सामग्री पर जाएँ

राजविराज

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(राजविराज नगरपालिकासँ पुनर्निर्देशित)

राजविराज
शहर
Rajbiraj
शहरक प्रसिद्ध त्रिभुवन चोक (वर्तमान गजेन्द्र चोक)
शहरक प्रसिद्ध त्रिभुवन चोक (वर्तमान गजेन्द्र चोक)
देश नेपाल
प्रदेशमधेश प्रदेश
जिलासप्तरी जिला
वार्ड सङ्ख्या१६
सरकार
 • कार्यवाहक मेयरईशरत प्रवीण
क्षेत्रफल
 • कुल५५.६४ किमी (२१.४८ वर्गमाइल)
उन्नतांश
७६ मिटर (२४९ फिट)
जनसङ्ख्या
 (वि.स. २०६८)
 • कुल६९,८०३[१][२][३]
समय क्षेत्रयुटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय)
डाक कोड
५४६००
क्षेत्रीय सङ्केत०३१
वेबसाइटrajbirajmun.gov.np

राजविराज (अङ्ग्रेजी: Rajbiraj) पूर्वी नेपालक मधेश प्रदेश अन्तर्गत सप्तरी जिलामे अवस्थित एक शहर छी । ई नेपालक एक प्रसिद्ध शहर होमएक सङ्गे सप्तरी जिलाक सदरमोकाम छी । नेपालक पहिल टाउन प्लानिङ[४] करि बसाएल सप्तरी जिलाक सदरमुकाम राजविराज तराई क्षेत्रक सब सँ पहिल आ अधिराज्यक चारिम नगरपालिका छी । वि.सं. १९९४ दिस सप्तकोशी नदी जखन पुरान सदरमोकाम हनुमाननगर कटान केनाए सुरु कऽ देलक[५] तखन सदरमुकाम आन ठाम लऽ जेबाक निर्णय कएल गेल आ आ ओकरे फलस्वरूप तत्कालीन बडाहाकिम प्रकाशशमशेर जबरा उपयुक्त ठाम खोजि शहर बसेबाक जिम्मेवारी ख्यातिप्राप्त इन्जिनीयर डिल्लीजङ्ग थापाके देलक । ओ अपन जमीनदारी मौजा रहल जोलहरी मलेठ गाम नजदिक राजपुर मौजामे सदरमुकाम बनेबाक निर्णय केलक । ओ समयमे सुन्दर शहरक रूपमे प्रसिद्धि पाबल भारतक गुलाबी शहर जयपुरक नक्साक आधारमे टाउन प्लानिङ करि वि.सं. १९९८ मे राजविराज शहर बैसाएल गेल छल ।[६][७]

इतिहास आ विकास[सम्पादन करी]

वर्तमान राजविराज नगरक नामकरण राजविराजक पूर्वी भागक भलुवाही नदीके किनारमे अवस्थित पुरान इतिहासक प्रख्यात राजदेवी मन्दिरक नामसँ राजविराज नाम रहलगेल बात बहुतेक पुस्तकमे उल्लेख कएल गेल अछि ।[८] राजदेवी भगवतीकें सेन राजाक इष्टदेवी मानल जाइत अछि । राजदेवी मन्दिर एतय अवस्थित होमएक कारण एतय सेन राजासभक कचहरी, दरवार, किला रहनाए छी । शहर विकासक लेल आवश्यक आधारसभ भेलाक कारण वि.सं. २०१६ सालमे राजविराजकें नगरपालिका घोषणा कएल गेल । नगरपालिकाक पूर्वमे महादेवा गाउँपालिकातिलाठी कोईलाडी गाउँपालिका, पश्चिममे बेल्ही चपेना गाउँपालिकारुपनी गाउँपालिका, उत्तरमे रुपनी गाउँपालिकाकृष्णासवरन गाउँपालिका तथा दक्षिणमे छिन्नमस्ता गाउँपालिका अछि । योजनाबद्ध रूपसँ व्यवस्थित राजविराज नगर व्यवसायिक रूपसँ वि.सं. २०१० सालदिस पूर्वी नेपालको तराई आ पहाडी जिलाक व्यापारिक केन्द्रक रूपमे विकसित भेल । नगरपालिका भितरमे ऐतिहासिक राजदेवी, दुर्गा भगवती, वागेश्वरी भगवती, हनुमान, रामजानकी, राधाकृष्ण, विष्णु, बैष्णवी काली, महादेव जका मठ मन्दिर तथा मुस्लिम समुदाय क जामे मस्जिद आ जैन धर्मावलम्बीसभक मन्दिर अछि ।[९]

