हेटौंडा उपमहानगरपालिका

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
हेटौंडा
Hetauda
उपमहानगरपालिका
उपरी पहाडसँ हेटौंडा उपमहानगरपालिकाक दृश्य
उपरी पहाडसँ हेटौंडा उपमहानगरपालिकाक दृश्य
उपनाम: 
हेटौडा उपमहानगरपालिका
देश नेपाल
अञ्चलनारायणी अञ्चल
जिलामकवानपुर जिला
जनसङ्ख्या
 (बि.स.२०६८)
 • कुल८४६७१
समय क्षेत्रयुटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय)
पोस्टल कोड
४४१००, ४४१०७
क्षेत्रीय सङ्केत०५७
वेबसाइटहेटौंडा उपमहानगरपालिका

हेटौंडा उपमहानगरपालिका मकवानपुर जिलाक सदरमुकाम छी ।[१] [२] ई नगर भौगोलिक रूपमे भित्री मधेस कहल जाइवला चितवन उपत्यका (नारायणी पूर्वी राप्ती उपत्यका कहि चिनहैवला)क पूर्वी किनार चुरे पहाड श्रृङखला सँ जुडल अछि । ई मध्य नेपालक प्रमुख वाणिज्य तथा यातायात केन्द्र छी । ई महेन्द्र राजमार्ग तथा त्रिभुवन राजपथक मिलन विन्दुमे अवस्थित अछि । हिन्दू, बौद्ध, मुसलमान, क्रिश्चियन धर्मावलम्बी अछि । नेपालक मन्त्री परिषद अन्तर्गतक सामाजिक समिति ६१ टा नव नगरपालिका आ ७ टा नगरपालिकाके उपमहानगरपालिका बनाबैक निर्णय करलाकबाद हेटौंडाके सेहो नगरपालिकासँ उपमहानगरपालिकामे विस्तार कएल गेल अछि । हेटौंडाके उपमहानगरपालिका घोषित करलाकबाद एहिमे वसामाडि गाविसके समावेश कएल गेल छल ।

इतिहास[सम्पादन करी]

महाभारतमे आधारित किम्वदन्ती अनुसार पाँच पाण्डव वनबासक क्रममे ई स्थानमे पहुँचल आ हेडम्बा राक्षस सँ युद्ध भेलापर भीमसेनद्वारा हेडम्बाके तत्कालै मारल गेलापर हेडम्बासँ अपभ्रंस भऽ हेटौंडा भेल अछि । हेडम्बाक बहिनी भूटनदेवीक नामसँ स्थापित भूटनदेवी मन्दिर ई उपनगरपालिकाक वडा नं. १० मे अवस्थित अछि, जहाँ दैनिक पूजाआजा करवाक संग एहिसँ सम्बन्धित पर्व सेहो मानाओल जाइत अछि ।

नेपाल सरकार वि.सं. २०२६ वैशाखमे हेटौंडाके तत्कालिन नगरपञ्चायतक रूपमे घोषणा केनए छल । तत्कालिन हेटौंडा नगरपञ्चायतक प्रथम प्रधानपञ्च वासुदेव रिजाल आ दोसर ओमनाथ पराजुली छी । देशमे बहुदलीय प्रजातन्त्रको स्थापनाबाद हेटौंडा नगरपालिकाक प्रमुखमे डोरमणि पौडेल, उपप्रमुख हरिबहादुर महत सहित दुई अवधिक लेल निर्वाचित भेल छलाह ।

साँस्कृतिक तथा ऐतिहासिक स्थलसभ[सम्पादन करी]

हेटौंडा नगरपालिकामे शहीद स्मारक, मकवानपुरगढी, पशुपति मन्दिर, ऐतिहासिक भूटनदेवी मन्दिर, मनकामना मन्दिर, गोक्षेक्व मन्दिर, कुसमान्ड सरोवर, गुम्बा आ पुण्यक्षेत्रक संगे पुष्पलाल पार्क विशेषताक रूपमे अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "६१ वटा नगरपालिका र ७ वटा उपमहानगरपालिका थप (सूचीसहित)"मूलसँ 2014-12-13 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच मंसिर १६,२०७१ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help); Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "६१ नगरपालिका र ७ उपमहानगरपालिका घोषणा (नाम र गाभिएका गाविससहित" {{cite web}}: Text "accessdate मंसिर १६,२०७१" ignored (help)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]