ३,२३५ वर्ग किलोमिटर आ जनसङ्ख्या (२०६८) ७,७५,७०९ रहल अछि । कैलाली जिलाक सदरमुकाम धनगढी छी। ई जिलामे छ टा नगरपालिका अछि :लम्की चुहा नगरपालिका, टीकापुर नगरपालिका, अत्तरिया नगरपालिका, घोडाघोडी नगरपालिका, भजनी-त्रिशक्ती नगरपालिकाधनगढी उपमहानगरपालिका । टीकापुरमे अवस्थित टीकापुर वृहत उद्यान नेपालक सबसँ पैग मानव निर्मित उद्यान छी तहिने कैलाली जिलामे रहल घोडाघोडी तालके विश्व सम्पदा सूचीक संरक्षित सिमसार क्षेत्रमे राखल गेल अछि ।

जिलाक नामाकरण[सम्पादन करी]

कैलाली जिलाक नामाकरण सम्बन्धमे बहुतेक रास मतसभ विद्यमान अछि। ओहीमे सँ प्रमुख मतसभ एहिप्रकार अछि। परापूर्व कालमे कैलाली जिलामे कालाबञ्जारक राज्य छल आ ओसभ सदरमुकाम आजुक कैलाली नाम कएल गाउँमे छल । ओहि ठामके पहिने कालापानी कहल जाइत छल । पहिनेके समयमे जे कियो अपराध करैत छल ओ अपराधीसभके याह ठाममे पठाए सजाय देल जाइत छल । उपरमे कालापानी नामसँ बहैवला नदी नीचा आबि खुटिया खोलाक नामसँ प्रसिद्ध अछि । सम्भवत याह कारणसँ सेहो शब्दक अपभ्रंस होइत होइत एकर नाम कैलाली रहल भऽ सकैक अनुमान कएल जाइत अछि ।

भौगोलिक अवस्था[सम्पादन करी]

प्रमुख नदीसभ[सम्पादन करी]

कर्णाली, मोहना, खुटिया, पथरैया, शिवगंगा, गौरी, गंगा, वनरा, गुलरा, गोदावारी, जमरा,आदी

प्रमुख तालसभ[सम्पादन करी]

घोडाघोडी ताल, जोखर ताल, तिलेक, कोईलही, लौकाभौका, वेहडावावा

प्रमुख धार्मिक स्थलसभ[सम्पादन करी]

धनगढी ४ उत्तरवेहडी शिवपुरीधाम, शमैजी (गोला देउ) फूलवस्ती, गोदावरीगंगा, ग्वाशी, बेहडाबाबा, लक्ष्मीनारायण मन्दिर, नैनादेवी मन्दिर, पशुपति मन्दिर, वेङ्कटेश्वर मन्दिर, वनदेवी मन्दिर, गोदावरीस्थित शिव मन्दिर

प्रमुख पर्यटक स्थलसभ[सम्पादन करी]

टीकापुर पार्क, घोडाघोडी ताल, लम्किक चिसापानि स्थित कर्णाली पुल, खैराला दरबार, गोदावरी, खानीडाडा, धनगढी स्थित जोखर ताल, धनगढी पार्कराजकाँडा

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "नेपालको राष्ट्रिय जनगणना २०६८ (गाविस तह)" (PDF)नेपाल सरकारराष्ट्रिय योजना आयोगमूल (PDF)सँ 2016-02-02 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच २०१२ नवम्बर १२ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help); Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]