सिन्धु घाटी सभ्यता

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search
सिन्धुघाँटीक सभ्यताक शुरुआती कालखण्डमे, ३२५०-२७५० ईसापूर्व

सिन्धुघाँटीक सभ्यता (३३०० ईसापूर्व सँ १७०० ईसापूर्व तक)[१] विश्वक प्राचीन नदी घाटी सभ्यतासभमे एक प्रमुख सभ्यता छी। [२] सम्मानित पत्रिका नेचरमे प्रकाशित शोधक अनुसार ई सभ्यता कमस कम ८००० बर्ष पुरान रहल अछि । ई हडप्पा सभ्यता आ 'सिंधु-सरस्वती सभ्यता' कऽ नामसँ सेहो जानैत अछि । एकर विकास सिन्धु नदी तथा घघ्घर (प्राचीन सरस्वती) कऽ किनारसँ भेल अछि ।[२] मोहनजोदड़ो, कालीबंगा, लोथल, धोलावीरा, राखीगढ़ी तथा हड़प्पा एकर प्रमुख केन्द्र छल । दिसम्बर २०१४ मे भिर्दाना क अखनतक सबसँ प्राचीन नगर मानैत अछि सिन्धु घाटी सभ्यताक । ब्रिटिश काल खण्डमे भेल उत्खननक आधारमे पुरातत्ववेत्ता तथा इतिहासकारसभक अनुमान अछि ई अत्यन्त विकसित सभ्यता छल आ ई शहर बहुत बेर बसल आ उजडल ।

सन् १८२६ मे पहिल बेर चाल्स मासोन ई पुरान सभ्यताक खोज केने छल । कनिंघम सन् १८५६ मे ई सभ्यताक पहिल सर्वेक्षण केने छल । सन् १८५६ मे कराचीसँ लाहोरक मध्ये रेल्वे लाइनक निर्माणक समय बर्टन बन्धुसभ हडप्पा स्थलक सुचना सरकारके देने छल । ई क्रममे सन् १८६१ मे एलेकजेन्डर कनिघमक निर्देशनमे भारतीय पुरातत्व विभागक स्थापना भेल छल । सिन्धु घाटी सभ्यता कऽ १४०० केन्द्रसभक खोजी भऽ चुकल अछि जहिमे ९२५ केन्द्र भारतमे रहल अछि । ८० प्रतिशत स्थल सरस्वती नदी तथा ओहिके सहायक नदिसभक आसपास रहल अछि । अखन तक कुल खोजीक ३ प्रतिशत स्थलसभक उत्खनन पुरा भेल अछि ।

नामक उत्पत्ति[सम्पादन करी]

सिन्धु घाटी सभ्यताक क्षेत्र अत्यन्त व्यापक छल । [[हडप्पा] तथा मोहनजोदड़ो कऽ उत्खनन्सँ ई सभ्यता सम्बन्धि प्रमाण प्राप्त भेल अछि। अतः विद्वानसभ एकरा सिन्धु घाटीक सभ्यताक नाम देलक, ई क्षेत्र सिन्धु तथा ओकर सहायक नदिसभक क्षेत्रमे आवैत अछि, मुदा रोपड़, लोथल, कालीबंगा, वनमाली, रंगापुर आदि क्षेत्रसभमे सेहो ई सभ्यताक अवशेष प्राप्त भऽ जे सिन्धु तथा ओकर सहायक नदिसभक क्षेत सँ बाहर छल । ओहिकारण कोहि इतिहासकार ई सभ्यताक प्रमुख केन्द्र हडप्पा होएक कारण ई सभ्यताके "हडप्पा सभ्यता" नाम देल उचित मानैत अछि । भारतीय पुरातत्व विभागक महानिदेशक जोन मार्शल सन १९२४ मे सिन्धु सभ्यताक बारेमे तीन महत्वपूर्ण ग्रन्थ लिखने छल ।

चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. http://aajtak.intoday.in/education/story/indus-valley-civilization-or-sindhu-valley-culture-general-knowledge-1-769584.html
  2. २.० २.१ Ching, Francis D. K.; Jarzombek, Mark;Prakash, Vikramaditya (2006). A Global History of Architecture. Hoboken, N.J.: J. Wiley & Sons. pp. 28–32. आइएसबिएन 0471268925. 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]