पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका
पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका Pokhara Lekhnath Metropolitan City | |
---|---|
महानगरपालिका | |
![]() (बामा सँ) शीर्ष: तालबाराही मन्दिर, फेवा तालमे रहल नावसभ; केन्द्र: पोखरा सँ देखल गेल अन्नपूर्ण हिमालय शृङ्खलाक दृश्य; नीचा: विन्ध्यवासिनी मन्दिर, पोखरा शहर, विश्व शान्ति स्तूप | |
आदर्श वाक्य: नेपाली: सफा पोखरा; हरियो पोखरा | |
नेपालक नक्सामे पोखराक स्थान | |
निर्देशाङ्क: २८°१५′५०″उ॰ ८३°५८′२०″पू॰ / २८.२६३८९°N ८३.९७२२२°Eनिर्देशाङ्क: २८°१५′५०″उ॰ ८३°५८′२०″पू॰ / २८.२६३८९°N ८३.९७२२२°E | |
देश | ![]() |
प्रदेश | गण्डकी प्रदेश |
जिला | कास्की जिला |
साक्षरता दर | ▲ ८३% उच्च |
स्थापना | २७ फागुण २०७३ |
सरकार | |
• मेयर | मानबहादुर जिसी |
• उपमेयर | पुष्पा गुरुङ |
क्षेत्रफल | |
• सम्पूर्ण | ४६४.२४ किमी२ (१७९.२४ वर्गमाइल) |
• पानि | ४.४ किमी२ (१.७ वर्गमाइल) |
उच्चतम उँचाई | १७४० मिटर (५७१० फिट) |
न्युनतम उँचाई | ८२७ मिटर (२७१३ फिट) |
जनसङ्ख्या (राष्ट्रिय जनगणना २०६८) | |
• सम्पूर्ण | ४,१४,१४१ |
• घनत्व | ८९०/किमी२ (२३००/वर्ग माइल) |
• जातीयता | खस (ब्राह्मण क्षेत्री ठकुरी गुरुङ मगर नेवार थकाली |
• धर्मावलम्बी | हिन्दू धर्म बुद्ध धर्म |
समय क्षेत्र | नेपालक प्रमाणिक समय (युटिसी+५:४५) |
पोस्टल कोड | ३३७००, ३३७०२, ३३७०४, ३३७०६, ३३७०८, ३३७१३ |
टेलिफोन कोड | +९७७-६१ |
केन्द्र | साविक पोखराक कार्यालय |
वेबसाइट | पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका |
पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका नेपालक गण्डकी प्रदेश स्थित कास्की जिलामे रहल महानगरपालिका आ प्रादेशिक राजधानी छी।[१] वि.सं. २०५२ माघ १८ गते उपमहानगरपालिका घोषित पोखराकेँ सङ्घीय मामिला तथा स्थानीय विकास मन्त्रालयद्वारा वि.सं. २०७३ फागुन २७ गते महानगरपालिका घाेषणा कएल गेल छल।[२][३][४] ई महानगरपालिकाका कूल क्षेत्रफल ४६४.२४ वर्ग किलोमिटर रहल अछि तहिना कूल जनसङ्ख्या ४,१४,१४१ रहल अछि।[५] महानगरपालिकाक केन्द्र साबिक पोखरा उपमहानगरपालिका कार्यालय राखल गेल अछि ।[६][७] पाेखरा लेखनाथ महानगरपालिका, पोखरा उपमहानगरपालिका, लेखनाथ नगरपालिका, मौजा, चापाकोट, भदौरे तमागीक (३,९) वडासभ, कास्कीकोट, माझठानाक (१,४,९) वडासभ कालिकाक (१,५) वडासभ आ पुरन्चौर गाउँ विकास समिति मिलाए कुल ३३ टा वडामे विभाजित अछि।[८] पोखरा लेखनाथ महानगरपालिकाक पूर्वी सिमानामे मादी गाउँपालिका आ रूपा गाउँपालिका, पश्चिममे अन्नपूर्ण गाउँपालिका, पर्वत आ स्याङ्जा जिला तहिना एकर उत्तरी सिमानामे माछापुच्छ्रे गाउँपालिका आ मादी गाउँपालिका तथा दक्षिणमे स्याङ्जा आ तनहुँ जिला रहल अछि।[९][१०][११]
पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका पोखरा उपत्यकामे अवस्थित नेपालक अत्यन्त रमणीय स्थानक रूपमे परिचित अछि। पोखरा शहर नेपाल क पैग शहरसभमे सँ एक छी।[१२] तहि कारण पोखराकेँ नेपालक एक महत्वपूर्ण पर्यटकीय स्थलक रूपमे लेल जाइत अछि। एतय रहल महत्पूर्ण स्थानसभमे फेवा ताल, महेन्द्र गुफा, पातले छाँगो, सराङकोट, गुप्तेश्वर महादेव गुफा आदि अछि । पोखरा नेपालक गोर्खा प्रदेशक कास्की जिलामे अवस्थित अछि । ई शहर कास्की जिलाक जिला सदरमुकामक संगे गोर्खा प्रदेशक सदरमुकाम सेहो छी।
भूगोल[सम्पादन करी]
पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका पोखरा उपत्यकाक उत्तर पूर्वी कोनामे अवस्थित अछि। धौलागिरी हिमालय, अन्नपूर्ण आ मनास्लु श्रृङ्खला, ८००० मिटरसँ उच्च हिमालयसभ सेहो एतयसँ देखल जा सकैत अछि। फेवाताल पोखराक सौन्दर्य आओर बेसी बढेनाए अछि। पोखरा नेपालक सबसँ बेसी वर्षा होमएवाला ठाम छी। एतय पाताले छाँगो, महेन्द्र गुफा आ गुप्तेश्वर गुफा जका पर्यटकीय स्थलसभ अछि। माछापुच्छ्रे हिमालयक मनोरम दृष्य सेहो एतयसँ देखल जा सकैत अछि।
इतिहास[सम्पादन करी]
वर्तमान नेपाल एकीकरण होमएसँ पूर्व पोखरा कास्की राज्य अन्तर्गत छल। ऐतिहासिक कास्कीकोट उपत्यकाक उत्तरी छोरमे अवस्थित अछि। पृथ्वी नारायण शाहक मझिला पुत्र नायव बहादुर शाहक समयमे पोखरा उपत्यका वर्तमान नेपालमे मिलाएल गेल अछि।
जनसङ्ख्या[सम्पादन करी]
पोखरा लेखनाथ महानगरपालिकाक जनसङ्ख्या ४,१४,१४१ अछि।[१३] ५ दशमलव ४६ प्रतिशत जनसङ्ख्या वृद्धि रहल ई ठामक जनसङ्ख्या वृद्धिदर अधिराज्यमे सर्वाधिक अछि । सन् २०११ क तथ्याङ्क अनुसार एतय बाहुन २२ दशमलव ८३ प्रतिशत, गुरुङ २१ दशमलव ६२ प्रतिशत, मगर ८ दशमलव २० प्रतिशत, क्षेत्री १५ दशमलव ३५, दलित ८ दशमलव ७१ प्रतिशत रहल अछि । एतय नेवार, मुसलमान, तामाङ, थकाली आदि जनजाति बसोबास करैत अछि।[१४] परम्परागत कामकाज व्यवसाय वाहेक बाहर काज करि आयल लोक आ लाहुरेसभक बसोबास बेसी भेला कारण पोखराके नेपालक महग शहर सेहो कहल जाइत अछि।[१५]
पर्यटकीय स्थलसभ[सम्पादन करी]
पोखरा तथा लेखनाथक मुख्य व्यवसाय पर्यटन छी। पोखरा लेखनाथ महानगरपालिकामे विन्ध्यवासिनी मन्दिर, धर्मशाला, बुद्धविहार, मैत्री चैत्य तथा राधाकृष्ण मन्दिर, भद्रकाली मन्दिर, शोभा भगवती मन्दिर, सिद्धेश्वर महादेव, पुष्करेश्वर शिव मन्दिर, राम मन्दिर, केदारेश्वर मन्दिर, शिवहरि मन्दिर तथा नमोबौद्ध गुम्बा आदि ऐतिहासिक तथा धार्मिक पर्यटकीय स्थलसभ रहल अछि तहिना सेती नदीक गल्छी, चमेरे गुफा, पाताले छाँगो, महेन्द्र गुफा, गुप्तेश्वर गुफा आदि एतय रहल प्राकृतिक पर्यटकीय स्थलसभ छी।[१६] एतय रहल रमणीय तालसभ आ सेतीगण्डकी हिमाली छायाँ तथा झरनासभ प्रमुख पर्यटकीय आकर्षण छी । फेवातालक पानिमे माछापुच्छ्रे हिमालयक छाँया तथा बेगनासमे कएल जाइवाला नौका बिहार आकर्षक अछि । संगे अन्नपूर्ण पदमार्ग एहि ठामसँ आरम्भ होइत अछि ।[१७]
शिक्षा तथा स्वास्थ्य[सम्पादन करी]
पोखरा लेखनाथ महानगरपालिका पश्चिम नेपालक प्रमुख शिक्षा तथा स्वास्थ्य केन्द्र सेहो छी। नेपालक प्रख्यात पृथ्वी नारायण क्याम्पस, जनप्रिय क्याम्पस, पोखरा विश्वविद्यालय तथा अन्य क्यापस तथा विद्यालय रहल पोखरामे पोखरा क्षेत्रीय अस्पताल, मणिपाल शिक्षण अस्पताल सहित बहुतेक स्वास्थ्य संस्था रहल अछि।[१८]
