महोत्तरी जिला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
महोत्तरी जिला
Mahottari District
जिला
NepalMahottariDistrictmap.png
देश नेपाल
प्रदेशमध्यमाञ्चल
अञ्चलजनकपुर
भौगोलिक अवस्थितितराई
गाउँपालिका सङ्ख्या७०
नगरपालिका सङ्ख्या
सदरमुकामजलेश्वर
क्षेत्रफल
 • सम्पूर्ण१००२ किमी (३८७ वर्गमाइल)
जनसङ्ख्या (२०६८[१])
 • सम्पूर्ण६,२७,५८०
 • घनत्व६३०/किमी (१६००/वर्ग माइल)
समय क्षेत्रनेपालक प्रमाणिक समय (युटिसी+५:४५)
टेलिफोन कोड०४४
मुख्य भाषासभमैथिलीनेपाली
वेबसाइटwww.ddcmahottari.gov.np

महोत्तरी नेपालक मध्यमाञ्चल विकास क्षेत्रक जनकपुर अञ्चलमे अवस्थित जिला छी । ई जिला नेपालक कूल भूभागक ०.६८% क्षेत्रफल आ कूल जनसङ्ख्याक लगभग २.३९% भाग ओगटने अछि । जनघनत्वक हिसाब सँ नेपालमे महोत्तरी जिला पाँचम् स्थानमे अछि । हिन्दू आ मुस्लिम धर्माबलम्बीक बाहुल्य रहल ई जिलामे बहुतेक-कम करि ९२ जातजातीक बसोबास रहल अछि। ई जिलामे जीवन निर्वाहक प्रमुख स्रोत कृषि पेशा छी । खेतीयोग्य उर्बर भूमि, विद्युत उपलब्धता, सुगम भौगोलिक अवस्था, वनजङ्गल, नदीनाला तथा खुला भारतीय सिमाना जोका विकासक अवसर तथा सम्भावना भेला बादो स्रोतसाधनक समुचित सदुपयोग नै भेला कारण राष्ट्रिय परिवेशमे तराईके पिछडल क्षेत्रक रूपमे ई जिलाके देखल जाइत अछि ।.

जिलाक नामाकरण[सम्पादन करी]

भौगोलिक अवस्थिति[सम्पादन करी]

  • अक्षांश: २६ डिग्री ३६" उत्तर सँ २८ डिग्री १०" उत्तर धरि
  • देशान्तरः पूर्वी ८५ डिग्री ४१" सँ पूर्वी ८५ डिग्री ५७" धरि
  • सब सँ उँच स्थान:- ८०८ मिटर
  • सब सँ नीचा स्थान:- ६१ मिटर
  • सिमाना:- पूर्व- धनुषा जिला, पश्चिम-सर्लाही जिलाभारतक बिहार, उत्तर- सिन्धुली जिला आ दक्षिण- भारतक बिहार प्रदेश
  • क्षेत्रफल:- १,००२ वर्ग किलोमिटर
  • अवस्थिति:- तराई प्रदेश
  • औषत लम्बाई:- उत्तर-दक्षिण ५८ किलोमीटर
  • औषत चौडाई:- पूर्व-पश्चिम १८ किलोमीटर

भौगोलिक हिसाब सँ ई जिलाके उत्तरदिस रहल पत्रेदार चुरेभावर क्षेत्र (१४%), दक्षिणमे तराइके समथर मैदान (८४ %) करि कूल २ भागमे बाँड्ल जा सकैत अछि ।

जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत महोत्तरी जिला कऽ नक्सा[सम्पादन करी]

निर्वाचन आयोग (नेपाल) द्वारा निर्धारण कएल गेल, जिलागत निर्वाचन क्षेत्र अन्तर्गत महोत्तरी जिला कऽ नक्सा नीचा देल गेल अछि। [२]


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Household and population by districts, Central Bureau of Statistics (CBS) Nepal
  2. निर्वाचन आयोग नेपाल, निर्वाचन आयोग नेपाल कऽ आधिकारिक वेबसाइटमे उपलब्ध नक्सा.

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]