विक्रम सम्बत

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(विक्रम सम्वतसँ पुनर्निर्देशित)

विक्रम सम्बत हिन्दू पञ्चाङ्गमे आधारित नेपाल तथा भारतक राष्ट्रिय पत्रा छी । ई प्राचिन हिन्दु परम्परा आ वैदिक समयाङ्कनमे आधारित शौर्य पत्रा छी । ई ग्रेगोरियन पत्रा (अङ्ग्रेजी पत्रा) सँ ५६ वर्ष ८ महिना १५ दिन अगाडी अछि । ई पत्रामे वर्षक सुरूवात बैशाखक पहिल दिन सँ होएत अछि । नयाँ वर्षक सुरूवात सामान्यतया ग्रेगोरियन पत्राके अप्रिल महिनाक १३ वा १४ तारिकमे पडैत अछि । विक्रम सम्बत सूर्य सँ सम्बन्धित भेला कारण विक्रम सम्बतमे ग्रह नक्षत्रक नाम सेहो महिनासभ सँ सम्बन्धित अछि । विक्रम सम्बत प्राकृतिक रूपमे सञ्चालित होएत आएल अछि । विक्रम सम्बतक बारेमे अनेकौं विवाद सेहो प्रस्तुत भ रहल अछि । विक्रम सम्बत नेपालक आदि सम्बत छी ।

इतिहास[सम्पादन करी]