जङ्गबहादुर राणा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(जंगबहादुर राणासँ पुनर्निर्देशित)
श्री ३

जंगबहादुर राणा
प्रथम राणा प्रधानमन्त्री जंगबहादुर राणा
जन्म
बीरनरसिंह कुँवर

१८७४
मृत्यु१९३३
पत्थरघट्टा
नागरिकतानेपाली
व्यवसायराजनीतिज्ञ
जीवनसाथी(सभ)महारानी हिरण्यगर्भा
बालबच्चाजगतजंग, जीतजंग, पद्मजंग
अभिभावक(सभ)बालनरसिंह कुँवर


जंगबहादुर राणा नेपालक प्रधानमन्त्री तथा प्रथम श्री ३ महाराज छल । कोतपर्वक नरसंहार पश्चात शक्तिशाली भेल जङ्गबहादुर राणा भण्डारखाल पर्व पश्चात राजसंस्था सँ बेसी शक्तिशाली भेल । हिनकर राजकालमे नेपालद्वारा अङ्ग्रेज सँ लडाईंमे हारल भूभागमे सँ ई अङ्ग्रेजके खुसी बनाए राप्ती सँ महाकाली धरिक तराई वर्तमानक बाँके जिला, बर्दिया जिला, कैलाली जिला तथा कञ्चनपुर जिला पुन: नेपालमे मिलेनाए छल ।

बालनरसिंह कुँवरक पुत्रक रूपमे जंगबहादुरक जन्म वि.सं. १८७४ मे भेल छल । सुरूवाती दिनमे लफङ्गा, जुवाडी जंगबहादुर अपन भितरके अदम्य साहस, वीरता आ चातुर्यक कारण नेपालक इतिहासमे एक सफल खलनायकक रूपमे परिचित भेल । नेपालमे राणा शासनक स्थापना करि १०४ वर्षक पारिवरिक शासनशैलीक सुत्रपात याह छी । बेलायतीसभक कट्टर भक्त जंगबहादुर पन कट्टर विरोधीसभके एकएक करि मारि एकतन्त्री शासन चलेलक । ओ बेलायतफ्रान्स सँ घुमलाबाद नेपाली कला, संस्कृति, जनजीवन आ कानूनमे समेत पश्चिमी प्रभाव परल छल ।

महारानी हिरण्यगर्भाक संग जंगबहादुर, सन् १८६० मे

वि.स. १९०३ सँ २००७ साल धरि नेपालमे राणासभ शासन करलक । तत्कालिन राजपरिवार भितरक झगडाक फाइदा उठाबैत पश्चिम नेपालक लडाकु जङ्ग बहादुर कुँवर पहिल राणा प्रधानमन्त्री बनल । वि.स. १९०३ असोज ३ मे काठमाडौं दरबार क्षेत्रमे भेल कुख्यात कोत पर्वमे सयौं भारदार, रइस आ सैनिकक हत्या करैक हुनकर षडयन्त्र सफल भेल । ओकरबाद ओ अपनाआपके प्रधानमन्त्री बनाए राणा पद धारण करलक । राणा परिवारमे प्रधानमन्त्रीक पद वंशपरम्परागत भेल त शाह राजासभ झपना मात्र रहल ।[१]

जीवनी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "जंगबहादुर राणा"। hamrosamachar.com। {{cite web}}: Italic or bold markup not allowed in: |publisher= (help)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]