जनकपुर उपमहानगरपालिका

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एतय जाए: भ्रमण, खोज
जनकपुर उपमहानगरपालिका
Janakpur Sub-Metropolitan City
उपमहानगरपालिका
जनकपुर उपमहानगरपालिकामे अवस्थित जानकी मन्दिर
जनकपुर उपमहानगरपालिका is located in Nepal
जनकपुर उपमहानगरपालिका
जनकपुर उपमहानगरपालिका
नेपालक नक्सामे जनकपुर उपमहानगरपालिका अवस्थित क्षेत्र
निर्देशाङ्क: २६°४२′४४″ उत्तर ८५°५५′१८″ पूर्व / २६.७१२२२° उत्तर ८५.९२१६७° पूर्व / 26.71222; 85.92167निर्देशाङ्क: २६°४२′४४″ उत्तर ८५°५५′१८″ पूर्व / २६.७१२२२° उत्तर ८५.९२१६७° पूर्व / 26.71222; 85.92167
देश  नेपाल
अञ्चल जनकपुर अञ्चल
जिला धनुषा जिला
उपमहानगरपालिका घोषित वि.स.२०७१ अगहन १७
सरकार
 • प्रकार जनकपुर उपमहानगरपालिका
जनसङ्ख्या (२०११)
 • सम्पूर्ण १,५३,६१४
टेलिफोन कोड ०४१
वेबसाइट www.janakpurmun.gov.np


जनकपुर उपमहानगरपालिका जनकपुर अञ्चलक धनुषा जिलामे अवस्थित अछि ।[१] [२] जनकपुर उपमहानगरपालिक रूपमे २०७१ साल अगहन १६ गते नगरपालिकासँ उपमहानगरपालिका लेल आवश्यक प्रक्रिया पूरा भेला बाद उपमहानगरपालिका घोषणा भेल । जनकपुरकें उपमहानगरपालिका घोषित करैत काल एहिमे कुर्था, बसबिट्टी, बिन्धी, महुवा प्रको, लोहना, बेंगाशिवपुर, बसहिया, देवपुरा रूपैठा, लक्ष्मीपुरबगेवा, गोपालपुर तथा कनकपट्टी गाविसक समावेस करि एकरा उपमहानगरपालिका घोषणा कएल गेल । ई धनुषा जिलाक सदरमोकाम सेहो छी । एतय नेपालक प्रसिद्ध हिन्दू तीर्थस्थल जानकी मन्दिर अछि । जनकपुर नगरक मैथिली संस्कृतिक केन्द्र मानल जाइत अछि । जनकपुर वा जनकपुरधाम दक्षिण पूर्व नेपालक जनकपुर अञ्चल अन्तर्गत धनुषा जिलामे अवस्थित अछि । ई शहर नेपालक तराईमे अवस्थित अछि आ एकरा साँस्कृतिक, व्यापारिक तथा राजनैतिक दृष्टिकोणसँ महत्वपूर्ण मानल जाइत अछि ।[३]

ई धनुषा जिलाक प्रशासकीय केन्द्र सेहो छी । ई शहरक अनुमानित जनसङ्ख्या १,५३,६१४ अछि ।[४] ई नेपालक राजधानी काठमाडौँसँ १२३ किलोमिटर दक्षिण पूर्वमे अछि[५] तथा भारतीय सीमासँ २० किलोमिटरक दुरीमे अवस्थित अछि । भौगोलिक अक्षांस आ देशान्तरक हिसाबमे ई शहर २६° ४२' ४४" उत्तर, ०८५° ५५' १८" पूर्वमे अवस्थित अछि । जनकपुर हिन्दू धर्ममे एक महत्वपूर्ण स्थल तथा नेपालक एकमात्र रेल भेला कारण पर्यटनक लेल सेहो महत्वपूर्ण शहर छी । जनकपुरधामक क्षेत्रफल ८५.९९ वर्ग किलोमिटर अछि । ई शहर पूर्व ऐतिहासिक मैथिली सभ्यताक केन्द्रविन्दु छी आ संगे ई शहरक अपन भाषा (मैथिली) आ लिपि (तिरहुता) सेहो अछि ।

जनकपुरधामक आर अन्य विशेषता एतय रहल पोखरि आ कुण्डसभ छी । एतय कुटीसभ सेहो प्रशस्त अछि । जनकपुरधाममे बाजल जाइवाला प्रमुख भाषा मैथिली छी । मिथिलाक पारम्परिक घरसभ माटि आ लारद्वारा बनाएल जाइत अछि । जनकपुरधाममे मनाएल जाइवला प्रमुख पर्वसभमे सँ छठि, विवाह पञ्चमी, राम नवमी, लक्ष्मी पूजा, होली इत्यादि छी ।[६]

जानकी मन्दिर

इतिहास[सम्पादन करी]

साधु, पण्डित आ राज पुरोहितसभक दस्तावेजसँ पता चलैत अछि की जनकपुरधाम १८हम शताब्दीक शुरुआतमे स्थापित भेल छल । सन् १८०५ मे जनकपुरधाम तीर्थ स्थलक रूपमे रहल विवरण पता चलल छल । पहिने रहल प्राचीन शहरक उपस्थितिक पुरातात्विक प्रमाण नै भेटल अछि । हिन्दू महाकाव्य रामायणक अनुसार, विदेहक राजा जनकक राजमहल आ राजधानी जनकपुरमे अवस्थित छल । कहल जाइत अछि की राजा जनककें हल जोतैत काल एक लड़की भेटल, जकर पुत्री स्विकारि ओकर नाम सीता राखि पालन पोषण कएल गेल । जब ओ पैग भेल, ओ कहल्नि जे हिन्दू भगवान शिवक धनुष जे हजारो वर्षसँ जनकपुरक अगलबगल राखल छल उठबैमे सक्षम होइत ओहि व्यक्तिसँ ओ विवाह करत । कयन शाही राजकुमार ओ धनुष उठबैक कोशिश केलक, मुदा अयोध्याक राजकुमार राम मात्र ओ धनुष उठाए सकल । एक पुरान गीतक अनुसार, ओ धनुष जनकपुरक उत्तर-पूर्वमे भेटल छल ।[७]

सन् १९५० कऽ दशकधरि जनकपुरमे किसान, कारीगर, पुजारी आ देवानसभ ग्रामीण इलाकामे समूह बनाए बसोबास करैत छल, जे मठ आ मन्दिरक लेल काम करैत छल आ भूमि नियन्त्रित करैत छल । भारतमे आजादीक बाद, जनकपुर एक वाणिज्यिक केन्द्रक रूपमे विस्तार भेल आ सन् १९६० कऽ दशकमे धनुषा जिलाक सदरमोकाम बनि गेल ।[८][९][१०][११]

हिन्दू धर्ममे रामसीताक मुख्य प्रभाव भेलाक कारण, जनकपुर दुनिया भरिमे हिन्दुसभक लेल एक महत्वपूर्ण तीर्थ स्थल छी ।[१२][१३]

पहिल सहस्राब्दी पाठ कऽ अनुसार शतपथ ब्राह्मण, मैथिल राजा माथव विदेघा अपन पुजारी गोतम राहुगानाक नेतृत्वमे सदानिरा (गण्डकी नदी) कऽ पार करि लेलक आ राजधानी कऽ रूपमे जनकपुरक संग विदेह राज्यक स्थापना केलक ।[१४] गौतमा राहुगना ऋग्वेदक कयन भजन रचित केनए छल तहि लेल ई घटनासभ पक्का वैदिक सभ्यताक समय भेल होइत ।[१५]

बौद्ध धर्मक संस्थापक गौतम बुद्धजैन धर्मक २४हम आ अन्तिम तीर्थङ्कर, वर्धामान महावीर, जनकपुरमे रहैत छल । ई क्षेत्र पहिल सहस्राब्दी कऽ समय मिथिला इतिहासक लेल महत्वपूर्ण केन्द्र छल ।

भूगोल[सम्पादन करी]

मौसम[सम्पादन करी]

ठण्डी मौसममे जनकपुरक तापक्रम १०-१८ डिग्री सेन्टिग्रेड होइत अछि तँ गर्मी मौसममे ३०-४२.३ डिग्री सेन्टिग्रेड तापक्रम होइत अछि ।[१६]

जनकपुर विमानस्थल (१९८१-२०१०)-कऽ लेल मौसम जानकारी
महिना जन फर मार्च अप्रैल मई जुन जुलाई अगस्त सित अक्टु नव दिस वर्ष
अधिकतम °से (°फे) औषत २२٫२
(७२)
२६٫०
(७९)
३१٫२
(८८)
३४٫८
(९५)
३४٫६
(९४)
३४٫१
(९३)
३२٫५
(९१)
३२٫७
(९१)
३२٫३
(९०)
३१٫७
(८९)
२९٫३
(८५)
२५٫१
(७७)
३०٫५
(८७)
दैनिक औषत °से (°फे) १५٫६
(६०)
१८٫६
(६५)
२३٫४
(७४)
२७٫७
(८२)
२९٫३
(८५)
३०٫०
(८६)
२९٫३
(८५)
२९٫६
(८५)
२८٫८
(८४)
२६٫८
(८०)
२२٫५
(७३)
१८٫०
(६४)
२५٫०
(७७)
न्यूनतम °से (°फे) औषत ९٫१
(४८)
११٫३
(५२)
१५٫५
(६०)
२०٫६
(६९)
२४٫०
(७५)
२५٫९
(७९)
२६٫१
(७९)
२६٫४
(८०)
२५٫३
(७८)
२२٫०
(७२)
१५٫७
(६०)
१०٫९
(५२)
१९٫४
(६७)
औषत हिमपात/वर्षा मीमी (इञ्च) ११٫७
(०٫४६)
११٫४
(०٫४५)
११٫५
(०٫४५)
५२٫२
(२٫०६)
१२८٫३
(५٫०५)
२३८٫७
(९٫४)
४८७٫६
(१९٫२)
३३९٫४
(१३٫३६)
१९७٫५
(७٫७८)
६३٫९
(२٫५२)
१٫९
(०٫०७)
८٫४
(०٫३३)
१,५५२٫५
(६१٫१२)
स्रोत: नेपाल मौसम पूर्वानुमान विभाग[१७]


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "६१ वटा नगरपालिका र ७ वटा उपमहानगरपालिका थप (सूचीसहित)", अभिगमन तिथि मंसिर १६,२०७१ 
  2. "६१ नगरपालिका र ७ उपमहानगरपालिका घोषणा (नाम र गाभिएका गाविससहित", अभिगमन तिथि मंसिर १६,२०७१ 
  3. "पुर्नजिवन माग्दै नेपालको एकमात्र रेल्वे" (नेपालीमे), मधेश स्पेसल। 
  4. "Archived copy", मूलसँ ३१ जुलाई २०१३-के सङ्ग्रहित, अभिगमन तिथि २०१५-०४-१६ 
  5. http://www.distancefromto.net/between/Kathmandu/Janakpur
  6. "जानकी मन्दिर परिचय", जिविस धनुषा 
  7. (नेपालीमे) Ancient Nepal. The Department. 2007-06. https://books.google.com.np/books?id=dlNQAQAAMAAJ&q=%25E0%25A4%259C%25E0%25A4%25A8%25E0%25A4%2595%25E0%25A4%25AA%25E0%25A5%2581%25E0%25A4%25B0%25E0%25A4%2595%25E0%25A5%258B+%25E0%25A4%2587%25E0%25A4%25A4%25E0%25A4%25BF%25E0%25A4%25B9%25E0%25A4%25BE%25E0%25A4%25B8&dq=%25E0%25A4%259C%25E0%25A4%25A8%25E0%25A4%2595%25E0%25A4%25AA%25E0%25A5%2581%25E0%25A4%25B0%25E0%25A4%2595%25E0%25A5%258B+%25E0%25A4%2587%25E0%25A4%25A4%25E0%25A4%25BF%25E0%25A4%25B9%25E0%25A4%25BE%25E0%25A4%25B8&hl=en&sa=X&redir_esc=y. 
  8. जनकपुरको परिचय हराउने चिन्ता, अभिगमन तिथि २०१७-०९-०२ 
  9. संक्षिप्त परिचय- जनकपुर उप-महानगरपालिका (नेपालीमे), अभिगमन तिथि २०१७-०९-०२ 
  10. Ltd., Setopati Sanchar Pvt., जनकपुर क्षेत्रका पर्यटकीय सम्पदा विश्व सम्पदा सूचीको प्रतीक्षामा, अभिगमन तिथि २०१७-०९-०२ 
  11. भादगाउँले, अमृत, Nagarik News - मिथिलामा जनक दर्शन (नेपालीमे), अभिगमन तिथि २०१७-०९-०२ 
  12. हिमाल खबरपत्रिका - जनकपुरको जग (नेपालीमे), अभिगमन तिथि २०१७-०९-०२ 
  13. विदेह मिथिला पर्यटन प्रवद्धन विकास समिती, अभिगमन तिथि २०१७-०९-०२ 
  14. (enमे) Original Sanskrit Texts on the Origin and History of the People of India, Their Religion and Institutions: Inquiry whether the Hindus are of Trans-Himalayan origin, and akin to the western branches of the Indo-European race. 2d ed., rev. 1871. Trübner. 1871. https://books.google.com.np/books?id=g6inYJea_ggC&pg=PA403&dq=M%25C4%2581thava+Videgha&hl=en&sa=X&redir_esc=y#v=onepage&q=M%25C4%2581thava%2520Videgha&f=false. 
  15. Jha, Ugra Nath (1980) (enमे). The Genealogies and Genealogists of Mithila: A Study of the Panji and the Panjikars. Kishor Vidya Niketan. https://books.google.com.np/books?id=V0xmAAAAMAAJ&q=Mithila&dq=Mithila&hl=en&sa=X&ved=0ahUKEwiBv8mlkIbWAhURUI8KHdfvC1QQ6AEIRTAI. 
  16. Janakpur Monthly Climate Averages, अभिगमन तिथि २०१७-०९-०२ 
  17. Department of Hydrology and Meteorology 2014.

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]


एहो सभ देखी[सम्पादन करी]