मनाङ जिला
मनाङ Manang District | |
---|---|
जिला | |
![]() मनाङ जिला अवस्थित एकटा गामक दृश्य | |
![]() नेपालक नक्शाम मनाङ जिला (लाल) | |
निर्देशाङ्क (मनाङ): २८°३३′७″उ॰ ८४°१४′२७″पू॰ / २८.५५१९४°N ८४.२४०८३°Eनिर्देशाङ्क: २८°३३′७″उ॰ ८४°१४′२७″पू॰ / २८.५५१९४°N ८४.२४०८३°E[१] | |
देश | ![]() |
विकास क्षेत्र | पश्चिमाञ्चल |
अञ्चल | गण्डकी अञ्चल |
जिला | मनाङ जिला |
सदरमुकाम | चामे |
क्षेत्रफल[२] | |
• सम्पूर्ण | २२४६ किमी२ (८६७ वर्गमाइल) |
उच्चतम उँचाई | ८१६३ मिटर (२६७८१ फिट) |
न्युनतम उँचाई | १८८० मिटर (६१७० फिट) |
जनसङ्ख्या (वि. सं. २०६८)नेपालक राष्ट्रिय जनगणना[२][३] | |
• सम्पूर्ण | ६,५३८ |
• घनत्व | ३/किमी२ (८/वर्ग माइल) |
जातीयता | |
• मुख्य जातीयता | ब्राह्मण, घले, लिम्बु, भोटे, शेर्पा |
भाषा | |
• मुख्य भाषासभ | नेपाली, लिम्बु, शेर्पा, राई भाषा |
समय क्षेत्र | नेपालक प्रमाणिक समय (युटिसी+५:४५) |
टेलिफोन कोड | +९७७-६६ |
गाविस संख्या | १३ |
नगरपालिका | चामे |
वेबसाइट | ddcmanang.gov.np |
(नेपाल सम्बन्धी लेखक अंश) |
प्रशासनिक विभाजन |
---|
![]() |
नेपाल पोर्टल हिमालय पोर्टल |
मनाङ नेपालक गण्डकी प्रदेशमे अवस्थित हिमालय पारक एक सुन्दर जिला छी । नेपाल सरकारक मापदण्ड अनुसार अति दुर्गम जिला अर्थात "क" वर्गक जिलाक रूपमे मनाङ रहल अछि ।[४]
नामाकरण[सम्पादन करी]
मनाङ् शब्द तिब्बती भाषाक "म्हनाङ्" शब्दसँ अपभ्रंश भऽ राखल गेल अछि । तिब्बती भाषामे "म्ह" कऽ अर्थ सहायता आ "नाङ" कऽ अर्थ देनिहार होएत अछि । बिकट भौगोलिक परिवेशमे रहल आ वाह्य सहयोग बिना जनजीवन अत्यन्त कष्टकर रहल अर्थमे बुझल जाएत अछि ।
इतिहास[सम्पादन करी]
सन् १७८१ मे रणबहादुर शाहक शासनकालमे नेपाल राज्यक एकिकरण होमए सँ पहिने ई जिला लमजुङ राज्यक एक अङ्गक रूपमे रहल छल । पाछा ई जिला पश्चिम ३ नं. गोश्वारा अन्तर्गत पोखरा स्थित बडाहाकिमक अन्तर्गत राखि प्रशासन सञ्चालन कएल गेल । बि.सं. २०१८ सालमे नेपालकें १४ अञ्चल ७५ जिलामे बिभाजन करैत कालमे एकरा गण्डकी अञ्चल अन्तर्गत एकटा अलग जिलाक रूपमे स्थापित कएल गेल छल ।[१]
जनसङ्ख्या[सम्पादन करी]
राष्ट्रिय जनगणना २०६८ अनुसार मनाङ जिलाक कूल जनसङ्ख्या ६,५३८ अछि जहिमे पुरुष ३,६६१ टा आ महिला २,८७७ टा रहल अछि ।[२][३]
चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]
सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ १.० १.१ "जिल्ला विकास समिति, मनाङ (तथ्याङकीय जानकारी)", जिल्ला विकास समिति, मनाङ, http://www.ddcmanang.gov.np/index.php?page=page&cid=1&id=78।
- ↑ २.० २.१ २.२ "नेपालका जिल्लाहरुको सम्पूर्ण विवरण (जनसंख्या, क्षेत्रफल, सदरमुकाम )", http://www.statoids.com/ynp.html।
- ↑ ३.० ३.१ "नेपालको राष्ट्रिय जनगणना २०६८ (गाविस तह)", राष्ट्रिय योजना आयोग, नेपाल सरकार, नोभेम्बर २०१२, अन्तिम पहुँच नोभेम्बर २०१२।
- ↑ "मनाङ जिल्ला"।
बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास मनाङ जिलासँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |