सुपर मुन
दिखावट

सुपर मुन (अङ्ग्रेजी: Super Moon, शाब्दिक अर्थ: पैग चन्द्रमा वा महाचन्द्र) चन्द्रमा पृथ्वीक सबसँ नजदिक भेलाक अवस्था छी । चन्द्रमाद्वारा पृथ्वीके घुमैक कक्ष गोल नै भ अण्डाकार भेला कारणसँ चन्द्रमा पृथ्वीसँ कहियो लग कहियो दूर होइत अछि ।
कारण
[सम्पादन करी]चन्द्रमाद्वारा पृथ्वीके घुमैक कक्ष गोल नै भ अण्डाकार भेला कारणसँ चन्द्रमा पृथ्वीसँ कहियो लग कहियो दूर होइत अछि । चन्द्रमा जब पृथ्वीक सबसँ नजदिक पहुँचैत अछि ओकरा महाचन्द्र अर्थात ‘सुपरमुन’ कहल जाइत अछि । चन्द्रमा पृथ्वीक सबसँ नजदिक पहुँचैक विन्दुके ‘पेरिग्री’ कहल जाइत अछि तहिना सभसँ दूरक विन्दुके ‘आपोजी’ कहल जाइत अछि ।