विद्या देवी भण्डारी
| विद्या देवी भण्डारी | |
|---|---|
| गणतन्त्र नेपालक दोसर राष्ट्रपति | |
| प्रधानमन्त्री | खड्ग प्रसाद शर्मा ओली |
| उप राष्ट्रपति | परमानन्द झा |
| पूर्वाधिकारी | रामवरण यादव |
| व्यक्तिगत जानकारी | |
| जन्म | १९ जुन १९६१ भोजपुर मानेभञ्ज्याङ, नेपाल[१] |
| राजनीतिक दल | एमाले |
| जीवनसाथी | मदन भण्डारी (वि. १९८२; मृ. १९९३) |
| बच्चा | २ (उषा किरण भण्डारी निशा कुसुम भण्डारी) |
| अलमा मेटर | महेन्द्र मोरङ बहुमुखी क्याम्पस (बिए) |
| धर्म | हिन्दू |
विद्या देवी भण्डारी (नेपाली: विद्यादेवी भण्डारी) नेपालक दोसर तथा देशक लोकतान्त्रिक इतिहासमे पहिल महिला राष्ट्रपति छी।[२][३][४][५]ओ भूतपूर्व नेपाली राजनीतिज्ञ तथा नेकपा एमालेक नेता रहि चुकल अछि। ओ ५४९ मेसँ ३२७ भोट प्राप्त कैर कुल बहादुर गुरुङ के हराबैत राष्ट्रपति चुनल गेल । वो नेपाल रक्षा मन्त्रालयमे पूर्व रक्षा मन्त्री भऽ चुकल अछि।[६][७]
प्रारम्भिक जीवन
[सम्पादन करी]विद्या भण्डारीक जन्म १९ जुन १९६१ के नेपालक भोजपुरमे राम बहादुर पाण्डे आर मिथिला पाण्डेक घर भेल छल । वो कम उम्रमे छात्र राजनीतिमे शामिल भऽ गेल छल । वो अपन समयक एक करिश्माई आर प्रभावशाली नेताक रूपमे विख्यात कम्युनिस्ट नेता मदन भण्डारीक पत्नी छी । मुदा सन् १९९३ मे एक सडक दुर्घटनामे पतिके असामयिक निधनक बाद विद्या सुर्खिमे आएल छल ।
विद्या १९९४ आर १९९९ मे क्रमश: तत्कालीन प्रधानमन्त्री कृष्ण प्रसाद भट्टाराई आर दमनाथ ढुङ्गाना के संसदीय चुनावमे हरेलाक बाद दो बार चुनल गेल । मुदा, २००८ में संविधान सभा चुनावक दौरान हुनका हारक सामना करए पडल । वो माधव कुमार नेपालक नेतृत्वमे रक्षा मन्त्री पदके लेल चुनल गेल छल । सन् २०१३ मे दोसर संविधान सभाक चुनावमे सामानुपातिक चुनाव प्रणाली के तहत वो चुनल गेल ।[८]
सन्दर्भ
[सम्पादन करी]- ↑ "उज्यालो नाईटी", मूलसँ २०१६-०३-०४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१५-१०-३०।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "नेपाल कम्युनिस्ट पार्टी की उपाध्यक्ष विद्या देवी भंडारी बनीं नेपाल की पहली महिला राष्ट्रपति", लाइव हिन्दुस्तान (हिन्दीमे), अन्तिम पहुँच २८ अक्टूबर २०१५।
- ↑ "विद्यादेवी भण्डारी प्रथम महिला राष्ट्रपति", नागरिक न्यूज़ (नेपालीमे), अन्तिम पहुँच २८ अक्टूबर २०१५।
- ↑ "विद्यादेवी भण्डारी नेपालको पहिलो महिला राष्ट्रपति", ताजा खबर (नेपालीमे), मूलसँ २०१८-१२-२५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ अक्टोबर २०१५।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "एमाले नेतृ विद्यादेवी भण्डारी राष्ट्रपतिमा विजयी", विज (नेपालीमे), अन्तिम पहुँच २८ अक्टोबर २०१५।
- ↑ "Nepali Times | The Brief » Blog Archive » Enemies within", nepalitimes.com, अन्तिम पहुँच २०१४-०३-२२।
- ↑ "Related News | Bidya Bhandari | ekantipur.com", ekantipur.com, मूलसँ २०१४-०३-२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१४-०३-२२।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Women of Nepal", wwj.org.np, अन्तिम पहुँच २०१४-०३-२२।
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]| विकिमिडिया कमन्समे विद्या देवी भण्डारीसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
| राजनैतिक कार्यलय | ||
|---|---|---|
| पूर्वाधिकारीक नाम रामवरण यादव |
नेपालक राष्ट्रपति (सन् २०१५-२३) |
उत्तराधिकारीक नाम रामचन्द्र पौडेल |