टाउन प्लानिङ्ग[सम्पादन करी]

नेपालक जयपुरे शहर आ गुलाबी शहरक उपनाम सँ परीचित राजविराज नगरपालिकाक नगर योजना ६० बिघाक प्लटमे तत्कालीन इन्जिनियर डिल्लीजङ्ग थापाद्वारा कएल गेल छल। ओ भारतक गुलाबी सहर कहि जानल जाएवाला जयपुरक नक्साकें आधारमे राजविराजक टाउन प्लानिङ्ग केनए छल । सुरूमे ६० बिघा जमीनमे टाउन प्लानिङ्ग कएल गेल छल मुदा बादमे कर्मचारी आवास बनेवाक आवश्यकता महसुस भेल जकर फलस्वरूप उत्तर दिस २ बिघा आ दक्षिण दिस ८ बिघा जमीन लऽ ७० बिघामे नगर बसाएल गेल छल । प्रत्येक चार घरक पछाड़ी छोट गल्ली, मुख्य सड़क आ सहायक सड़क जोड़वला ठाममे चौक तथा अलग अलग स्थानमे हटिया, किराना दोकान, तरकारी बजार आ सरकारी कार्यालय भवनसभ व्यवस्थित रूपमे मिलाएल गेल अछि ।[१०]

यातयात[सम्पादन करी]

राजविराजसँ काठमाडौं आ नेपालक अन्य शहरसभसँ सड़क यातायातसँ जुड़ल अछि । राजविराज विमानस्थल अखन निर्माणाधीन अछि आ सुचारू भेलाक बाद एतयसँ पूर्वी नेपालक पहाडी दुर्गम स्थानसभ आ नेपालक मुख्य शहरसभधरि हवाई सम्पर्क रहत । राजविराज शहरक दक्षिणी सिमाना भारतक सुपौल जिलाक कुनौलीसँ जुड़ल अछि ।

राजविराज विमानस्थलमे बुद्ध एयर विमान
  • सड़कसेवा: राजधानी शहर काठमाडौंसँ राजविराज लगभग ४९५ किलोमिटर (३१० माइल)क दूरीमे अछि । ई धरान, इटहरीधनकुटा लगायत नेपालक पूर्वी क्षेत्र आ अन्य क्षेत्रक सड़कसेवासँ निक जका जुड़ल अछि ।
  • सिमापार: भारतक राज्य बिहारसँ लगभग १० किलोमिटर (६ माइल)क उत्तरमे राजविराज अवस्थित अछि । भारतक सभसँ नजदिकी बजार सुपौल जिलाक कुनौली बजार अवस्थित अछि । भारत आ नेपालक ई क्षेत्रमे राजश्व केन्द्र स्थापित अछि । नेपाली आ भारतीय लोकसभ निकसँ आवतजावत करैत अछि ।
  • शहर भितर: साइकल, मोटर सवारी, रिक्सा आ ट्याक्सीसभ शहरमे चलैत अछि । शहरसँ बाहर यात्राक लेल अटो रिक्सा (टेम्पो)उपलब्ध अछि । सिटी सफारी आ विद्युतीय रिक्सा राजविराजक सम्पूर्ण भागमे जुड़ल अछि जे सर्वसुलभ आ वातावरण मैत्री अछि ।

जनसङ्ख्या[सम्पादन करी]