राजमार्ग[सम्पादन करी]
पोखरा उपत्यका पूर्वमे पृथ्वी राजमार्गक माध्यमसँ मध्य पहाडी क्षेत्र, काठमाडौं उपत्यका मध्य दक्षिणक चितवन जिला तथा पूर्व-पश्चिम राजमार्ग नेपालक तराइसँ जुड़ल अछि तँ सिद्धार्थ राजमार्ग पोखराके पश्चिम तराई आ किछ पहाडी जिलासँ तथा धवलागिरी राजमार्ग पश्चिम-उत्तरी पहाडी आ हिमाली क्षेत्रसँ जोडने अछि।
सञ्चार[सम्पादन करी]
नगर प्रशासन[सम्पादन करी]
चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]
सन्दर्भ सामाग्रीसभ[सम्पादन करी]
- ↑ Republica, "Province 4 is now Gandaki Province, Pokhara to remain capital", My Republica (अङ्ग्रेजीमे), अभिगमन तिथि २०१९-१२-२९।
- ↑ "७ सय ४४ स्थानीय तह कार्यान्वयनमा", कान्तिपुर दैनिक, २७ फाल्गुन २०७३, अभिगमन तिथि २७ फाल्गुन २०७३।
- ↑ "एउटै प्रदेशमा तीन महानगरपालिका", सेतोपाटी, ९ चैत २०७३, अभिगमन तिथि ९ चैत २०७३।
- ↑ "यी हुन् अब बन्ने ४ महानगरपालिका र १२ उप-महानगरपालिका", सेतोपाटी, १२ पौष २०७३, अभिगमन तिथि १२ पौष २०७३।
- ↑ "अब नेपालमा तीनवटा महानगरपालिका", सेतोपाटी, २३ कात्तिक २०७३, अभिगमन तिथि २३ कात्तिक २०७३।
- ↑ "सात प्रदेशको नयाँ नेपाल", अनलाईनखबर, अभिगमन तिथि २०७१ माघ ५।
- ↑ "स्थानीय निकाय भङ्ग, अधिकारसम्पन्न ७४४ स्थानीय तह क्रियाशील", सेतोपाटी, २८ फाल्गुण २०७३, अभिगमन तिथि २८ फाल्गुण २०७३।
- ↑ "पोखरा लेखनाथ महानगरपालिकाद्वारा औपचारिक रुपमा काम सुरू", सेतोपाटी, ३० फागुन २०७३, अभिगमन तिथि ३० फागुन २०७३।
- ↑ "हेर्नुहोस्, तपाईं कुन गाउँपालिका वा नगरपालिकामा पर्नुभयो?", सेतोपाटी, अभिगमन तिथि फाल्गुन २०७३।
- ↑ "गाउँपालिका र नगरपालिका कुन जिलामा कति? (सूची)", लोकान्तर, २३ पौष २०७३, अभिगमन तिथि २३ पौष २०७३।
- ↑ "कास्कीमा स्थानीय तह पुनःसंरचना कार्यान्वयन", नागरिक दैनिक, ०५ चैत २०७३, अभिगमन तिथि ०५ चैत २०७३।
- ↑ "देशकै ठूलो महानगर पोखरामा मेयर र उपमेयर को-को बन्दैछन्", सेतोपाटी, ८ वैशाख २०७४, अभिगमन तिथि ८ वैशाख २०७४।
- ↑ "पोखरा मुलुककै ठूलो महानगर", कान्तिपुर दैनिक, २९ फाल्गुन २०७३, अभिगमन तिथि २९ फाल्गुन २०७३।
- ↑ "नेपालको राष्ट्रिय जनगणना २०६८", राष्ट्रिय योजना आयोग, नेपाल सरकार, २०७२ मंसिर २४, अभिगमन तिथि २०७२ मंसिर २४।
- ↑ Cost of Living Index in Nepal - Statistics & Graphs of Nepalese Citizen's Economic Power | साभार मिति २०१४-०३-१८ |
- ↑ "धार्मीक, ऐतिहासीक तथा पर्यटकीय स्थलहरू", कास्की जिल्ला विकास समिति।
- ↑ "मर्नुअघि घुम्नै पर्ने नेपालका १० ठाउँहरू", नेपालीपत्र, २६ चैत २०७३, अभिगमन तिथि २६ चैत २०७३।
- ↑ "मणिपाल शिक्षण अस्पताल प्रसंग", Karnalikhabar, २०७४ बैशाख १६, अभिगमन तिथि २०७४ बैशाख १६।
बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]
![]() |
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास पोखरासँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |