सामग्री पर जाएँ

कृष्ण जन्माष्टमी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(श्रीकृष्ण जन्माष्टमीसँ पुनर्निर्देशित)
कृष्ण जन्माष्टमी
कृष्ण जन्माष्टमी
राधिकाक साथमे भगवान श्रीकृष्ण
अन्य नामजन्माष्टमी / दही हाडी /
समुदायहिन्दू
चिन्हसभक स्रोतधार्मिक
अनुष्ठान२-८ दिन धरि
पावनिसभव्रत, आरधना
तिथिभाद्र कृष्ण अष्टमी
सम्बन्धकृष्ण

कृष्ण जन्माष्टमीके सातम आठम, गोकुलष्टमी, अष्टमी रोहिनी, श्रीकृष्ण जयन्ती, श्री जयन्ती वा साधारण भाषामे जन्माष्टमी सेहो कहल जाइत अछि । भगवान विष्णुक आठम् अवतारक रूपमे श्री कृष्णक जन्मदिनक अवसरमे हिन्दूसभद्वारा मनाएल जाइवाला ई एक वार्षिक पर्व छी ।[] कृष्ण जन्माष्टमीमे हिन्दूसभ भगवान श्री कृष्णक पूजा-आराधना करैत श्रद्धा-भक्तिपूर्वक मनावैत अछि । ज्ञानयोग, कर्मयोग आ भक्तियोगक प्रणेता भगवान श्रीकृष्णक जन्म द्वापरयुगमे हिन्दू पञ्चाङ्ग अनुसार भाद्रकृष्ण अष्टमीक मध्यरातमे होएसँ आईके दिनमे श्रीकृष्ण जन्माष्टमी आ रातिके मोहरात्री कहल जाइत अछि। जन्माष्टमीक दिन हिन्दु बसोवास रहल क्षेत्रक कृष्ण मन्दिरसभमे भगवान् श्रीकृष्णक पूजा-आराधना, प्रवचन, भजन-कीर्तन करिके साथे विशेषकरि महिलासभ व्रत बसि रातिभर जाग्राम रहैवाला चलन अछि ।[] अन्याय, अत्याचार आ राक्षसी प्रवृत्तिसँ मानवमात्रक संरक्षण करैक लेल भगवान् विष्णुक आठम् अवतारक रूपमे जन्मल श्रीकृष्ण आजीवन सत्यक पक्षमे रहैत सत्कर्मक लेल मानव समुदायक प्रेरित केनए छल । कुरुक्षेत्रमे कौरवसभसँ लडाईमे संलग्न पाण्डवसभमेसँ अर्जुनक उपदेश दै के क्रममे स्वयं उनकर मुखारविन्दसँ व्यक्त श्रीमद्‍भागवत गीता हिन्दूसभक पवित्र ग्रन्थ मानल जाइत् अछि । बाल्यकालसँ ही अपन विचित्र लीला देखेने श्रीकृष्ण पुतना, कंस, जरासन्ध, शिशुपाल जेहन दानवी प्रवृत्तिक संहार केनए छल । जन्माष्टमीमे पाटनक मंगलबजारस्थित प्रसिद्ध कृष्ण मन्दिरमे बड्का मेला लगैत अछि। एही उपलक्ष्यमे काठमाडौंलगायत मुलुकक विभिन्न नगरक विभिन्न धार्मिक संघ/संस्थासभद्वारा श्रीकृष्णक झाँकीसहित शोभायात्रा निकालेके चलन अछि । भारतमे समेत विभिन्न समुदायक हिन्दू धर्मावलम्बीसभ कृष्णाष्टमी हर्षोल्लासक साथ मनावैत अछि ।[]

अनुष्ठान

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Sri Krishna Janamashtami celebrated in the city", The Hindu, २४ अगस्त २००८, मूलसँ २१ सितम्बर २०१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १२ अगस्त २००९ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  2. "In Pictures: People Celebrating Janmashtami in India", अन्तिम पहुँच १० अगस्त २०१२
  3. Packert, Cynthia. The Art of Loving Krishna: Ornamentation and Devotion. Indiana University Press, 2010. Print.

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]


एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]