सुसान किलरेन
| सुसान किलरेन Susan Kilrain | |
|---|---|
| नासा अन्तरिक्ष यात्री | |
| राष्ट्रियता | अमेरिकी |
| अवस्था | अवकासप्राप्त |
| जन्म | अक्टुबर २४, १९६१ अगस्ता, जर्जिया |
अन्य पेशा | विमान चालक |
| क्रम | कमान्डर, युएसएन |
अन्तरिक्षमे बिताएल समय | १९ दिन १५ घण्टा ५८ मिनेट |
| चुनाव | १९९४ नासा समूह |
| मिसन | एसटिएस-८३, एसटिएस-९४ |
मिसन प्रतिक चिन्ह | |
सुसान किलरेन एक अमेरिकी इन्जिनियर, पूर्व संयुक्त राज्य नौसेना अधिकारी आ पूर्व नासाक अन्तरिक्ष यात्री छी । हुनकर जन्म २४ अक्टुबर १९६१ अगस्ता, जर्जियामे भेल छल । हुनकर पिता डक्टर जोसफ एक प्रमुख जिला शल्य चिकित्सक छल, जे जर्जियाक अगस्तामे युसुफ एम.स्टिल जिला केन्द्रक स्थापना आ निर्देशन केनए छल ।
सन् १९७९ मे वालनट हिल विद्यालय, नेटिक, मेसाचुसेट्स, सँ अपन विद्यालय शिक्षा प्राप्त केलक । ओ सन् १९८२ मे विमान इन्जिनरियङमे स्नातकक डिग्रीक संग एम्ब्री-रिडडल एरोनटिकल विश्वविद्यालयसँ स्नातकक उपाधि प्राप्त केलक आ सन् १९८५ मे जर्जिया संस्थानक प्राविधिक विषय राखि एयरोस्पेस इन्जिनरियङमे ओ मास्टर अफ साइन्सक डिग्री प्राप्त केलक । ग्रेजुएसन स्तरक पढ़ाई केलाक बाद ओ जर्जियामे मेरिटेटामे लकहिड कर्पोरेसनक लेल पवन सुरङ्ग परियोजना अधिकारीक रूपमे काज केलक आ अपन स्नातकक डिग्री अर्जित केलक ।[१] सन् १९८५ मे हुनका संयुक्त राज्य नौसेनामे नियुक्त कएल गेल छल आ सन् १९८७ मे नौसेना एभिएटर कहि हुनकर नाम नामित कएल गेल ।[२]