इटहरी उपमहानगरपालिका

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एतय जाए: भ्रमण, खोज
इटहरी
Itahari

पूर्वाञ्चलक हृदय
उपमहानगरपालिका
इटहरीक सुन्दर दृश्य
इटहरीक सुन्दर दृश्य
आदर्श वाक्य: हरियाली, शान्त, हरियर शहर इटहरी, नेपालक प्रदुषणमुक्त शहर
देश  नेपाल
अञ्चल कोशी अञ्चल
जिला सुनसरी जिला
उपमहानगरपालिका घोषित वि.स. २०७१ मङ्सिर १७
सरकार
 • प्रकार उपमहानगरपालिका
 • मेयर द्वारिक लाल चौधरी
क्षेत्रफल
 • सम्पूर्ण ८७.३३०१ किमी (३३.७१८३ वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या (२०११)
 • सम्पूर्ण १,४०,८०१
मूलवासी नाम इटहरीवासी
समय क्षेत्र नेपालक प्रमाणिक समय (युटिसी+५:४५)
पोस्टल कोड ५६७०५
टेलिफोन कोड ०२५
वेबसाइट http://itaharimun.gov.np

इटहरी उपमहानगरपालिका सुनसरीमे अवस्थित एक उपमहानगरपालिका छी ।[१] [२] ई तीव्र गतिमे विकसित होमएवला पूर्वी नेपालक व्यापारिक तथा यातयातक केन्द्रबिन्दु शहर छी । ई शहर धरान शहरक दक्षिणमे आ बिराटनगरसँ उत्तरमे रहल अछि । एतय अञ्चल यातायात कार्यालय, क्षेत्रिय ट्राफिक कार्यालय, अान्तरिक राजस्व कार्यालय, अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धानक कार्यालयक साथ किछु इलाका स्तरीय कार्यलयसभ सहो अछि । साथे ई शहरमे काठमाडौंक बाद भव्य गगनचुम्बी महलसभ देख सकैत छी । ई शहरक लोकप्रियताक कारण बहुतरास सरकारी संस्थासभ अपन कार्यालय इटहरीमे रखवाक लेल प्रयास कऽ रहल अछि । नेपाल टेलिभिजन सहो एतय अपन कार्यालय स्थापना करैवाला अछि । ई शहरमे लगभग १ लाख ६० हजार लोकसभ बसोबास करैत अछि आ जनसङ्ख्या वृद्धिदर तीव्र गतिमे बढिरहल अछि । इटहरी उपमहानगरपालिका रूपमे वि.सं. २०७१ साल अगहन १६ गते नगरपालिकासँ उपमहानगरपालिकाक लेल आवश्यक प्रक्रिया पूरा करि उपमहानगरपालिका घोषणा भेल अछि । इटहरीक उपमहानगरपालिका घोषित करैत काल एहिमे एकम्बा, खनार, पकली तथा हाँसपोसा गाविसक समावेश करि एकरा उपमहानगरपालिका घोषणा कएल गेल अछि । नगरपालिका होइत काल तँ एतय पहिल बेर सर्वध्वज साँवा प्रमुख आ रेवतीरमण भण्डारी उपप्रमुख भेल छल तँ एहिसँ पहिने प्रमुख आ उपप्रमुखमे क्रमशः स्वर्गीय गीतानिधि रायमाझी आ नुरमहमद मियाँ भेल छल । रायमाझीक तत्कालिन समयमे माओवादीले गोली मारि हत्या केनए छल । इटहरी उपमहानगरपालिका क्षेत्रमे वि.सं. २०६८ सालक जनगणना अनुसार उपमहानगरपालिका भऽ गेलाक बाद एकम्वा, खनार, पकली तथा हाँसपोसा गाविससभ करि एतयक कुल जनसङ्ख्या १,४१,५१७ सँ अधिक पहुँचल अछि ।[३][४] एतय ३३ हजार ७९४ घरपरिवार बसोवास करैत अछि । नगरमे २६ वडा अछि । समुद्र सतहसँ ११६ सँ १६४ मिटरधरिक उचाई आ कुल चारि हजार १७७ हेक्टरमे फैलल इटहरी नगरक्षेत्रमे आवास तथा व्यापारिक क्षेत्र ३० हेक्टरसँ अधिक जमीनमे फैलल अछि । इटहरीमे २ डि. सँ १२ डि. धरि क्षमता भेल सिनेमा हलसभ, सपिङ्ग मलसभ, पार्कसभ, व्यवस्थित स्टार होटलसभ, क्षेत्रीय रङ्गशाला (अन्तराष्ट्रियस्तरक निर्माणाधिन), स्थानिय सञ्चारमाध्यमसभ (एफएम, पत्रिका, टिभी, अनलाइन न्युज) अादिसभ सुविधा तथा मापदण्डसभ अछि, जे एकटा शहरक लेल अपरिहार्य होइत अछि । भौगोलिक रुपमे इटहरी तँ समथर भुभागमे अवस्थित अछि, सप्तकोशी एतयसँ २० किलोमिटर दूर रहल अछि, जे ठामक चक्रघट्टी कहल जाइत अछि । इटहरीसँ उत्तरमे १२ किलोमिटरक दुरिमे धरान उपमहानगरपालिका रहल अछि, दक्षिणमे २२ किलोमिटरक दुरीमे बिराटनगर उपमाहानगरपालिका रहल अछि, पुर्वमे छोट-बड बहुतरास शहरसभ अछि (सुन्दर दुलारी नगरपालिका, बिराटचौक, बेलवारी, पथरी शनिश्चरे नगरपालिका, उर्लावारी नगरपालिका, दमक, बिर्तामोड नगरपालिका, काकडभिट्टा) तहिना पश्चिममे रामधुनी-भासी नगरपालिका, इनरूवा नगरपालिका रहल अछि ।