अन्य धर्मावलम्बी (०.१९%)
राजविराजमे धर्मावलम्बी [११]
धर्म प्रतिशत
हिन्दू
  
८७.०१%
इस्लाम
  
१०.८९%
जैन
  
१.२६%
शिख
  
०.६४%
अन्य
  
०.२०%

नेपालक जनगणना वि.सं. २०६८ कऽ अनुसार राजविराजक कूल जनसङ्ख्या ६७,२६२ अछि जहिमे पुरुषक सङ्ख्या ३४,६८४ आ महिलाक सङ्ख्या ३२,५७८ अछि । ई शहरक साक्षरता दर ७९.७१% अछि जहिमे पुरुषक साक्षरता दर ८८.४०% आ महिलाक साक्षरता दर ७०.२४% अछि ।[११] २०६८ कऽ राष्ट्रिय जनगणना प्रतिवेदन अनुसार राजविराजमे हिन्दू धर्मावलम्बी मुख्य धर्मक रूपमे अछि । मुख्यतया हिन्दू धर्म माननिहारक सङ्ख्या बेसी अछि । हिन्दू धर्मावलम्बीक सङ्ख्या ८७%, मुस्लिम धर्मावलम्बीक सङ्ख्या १०.८९%, जैन धर्मावलम्बीक सङ्ख्या १.२६% अछि तँ शिखक सङ्ख्या ०.६४% रहल अछि ।[११] राजविराज शहरमे विभिन्न जातजातिक लोकसभ बसोबास रहल अछि जहिमे कायस्थ, ब्राह्मण, राजपुत, वैश्य, तेली, यादव, बनिया, मारवाड़ी, थारू, लोहार, धानुक आदी अछि ।


राजविराजमे बाजल जाइवला मुख्य भाषा मैथिली छी जे मुख्यतया सम्पूर्ण वर्गक लोकसभद्वारा बाजल जाइत अछि । मैथिली भाषाक बाद सभ सँ बेसी बाजल जाइवला भाषा नेपाली छी । अन्य भाषासभ बहुत कम बाजल जाइत अछि ।[११]

मौसम[सम्पादन करी]

राजविराज नगरपालिकाक जलवायु उष्णकटिबन्धीय अछि । राजविराजक तीन मुख्य मौसम ग्रीष्म, मनसुनशरद अछि । नेपालक तराई क्षेत्रमे अवस्थित भेलाक कारण राजविराजक मौसम प्राय गरम होइत अछि ।[१२] ग्रीष्म ऋतु अप्रैलक सुरुवात संगे सुरू भ अगस्त धरि रहैत अछि आ ई समय ई शहरक तापक्रम २३ °से (७३ °फे) सँ ४४ °से (१११ °फे) धरि पहुँच जाइत अछि । मनसुनक आगमन जुलाईमे होइत अछि आ शरद ऋतुक आगमन अक्टुबरसँ होइत अछि तँ ई मार्च धरि रहैत अछि ।

ठण्डी मौसममे राजविराजक भ्रमण उपयुक्त रहैत अछि । पर्यटकसभ प्राय मध्य सितम्बरसँ अन्तिम मार्चमे एतय आबैलेल पोसन्द करैत अछि । समष्टिगत रूपमे जनवरीसभसँ ठण्डा महिना रहैत अछि तँ जुनसभसँ गरम महिना रहैत अछि ।

राजविराज नगरपालिका (१९८१-२०१२)-कऽ लेल मौसम जानकारी
महिना जन फर मार्च अप्रैल मई जुन जुलाई अगस्त सित अक्टु नव दिस वर्ष
अधिकतम °से (°फे) औषत २१٫५
(७१)
२५٫४
(७८)
२९٫९
(८६)
३३٫१
(९२)
३३٫७
(९३)
३१٫८
(८९)
३१٫७
(८९)
३१٫४
(८९)
३१٫०
(८८)
३०٫२
(८६)
२६٫२
(७९)
२४٫१
(७५)
२९٫१७
(८४٫६)
न्यूनतम °से (°फे) औषत ८٫०
(४६)
१०٫१
(५०)
१२٫६
(५५)
१८٫४
(६५)
२२٫३
(७२)
२४٫२
(७६)
२४٫६
(७६)
२४٫४
(७६)
२३٫६
(७४)
२०٫८
(६९)
१२٫४
(५४)
९٫२
(४९)
१७٫५५
(६३٫५)
औषत हिमपात/वर्षा मीमी (इञ्च) १२٫७
(०٫५)
१४٫२
(०٫५६)
१७٫२
(०٫६८)
५६٫१
(२٫२१)
१८९٫०
(७٫४४)
३२०٫४
(१२٫६१)
५४५٫८
(२१٫४९)
३८४٫३
(१५٫१३)
२९९٫८
(११٫८)
९२٫८
(३٫६५)
६٫८
(०٫२७)
५٫४
(०٫२१)
१,९४४٫५
(७६٫५५)
स्रोत: मौसम पूर्वानुमान विभाग, नेपाल[१३]


धार्मिक केन्द्रसभ[सम्पादन करी]

