दीपावली

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एतय जाए: भ्रमण, खोज
दीपावली
Deepavali
दीपावली Deepavali
दीपावलीमे रङ्गोली सजावट
अन्य नाम दिवाली
समुदाय हिन्दू, सिख, जैनबौद्ध[१]
प्रकार सांस्कृतिक आ धार्मिक
अनुष्ठान दीया आ प्रकाश, घर सजावट, खरिददारी, पूजा (आराधना), उपहार, धार्मिक रितिरिवाजक प्रदर्शन, आतिशबाजी, भोज आ मिठाई
आरम्भ धनतेरस, दीपावलीसँ २ दिन पहिने
समापन भाई द्वितीया, दीपावलीक २ दिन बाद
तिथि हिन्दू क्यालेन्डर अनुसार
२०१७ मे १९ अक्टुबर (बृहस्पति दिन)[२]
१८ अक्टुबर (बुध दिन) दक्षिण भारतमे[२]
समबन्ध काली पूजा, गलुङ्गन, दिवाली (जैन), बन्दी छोड़ दिवस, तिहार, स्वान्ति

दीपावाली वा दीवली अर्थात इजोतक पावनि शरद ऋतु (उत्तरी गोलार्द्ध)मे प्रत्येक वर्ष मनायल जाइवला एक प्राचीन हिन्दू पावनि छी ।[३][४] दीपावाली भारतक सबसँ पैग आ प्रतिभाशाली पावनिसभमे सँ एक छी । ई पावनि आध्यात्मिक रूपसँ अन्धकार पर प्रकाशक विजयकें दर्शावैत अछि ।[५][६] भारतवर्षमे मनाए जाइवला सम्पूर्ण पावनिसभमे दीपावलीकें सामाजिक आ धार्मिक दुनू दृष्टिसँ अत्यधिक महत्त्व अछि । एकरा दीपोत्सव सेहो कहल जाइत अछि । तमसो मा ज्योतिर्गमय अर्थात अन्धकारसँ ज्योति अर्थात प्रकाशक दिस चली ई उपनिषदसभक आज्ञा छी । एकरा सिख, बौद्ध तथा जैन धर्मक लोक सेहो मनावैत अछि । जैन धर्मक लोक एकरा महावीरक मोक्ष दिवसक रूपमे मनावैत अछि[७][८] तथा सिख समुदाय एकरा बन्दी छोड़ दिवसक रूपमे मनावैत अछि ।

मानल जाइत अछि कि दीपावलीक दिन अयोध्याक राजा श्री रामचन्द्र अपन चौदह वर्षक वनवासक पश्चात घर वापस आएल छल ।[९] अयोध्यावासिसभक ह्रदय अपन परम प्रिय राजाक आगमनसँ उल्लसित छल । श्री रामक स्वागतमे अयोध्यावासिसभ घीक दीप जलेने छल । कातिक मासक सघन कारी अमावस्याक ओ रात्रि दीपक रोशनीसँ जगमग भऽ गेल । तहियासँ आईधरि भारत आ नेपालमे प्रति वर्ष ई प्रकाश-पावनि हर्ष आ उल्लाससँ मनाएल जाइत अछि । ई पावनि अधिकतर ग्रेगोरियन क्यालेन्डरक अनुसार अक्टुबर वा नवम्बर महिनामे मनाएल जाइत अछि । दीपावली दीपसभक पावनि छी । भारतीयसभक विश्वास अछि की सत्यक सदा जीत होइत अछि आ झूठक नाश होइत अछि । दीपावाली याह चरितार्थ करैत अछि- असतो माऽ सद्गमय, तमसो माऽ ज्योतिर्गमय । दीपावली स्वच्छता आ प्रकाशक पर्व छी । कयन सप्ताह पूर्वेसँ दीपावली कऽ तैयारी आरम्भ भऽ जाइत अछि । लोक अपन घरसभ, दोकानसभ आदि कऽ सफाई कार्य आरम्भ करि देत अछि । घरसभमे मरम्मत, रङ्ग-रोगन, सफेदी आदि कार्य होमए लागैत अछि । लोकसभ अपन अपन दोकानकें सेहो साफ सुथरा करि सजावैत अछि ।