इतिहास आ नामाकरण

पूर्वाञ्चलक सङ्गमस्थलक रूपमे महेन्द्र राजमार्ग खुललाक बाद चर्चामे आएल इटहरी नगरक नामकरण एतय रहल आदिवासी थारूसभक बोलीचालीसँ भेल स्थानीय बुढपूरानसभक कथन अछि । पहिनेसँ ई ठाममे ईट्टाक प्रयोग होइत आएल प्रमाण एतयसँ भेटल प्राचीन मुल्तानी सिक्का आ इटासँ बुझाएत अछि । वर्तमान इटहरी नगर पहिने राणा परिवारक मौजा रहल छल । राणा शासनकालक उत्तरार्धमे अपराधिक सजाय दैकऽ नियतसँ ईट्टा आ काठ मिलाए बनाएल 'तुरूङ' (कदमक चाप भितर राखि सजाय दैकऽ एक साधन) निर्माण कएल गेल छल । एतय रहल आदिवासी थारूसभक भाषामे ईट्टाक 'ईट' आ काठसँ बनल तुरूङक 'हरि' कहल जाइत अछि । एवम रुपसँ 'ईट' आ 'हरि' मिल 'इटहरी' नाम रहल गेल एतय रहल बुढपूरानसभक कथन अछि । थारू समुदाय इटहरीक सबसँ पुरान समुदाय छी । ई शहरक निर्माणक कोनो स्पष्ट तिथि नै अछि ।[५] थारू समुदायक लोकसभ ई शहरक विकासमे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह केनए अछि । किछ पुरान थारूसभ लग ५०० विघासँ बेसी इटहरी शहरक भूमि छल । टेक नारायण चौधरी आ धनुषधारी चौधरी जका किछ थारू जमीन मालिक आई एतय अवस्थित इटहरी उपमहानगरपालिका कार्यालयक निर्माणक लेल भूमि दान केनए अछि । कयन अन्य थारू जमीन मालिकसभ इटहरी शहरक विकासक लेल भूमि, पोखरि आदि दान केनए अछि । धरान-बिराटनगर राजमार्ग (भक्ति राजमार्ग) आ पूर्व-पश्चिम राजमार्गक निर्माणक बाद इटहरीमे देशक विभिन्न भागसँ लोकसभ आकर्षित भऽ रहल अछि । वि.सं. २०७१ साल अगहन १६ गते इटहरीकें नगरपालिकासँ उपमहानगरपालिकामे पदोन्नति कएल गेल छल ।[६]