राजविराज नेपालक मुख्य शहरसभमे सँ बहुसङ्ख्यक हिन्दू धर्मावलम्बीसँ भरल शहर छी । एतय अवस्थित मन्दिरमे अधिकांश धार्मिक, सामाजिक आ सांस्कृतिक गतिविधि देखल जा सकैत अछि । राजविराज नगरक्षेत्रमे राजदेवी मन्दिर, भगवती मन्दिर, राधाकृष्ण मन्दिर, शिव मन्दिर, हनुमान मन्दिर लगायतक विभिन्न धार्मिक मठ, मन्दिर तथा देवस्थलसभ अछि । विजयादशमी, यमपञ्चक, तीज, होली, श्रीकृष्ण जन्माष्टमी, बुद्ध पूर्णिमा, ल्होसार, छठ, रामनवमी, इद, बकरिद तथा रमजान लगायतक पावनि तिहारसभ भव्य रूपमे मनाएल जाइवाला राजविराज नगरक्षेत्रक अपने प्रकारक विशेषता अछि ।

शैक्षिक संस्थानसभ[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "National Population and Housing Census 2011" (PDF)। National Planning Commission Secretariat, Central Bureau of Statistics (CBS), Government of Nepal। November 2012। मूल (PDF)सँ 2019-01-07 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-09-03 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "New Structure of Nepal" (PDF)। MOFALD, Government of Nepal। March 2017।
  3. "Details of Rural Municipal and Municipalities of Nepal" (PDF)। MOFALD, Government of Nepal। 13 September 2017।
  4. Rajbiraj revisited-NepaliTimes, अन्तिम पहुँच 2017-09-03
  5. Hamal, Lakshman B. (1995) (enमे). Military history of Nepal. Sharda Pustak Mandir. https://books.google.com.np/books?id=O3RuAAAAMAAJ&q=Rajbiraj+history&dq=Rajbiraj+history&hl=en&sa=X&redir_esc=y. 
  6. "Archive copy"मूलसँ 2016-09-14 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2017-07-02 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link)
  7. http://www.housingnepal.com/articles/display/rapid-urbanization-in-nepal-an-asset-or-liability
  8. Dāsa, Harikānta Lāla (2003) (neमे). Saptarī Jillākā pramukha sāṃskr̥tika sthalaharu: eka adhyayana : laghuanusandhānakārya. Nepāla Rājakīya Prajñā-Pratishṭhāna. https://books.google.com.np/books?id=xElQAQAAIAAJ&q=%25E0%25A4%25B0%25E0%25A4%25BE%25E0%25A4%259C%25E0%25A4%25A6%25E0%25A5%2587%25E0%25A4%25B5%25E0%25A5%2580+%25E0%25A4%25AE%25E0%25A4%25A8%25E0%25A5%258D%25E0%25A4%25A6%25E0%25A4%25BF%25E0%25A4%25B0&dq=%25E0%25A4%25B0%25E0%25A4%25BE%25E0%25A4%259C%25E0%25A4%25A6%25E0%25A5%2587%25E0%25A4%25B5%25E0%25A5%2580+%25E0%25A4%25AE%25E0%25A4%25A8%25E0%25A5%258D%25E0%25A4%25A6%25E0%25A4%25BF%25E0%25A4%25B0&hl=en&sa=X&redir_esc=y. 
  9. Today, News (१९ फाल्गुन २०७२, बुधबार २०:०४), राजविराजको राजदेवी मन्दिरः जहाँ भक्तजनको भाकल पुरा हुने जनविश्वास, अन्तिम पहुँच 2017-09-03 {{citation}}: |first= has generic name (help); Check date values in: |date= (help)
  10. Today, News (२५ माघ २०७२)। "नेपालको जयपुरे शहर राजविराज"। अन्तिम पहुँच 2019-05-27 {{cite web}}: |first= has generic name (help); Check date values in: |date= (help)
  11. ११.० ११.१ ११.२ ११.३ "National Population and Housing Census 2011" (PDF)Central Bureau of Statisticsमूल (PDF)सँ 1 August 2014 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 1 March 2014 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  12. "Rising Temperature"The Himalayan Times। अन्तिम पहुँच 6 June 2015
  13. "NORMALS FROM 1981-2012"। Department of Hydrology and Meteorology (Nepal)। अन्तिम पहुँच 20 October 2012

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]