रणजंग पाँडे

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(रणजंग पाण्डेसँ पुनर्निर्देशित)
श्री मुख्तियार काजी

रणजंग पाँडे
रणजंग पाण्डे
मुख्तियार काजी रणजंग पाँडे
जन्मसन् १७८९
काठमाडौं
मृत्यु१८ अप्रैल १८४३
काठमाडौं
राष्ट्रियतानेपाली
शीर्षकमुख्तियार काजी
अवधिसन् १८३७- सन् १८४०
पूर्ववर्तीभीमसेन थापा
उत्तराधिकारीरङ्गनाथ पौडेल
अभिभावक(सभ)दामोदर पाण्डे


रणजंग पाँडे विसं १८९४ श्रावणमे मुख्तियार भिमसेन थापाके पदच्युत कएल गेला बाद मुलुकक केन्द्रीय राजनीतिमे पकड बनाबैमे सफल भेल छल । मुलुकक मुख्तियारी रंगनाथ पौडेलद्वारा जिम्मेवारी बहन करला बादो हुनकर अधिकार क्षेत्र मुलुकी बन्दोवस्त आ परराष्ट्र विभागमे मात्र सिमित छल । रणजंग पाँडे ओहि बखत जङ्गी विभागक जिम्मेवारी पाबनए छल । ओकर बाद तत्कालीन राजा राजेन्द्रक निर्देशन अनुसार हुनकर जफत कएल गेल पारिवारिक जमीन घुमाएल गेल आ हुनकर भैया रणदल पाँडेके काजी बनाए पाल्पा पठाएल गेल छल । विसं १९९५ भादोमे रंगनाथ पौडेलक राजीना देलाबाद चौतारिया पुष्कर शाहके मुख्तियारी देल गेल आ ओहि वर्षक पुस महिनामे रणजंग पाँडे मुख्य मन्त्री बनाएल गेल । तत्कालिन जेठकी रानी साम्राज्यलक्ष्मीक दवाबक कारण विसं १८९७ साल माघ (सन् १८४० फरबरी १४)मे राजा राजेन्द्रविक्रम शाह हुनका मुख्तियार नियुक्त केनए छल । विसं १८९८ साल कात्तिक (सन् १८४० नवम्बर १)मे हुनका से पद सँ हटाएल गेल छल ।[१]

सन्दर्भ सामाग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. प्राचिन नेपाल (पृष्ठ-३२ ), बैसाख २०६३, पुरातत्व विभाग

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]