भूगोल

नेपालक पूर्वी क्षेत्रमे अवस्थित ई शहर तीव्र गतिसँ महानगरीय क्षेत्रक रूपमे विकसित भऽ रहल अछि । पहाड़क कोशी राजमार्ग आ तराई कऽ महेन्द्र राजमार्गसँ जुड़ल भेलाक कारण इटहरी तीव्र गतिसँ विस्तार भऽ रहल अछि । एहि कारण इटहरी पूर्वी नेपालक एक महत्वपूर्ण यातायातक केन्द्रक रूपमे जानल जाइत अछि ।[७][८] इटहरी उपजाऊ तराई क्षेत्रमे अवस्थित अछि । इटहरी शहरक मध्य भागसँ दुई टा छोट नदीसभ, सुनसरी खोला आ टेङ्ग्रा खोला प्रवाहित होइत अछि । एकर पूर्वी सीमासँ प्रवाहित होमएवला बुढी खोला जे सुनसरी खोला आ टेङ्ग्रा खोलासँ आकारमे बहुत पैग अछि, सुनसरी जिलामोरङ जिलाकें राजनैतिक रूपसँ विभाजित करैत अछि । इटहरी शहरक उत्तरमे नेपालक चर्कोझ झाड़ीक रूपमे जानल जाइवला एक घना वन क्षेत्र अछि ।

परिवहन

इटहरीमे रहल महेन्द्र राजमार्ग

इटहरीसँ काठमाडौं आ नेपालक अन्य मुख्य शहरसभ सड़क यातायातसँ जुडल अछि ।

  • सड़कसेवा: राजधानी शहर काठमाडौंसँ बिराटनगर लगभग ४७८ किलोमिटर (३०० माइल)क दूरीमे अछि । इटहरी शहर धरान, बिराटनगरधनकुटा लगायत नेपालक पूर्वी क्षेत्र आ अन्य क्षेत्रक सड़कसेवासँ निक जका जुड़ल अछि ।
  • सिमापार: भारतक राज्य बिहारसँ लगभग २७ किलोमिटर (१७ माइल)क उत्तरमे इटहरी अवस्थित अछि । भारतक अररिया जिलाक जोगबनीमे रेल लाइन समाप्त होइत अछि । एतयसँ कटिहार, कोलकातानयाँ दिल्लीक लेल सीधा रेल सेवा उपलब्ध अछि । भारत आ नेपालक ई क्षेत्रमे राजश्व केन्द्र स्थापित अछि । नेपाली आ भारतीय लोकसभ निकसँ आवतजावत करैत अछि ।
  • शहर भितर: साइकल, मोटर सवारी, रिक्सा आ ट्याक्सीसभ शहरमे चलैत अछि । शहरसँ बाहर यात्राक लेल अटो रिक्सा (टेम्पो)उपलब्ध अछि । सिटी सफारी आ विद्युतीय रिक्सा इटहरीक सम्पूर्ण भागमे जुड़ल अछि जे सर्वसुलभ आ वातावरण मैत्री अछि ।

लोकसभ

एतय नौ हजार ७९१ घरपरिवार बसोवास करैत अछि । ई नगरमे विभिन्न जातजाति तथा धर्म-संस्कृतिक लोकसभक बसोवास रहल अछि । ब्राहृमण, क्षेत्री, नेवार, राई, लिम्बु, गुरुङ, तामाङ, मुसहर, मुसलमान, चौधरी तथा थारूक मुख्य बसोवास रहल इटहरी उपमहानगर क्षेत्रमे मुख्य भाषाक रूपमे नेपाली, थारू, मैथिली, राई, लिम्बु, तामाङ, सुनुवारनेवारी भाषा बाजल जाइत अछि ।

धार्मिक केन्द्रसभ

इटहरी नेपालक मुख्य शहरसभमे सँ बहुसङ्ख्यक हिन्दू धर्मावलम्बीसँ भरल शहर छी । एतय अवस्थित मन्दिरमे अधिकांश धार्मिक, सामाजिक आ सांस्कृतिक गतिविधि देखल जा सकैत अछि । इटहरी नगरक्षेत्रमे कृष्ण प्रणामी मन्दिर, राधाकृष्ण मन्दिर, मानवधर्म सेवा समिति, शिव मन्दिर, दक्षिणकाली मन्दिर, मनकामना मन्दिरलगायत विभिन्न धार्मिक मठ, मन्दिर तथा देवस्थलसभ अछि । विजयादशमी, यमपञ्चक, तीज, होली, श्रीकृष्ण जन्माष्टमी, बुद्ध पूर्णिमा, ल्होसार, छठ, रामनवमी, इद, बकरिद तथा रमजान लगायतक पावनि तिहारसभ भव्य रूपमे मनाएल जाइवाला इटहरी नगरक्षेत्रक अपने प्रकारक विशेषता अछि । इटहरी शहरमे आ बाहरी इलाकासभमे अनेकन अन्य मन्दिर अछि ।

मौसम

ठण्डी मौसममे इटहरीक तापक्रम १०-१८ डिग्री सेन्टिग्रेड होइत अछि तँ गर्मी मौसममे ३०-४२.३ डिग्री सेन्टिग्रेड तापक्रम होइत अछि ।[९][१०]

इटहरी (१९८५-२०१७)-कऽ लेल मौसम जानकारी
महिना जन फर मार्च अप्रैल मई जुन जुलाई अगस्त सित अक्टु नव दिस वर्ष
अधिकतम °से (°फे) औषत २२٫७
(७३)
२६٫१
(७९)
३०٫९
(८८)
३३٫९
(९३)
३३٫३
(९२)
३२٫९
(९१)
३२٫१
(९०)
३२٫५
(९१)
३२٫१
(९०)
३१٫६
(८९)
२९٫३
(८५)
२५٫४
(७८)
३०٫२
(८६)
दैनिक औषत °से (°फे) १५٫८
(६०)
१८٫६
(६५)
२३٫३
(७४)
२७٫१
(८१)
२८٫३
(८३)
२९٫०
(८४)
२८٫८
(८४)
२९٫२
(८५)
२८٫४
(८३)
२६٫४
(८०)
२२٫३
(७२)
१८٫०
(६४)
२४٫६
(७६)
न्यूनतम °से (°फे) औषत ९٫०
(४८)
११٫१
(५२)
१५٫६
(६०)
२०٫४
(६९)
२३٫३
(७४)
२५٫२
(७७)
२५٫६
(७८)
२५٫८
(७८)
२४٫७
(७६)
२१٫१
(७०)
१५٫३
(६०)
१०٫५
(५१)
१९٫०
(६६)
औषत हिमपात/वर्षा मीमी (इञ्च) ११٫७
(०٫४६)
१३٫२
(०٫५२)
१३٫२
(०٫५२)
५३٫१
(२٫०९)
१८६٫०
(७٫३२)
३०२٫४
(११٫९१)
५३०٫८
(२०٫९)
३७८٫३
(१४٫८९)
२९८٫८
(११٫७६)
९१٫८
(३٫६१)
५٫९
(०٫२३)
६٫६
(०٫२६)
१,८९१٫८
(७४٫४७)
स्रोत: जल तथा मौसम पूर्वानुमान विभाग (नेपाल)[११]

बजार

इटहरीमे विभिन्न विभागीय दोकान आ डिपार्टमेन्ट स्टोर्सक स्थापना कएल गेल अछि । गोरखा डिपार्टमेन्ट स्टोर सम्पूर्ण डिपार्टमेन्ट स्टोरसभमे सभसँ पैग अछि । भूतपूर्व गोरखा डिपार्टमेन्ट स्टोर, सनराइज डिपार्टमेन्टल स्टोर आ अन्य डिपार्टमेन्ट स्टोर्स एतय स्थापना कएल गेल लोकप्रिय स्टोर्स छी । रविदिन आ बुधदिन इटहरीमे स्थानीय हटिया लगैत अछि । हटियामे तरकारी, कपड़ा, खाद्य पदार्थ आ अन्य दैनिक आवश्यकताक वस्तुसभ खरिद विक्री कएल जाइत अछि ।[१२]

मिडिया

शिक्षा

साहित्य

पार्कसभ/मनोरञ्जन केन्द्रसभ

Ocean water park itahari.
ओसियन वाटर पार्क, इटहरी

इटहरी शहरमे किछ पार्क, वनभोज केन्द्र आ मनोरञ्जन केन्द्रसभ रहल अछि । किछ मुख्य मनोरञ्जन केन्द्रसभ निम्न अछि:

  • ताल तलैया: पार्क आ वनभोज केन्द्र ।
  • बेतना सिमसार: सिमसार क्षेत्र आ नौका विहारक लेल छोट प्राकृतिक पोखरि । ई इटहरीसँग २० किमी दुर बेलबारीमे अछि ।
  • हसिना सिमसार: सिमसार क्षेत्र, पार्क आ वनभोज केन्द्र । ई इटहरीसँग १२ किमी दुर सुन्दर दुलारीमे अछि ।
  • गोकुलम रिसोर्ट: पार्क आ मनोरम रिसोर्ट ।
  • आई सिनेमा: देशक आधुनिक सिनेमा घर ।
  • ओसियन पार्क: बच्चाक लेल पार्क ।[१३]

खेल

हरेक वर्ष इटहरीमे विभिन्न स्थानीय आ क्षेत्रीय स्तरक खेल प्रतियोगिता आयोजित कएल जाइत अछि । क्षेत्रीय खेल स्टेडियम पूर्वाञ्चल स्टेडियम निर्माणाधीन अछि । राष्ट्रिय जागृति क्लब (राजा क्लब) इटहरीक एक अग्रणी क्लब छी । इटहरीमे कयन फिटनेस आ जिम केन्द्र अछि । फुटबल, क्रिकेट, भलिबल, बास्केटबल, टेबल टेनिस सबसँ लोकप्रिय खेल छी । इटहरी शहर नेपाल राष्ट्रिय फुटबल टिमक लेल सुरेन्द्र तमाङ जका स्टार खेलाडी देनए अछि ।[१४][१५]

सुरक्षा

धर्म आ संस्कृति

महत्वपूर्ण व्यक्तित्वसभ

  • द्वारिक लाल चौधरी, मेयर [१६]
  • लक्ष्मी गौतम, उप-मेयर
  • सर्वध्वज साम्बा, भूतपूर्व मेयर
  • टेक नारायण चौधरी, प्रसिद्ध जमिनदार
  • धनुषधारी चौधरी, प्रसिद्ध जमिनदार

चित्र दीर्घा

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. "६१ वटा नगरपालिका र ७ वटा उपमहानगरपालिका थप (सूचीसहित)", अभिगमन तिथि मंसिर १६,२०७१ 
  2. "६१ नगरपालिका र ७ उपमहानगरपालिका घोषणा (नाम र गाभिएका गाविससहित", अभिगमन तिथि मंसिर १६,२०७१ 
  3. "Nepal Census 2001", Nepal's Village Development Committees, Digital Himalaya, अभिगमन तिथि २ दिसम्बर २००८ 
  4. "Itahari Sub-Metropolitan city" 
  5. इटहरीको इतिहास खोजी, अभिगमन तिथि २०१७-०८-२८ 
  6. Lamsal, Krishnabinod (२०१५-१०-०९) [१९९८], "Mr", Itahari 1 (1): २३। 
  7. २२ नयाँ शहर निर्माण तीव्र गतिमा - आर्थिक अभियान राष्ट्रिय दैनिक, अभिगमन तिथि २०१७-०८-२८ 
  8. विकासको पथमा लम्किँदै शताब्दी पुरानो सहर - Karobar National Economic Daily (नेपालीमे), अभिगमन तिथि २०१७-०८-२८ 
  9. "Archived copy", मूलसँ २०१६-०३-०४-के सङ्ग्रहित, अभिगमन तिथि २०१६-०२-२७ 
  10. Itahari Monthly Climate Averages, अभिगमन तिथि २०१७-०८-३१ 
  11. "Normals from 1985-2017", Department of Hydrology and Meteorology (Nepal), अभिगमन तिथि २० अक्टुबर २०१२ 
  12. "Itahari businesspersons defy bandh - The Himalayan Times", The Himalayan Times (अङ्ग्रेजीमे), २०१५-०८-२४, अभिगमन तिथि २०१७-०८-३१ 
  13. http://www.myrepublica.com/news/21062/
  14. "Former footballer disheartened by same old conditions of players", My Republica (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०१७-०८-३१ 
  15. Suresh Adhikari provide Football in Itahari., २०१५-०६-२४, अभिगमन तिथि २०१७-०८-३१ 
  16. http://itaharimun.gov.np/en/content/dwarik-lal-chaudhary

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी