राजविराज विमानस्थल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

राजविराज विमानस्थल
Rajbiraj Airport
आइएटिए: RJBआइसिएओ: VNRB
विवरण
विमानस्थल प्रकारसार्वजनिक
मालिकनेपाल सरकार
सञ्चालकनागरिक उड्डयन मन्त्रालय
सेवा करएवाला स्थानराजविराज, नेपाल
उन्नतांश समुन्द्र सतहसँ२५० फिट / ७६ मी
निर्देशाङ्क२६°३०′३१″उ॰ ८६°४४′१४″पू॰ / २६.५०८६१°N ८६.७३७२२°E / 26.50861; 86.73722निर्देशाङ्क: २६°३०′३१″उ॰ ८६°४४′१४″पू॰ / २६.५०८६१°N ८६.७३७२२°E / 26.50861; 86.73722
नक्सा
RJB नेपालपर अवस्थित
RJB
RJB
नेपालमे विमानस्थलक स्थान
धावनमार्ग
दिशा लम्बाई सतह
मी फिट
११/२९ १,५०० ४,९२१ अलकत्रा
स्रोत:[१][२]

राजविराज विमानस्थल (आइएटिए: RJBआइसिएओ: VNRB) नेपालक मधेश प्रदेश अवस्थित सप्तरी जिलाक सदरमोकाम राजविराज सँ ५ किलोमिटर दक्षिणमे अवस्थित विष्णुपुर गाउँपालिकामे रहल एक अन्तरदेशीय विमानस्थल छी । ई विमानस्थल राजविराज नगरवाशीसहित ई स्थान सँ नजदिकक क्षेत्रक वासिन्दासभकें सेवा पहुँचा रहल अछि ।[३][४]ई विमानस्थलमे १ टा अन्तरदेशीय टर्मिनल अछि । वर्तमान समयमे ई विमानस्थल नेपालक राजधानी शहर काठमाडौं सँ जुड़ल अछि । प्रदेश नं. २ मे रहल ३ टा अन्तरदेशीय विमानस्थलमे सँ एहो एक छी ।[५]

११ वर्षधरि पूर्ण रूप सँ बन्द रहलाक बाद विमानस्थल जाँच बुझ काजक लेल नव निर्माणाधीन धावनमार्ग पर श्री एयरलाइन्सक विमान सन् २०१८ मई २३ कऽ दिन सफल अवतरण केनए छल ।[६]

इतिहास

सन् १९५९ मे यातायात मन्त्री गणेशमान सिंहद्वारा आधिकारिक रूप सँ उद्घाटनक बाद कमजोर भौतिक संरचना आ कच्ची धावनमार्ग भेलाक कारण विमानस्थल बन्द भऽ गेल छल । अनेक प्रयासक बाद किछ दिन विमान सेवा सुचारू भेल मुदा धावनमार्गक समस्याक कारण विमान सेवा निरन्तर नै भऽ सकल । अन्तत: सन् २००७ मे सम्पूर्ण विमान सेवा ठप्प भऽ गेल छल ।[६]

आर्थिक वर्ष २०१५-१६ मे नेपाल नागरिक उड्डयन प्राधिकरणद्वारा ई विमानस्थलक पुनर्निर्माणक लेल ३० करोड़ ३० लाख ७४ हजार ५२८ नेपाली रुपैयाँ बजेट विनियोजित केनए छल ।[७][८] ई विमानस्थलक पुनर्निर्माणक काजक लेल सन् २०१६ अक्टोबरमे १.५ वर्षक भितर काज सम्पन्न करवाक प्रतिबद्धता सहित रमण, कान्छाराम, देव एण्ड सायर जेभी नामक कम्पनीकें ठेक्का प्रदान कएल गेल ।[९] विमानस्थलक कार्य सम्पन्न भेलाक बाद पहिल उद्घाटन विमान सेवा सन् २०१८ मई २३ मे श्री एयरलाइन्सद्वारा कएल गेल छल ।[१०]

सुविधा

ई विमानस्थल समुद्र सतह सँ २५० फिट (७६ मी) उपर अवस्थित अछि । सन् २०१८ मे धावनमार्गक पुनर्निर्माणक बाद ई विमानस्थलक कारीपत्रे धावनमार्गक लम्बाई १,५०० मिटर (४,९२१ फिट) कऽ भऽ गेल अछि ।[६]

विमान आ गन्तव्य

विमानगन्तव्य
श्री एयरलाइन्स काठमाडौं[११]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. Airport information for Rajbiraj, Nepal (VNRB / RJB) ग्रेट सर्कल म्यापरमे ।
  2. "Rajbiraj Airport runway finally constructed", The Himalayan Times, १६ अप्रैल २०१८, अन्तिम पहुँच १ मई २०१८ 
  3. "Rajbiraj Airport", Civil Aviation Authority of Nepal, अन्तिम पहुँच १ मई २०१८ 
  4. https://www.aviationnepal.com/shree-airlines-to-conduct-test-flight-for-rajbiraj-airport-with-crj-aircraft/
  5. "राजविराज विमानस्थल वैशाख अन्तिमदेखि सुचारु" (नेपालीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०७-०१ 
  6. ६.० ६.१ ६.२ "Rajbiraj Airport resumes operations after a decade", The Kathmandu Post, २५ मई २०१८, अन्तिम पहुँच २५ मई २०१८ 
  7. "News Rajbiraj, Nepal to reopen to traffic in mid-2Q18", ch-aviation, २५ अप्रैल २०१८, अन्तिम पहुँच १ मई २०१८ 
  8. "Rajbiraj Airport ready for test flight as the construction work completes", Aviation Nepal, अन्तिम पहुँच ३ मई २०१८ 
  9. "राजविराज विमानस्थल उडान भर्न तयार" (नेपालीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०७-०१ 
  10. "Rajbiraj Airport ready to welcome flights on May 3" (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१८-०५-२३ 
  11. "Shree Airlines preparing Rajbiraj flights starting from June 24", Aviation Nepal, अन्तिम पहुँच १९ जून २०१८ 

एहो सभ देखी

बाह्य जडीसभ

विमान सुरक्षा सञ्जालमे RJB / VNRB कऽ दुर्घटना इतिहास