बीरगञ्ज महानगरपालिका
दिखावट
(वीरगञ्जसँ पुनर्निर्देशित)
बीरगञ्ज
Birgunj | |
|---|---|
घडियारवा पोखरी घण्टाघर शंखराचार्य,गेट | |
| आदर्श वाक्य: नेपालक प्रवेशद्वार | |
| देश | |
| अञ्चल | नारायणी अञ्चल |
| जिला | पर्सा जिला |
| महानगरपालिका घोषित | वि.स. २०७४ |
| सरकार | |
| • प्रकार | वीरगञ्ज महानगरपालिका |
| क्षेत्रफल | |
| • कुल | ९०.७४ किमी२ (३५.०३ वर्गमाइल) |
| जनसङ्ख्या (सन् २०११) | |
| • कुल | २,८५,०११ |
| • घनत्व | ३१००/वर्ग किमी (८१००/वर्ग माइल) |
| • धर्मावलम्बी | हिन्दू |
| समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (नेपालकऽ प्रमाणिक समय) |
| पोस्टल कोड | ४४३००,४४३०१ |
| क्षेत्रीय सङ्केत | ०५१ |
| वेबसाइट | www.birgunj.gov.np |
वीरगञ्ज उपमहानगरपालिका नेपालक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्र, नारायणी अञ्चलक पर्सा जिलामे अवस्थित एक उप-महानगरपालिका छी । श्री ३ वीर शमशेर जङ्गबहादुर राणाक प्रधानमन्त्रीत्वकालमे वि.सं. १९४२-१९५८ पर्सा जिलाक अलौ नामक स्थानसँ गहवा गाँउमे सदरमुकाम घसकेलाबाद गहवा गाँउके हुनकरे नाममे वीरगञ्ज नामाकरण कएल गएल छल ।
ई नेपालक सबसँ महत्वपूर्ण व्यापारिक तथा पारवहन नाका छी । एतयसँ नेपाल भारत लगायत अन्य मुलुकसभधरि आयात निर्यातक काम होएत अछि । चितवन, काठमाडौं तथा पोखराक लेल सामान पैठारी करैक संगे देशको मुख्य उद्योगिक कोरिडोर सेहो छी । ठाकुरराम क्याम्पसक संगे किछ आर कलेज तथा विद्यालय तथा नारायणी अञ्चल अस्पतालक संगे किछ नर्सिङ होम समेत रहल विरगञ्जमे अञ्चल स्तरीय तथा जिला स्तरीय सरकारी कार्यलयसभ सेहो अछि । वीरगञ्जक एरिया कोड ०५१ छी ।