दीपावाली नेपाल, भारत,[१०] श्रीलंका, म्यानमार, मरिसस, गुयाना, त्रिनिदाद आ टोबैगो, सुरीनाम, मलेसिया, सिङ्गापुर, फिजी, पाकिस्तानअस्ट्रेलियाक बाहरी सीमामे अवस्थित क्रिसमस द्वीपमे मनाएल जाइत अछि ।

दिपावाली उत्सव
Deepawali-festival.jpg
नर्क चतुर्दशीक रातिमे घर भितर दीपसँ कएल गेल सजावट
Diya necklace Dipavali Diwali November 2013.jpg
दिवालीक रातिमे दीपसँ कएल गेल बाहरी सजावट
Aakash Kandils Diwali lighting Pune India 2013.jpg
महाराष्ट्रमे धनतेरससँ पहिने दिवालीक इजोत
Glowing Swayambhu (3005358416).jpg
दिवाली (तिहार)क लेल जगमग एक नेपाली मन्दिर
Diwali fireworks and lighting celebrations India 2012.jpg
अमृतसरमे दिवाली उत्सव
Fireworks Diwali Chennai India November 2013 b.jpg
दिवालीक रातिमे चेन्नईमे कएल गेल आतिशबाजी
Ganga At Nibi Gaharwar.jpg
ग्रामीण उत्सव – गङ्गा नदीमे दीप
Sweets Mithai for Diwali and other Festivals of India.jpg
दिवाली मिठाई
दिवाली नजारा, आतिशबाजी, कला, आ स्वादक पावनि छी । जे देश आ प्रान्तानुसार भिन्नता पायल जाइत अछि ।

शब्द उत्पति[सम्पादन करी]

इतिहास[सम्पादन करी]

महत्व[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Charles M Townsend, The Oxford Handbook of Sikh Studies, Oxford University Press, ISBN 978-0199699308, page 440
  2. २.० २.१ "Holiday calendar", National Portal of India, अभिगमन तिथि २७ अक्टुबर २०१६ 
  3. The New Oxford Dictionary of English (1998) ISBN 0-19-861263-X – p.540 "Diwali /dɪwɑːli/ (also Divali) noun a Hindu festival with lights...".
  4. Diwali Encyclopedia Britannica (2009)
  5. Jean Mead, How and why Do Hindus Celebrate Divali?, ISBN 978-0-237-534-127
  6. Vera, Zak (February 2010). Invisible River: Sir Richard's Last Mission. आइएसबिएन 978-1-4389-0020-9. http://books.google.com/?id=8HhVcspIBU4C&pg=PA179&dq=lamps+kept+on+diwali+lakshmi+evil+spirit#v=fjhfgyuiuyuiyuuiyii99wtwtyeryyywruiuhyuiyy&q&f=false. अन्तिम पहुँच तिथि: 26 October 2011. "First Diwali day called Dhanteras or wealth worship. We perform Laskshmi-Puja in evening when clay diyas lighted to drive away shadows of evil spirits." 
  7. Sharma, S.P.; Gupta, Seema (2006). Fairs and Festivals of India. Pustak Mahal. प॰ 79. आइएसबिएन 978-81-223-0951-5. http://books.google.com/?id=wPPr9HdmnHcC&pg=PA79&dq=diwali+mahavira+527. 
  8. Upadhye, A. N. (Jan–Mar १९८२), "Mahavira and His Teachings", in Cohen, Richard J., Journal of the American Oriental Society (American Oriental Society) 102 (1): 231–232, जेएसटिओआर 601199, डिओआई:10.2307/601199 
  9. Ramcharitmanas, Uttarkand
  10. "Indian Government Holiday Calendar", National Portal of India, अभिगमन तिथि १५ मार्च २०१० 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]