सोफिया बुश
सोफिया बुश | |
---|---|
![]() सोफिया बुश | |
जन्म | सोफिया एना बुश ८ जुलाई १९८२[१] क्यालिफोर्निया, संयुक्त राज्य अमेरिका |
व्यवसाय | अभिनेत्री, निर्देशक |
सक्रिय वर्ष | २००२– वर्तमान |
जीवनसाथी(सभ) | चाड माइकल मुरे (वि. २००५; विच्छेद. २००६) |
सोफिया एना बुश (जन्म ८ जुलाई, १९८२) एक अमेरिकी अभिनेत्री, कार्यकर्ता, निर्देशक आ निर्माता छी। ओ सि डब्ल्यु ड्रामा सिरिज वन ट्री हिल (२००३-२०१२) मे ब्रुक डेभिसके रूपमे अभिनय केलक। ओ चलचित्र जोन टकर मस्ट डाई (२००६), द हिचर (२००७), आ द न्यारो (२००८)मे प्रमुख भूमिका निर्वाह केनए छल। सन् २०१४ सँ सन् २०१७ धरि एनबिसी पोलिसद्वारा निर्माण कएल गेल नाट्य धारावाहिक चिकागो पिडीमे एरिन लिन्ड्सेक भूमिका निर्वाह केनए छल आ वर्तमानमे ओ सिबिएस नाट्य धारावाहिकमे म्याडी यार्डलीकें भूमिका निर्वाह करि रहल अछि।
जीवनी आ शिक्षा
[सम्पादन करी]बुशक जन्म संयुक्त राज्य अमेरिकाक क्यालिफोर्निया राज्यमे भेल अछि। [२] ओ पिता चार्ल्स विलियम बुश आ माता मौरिन सियर्सनक एक मात्र सन्तान छी।[१] हुनकर माता एक टा फोटोग्राफी स्टुडियो चलबैत अछि,[३] आ हुनकर पिता एक सौन्दर्य आ प्रचार फोटोग्राफर छी।[४]
करियर
[सम्पादन करी]सन् २००२ मे बुश चलचित्र अभिनेता रायन रेनोल्ड्स कऽ सङ्ग 'नेसनल ल्याम्पुन्स भ्यान वाइल्डर' नामक चलचित्रमे पहिल बेर अभिनय केनए छल। एकर बाद बुश बहुत रास टेलिभिजन धारावाहिकसभमे अभिनय केनए छल। सोफिया बुश अपन भूमिका आ विविध श्रेणीकें चलचित्र आ टेलिभिजन धारावाहिकमे अभिनय करि बहुत रास प्रशंशक बनेबामे सफल रहल छल। 'वन ट्री हिल्ल' नामक धारावाहिकमे पूरे एक सिजन अभिनय करि ओ आओर बेसी लोकप्रिय भऽ गेल। ई धारावाहिकमे बुश एक ब्रोक डेभिस नामक यूवा लड़की कऽ पात्र निभेलक जे प्राय कोनो नऽ कोनो फजिहत खड़ा करैत छल मुदा अन्तमे ओकरा व्यवसायिक जीवनमे व्यस्त होमए पड़ैत अछि।
सामाजिक सञ्जाल
[सम्पादन करी]बुश सामाजिक सञ्जालक प्रयोग करि अपन प्रशंशकसभ सँ जुड़ल रहैत अछि। ओ ट्वीटर, फेसबुक आ इन्स्टाग्रामद्वारा दुनियाकें विभिन्न घटनासभक बारेमे जागृक्ता रखैत अछि।
सामजिक कार्यसभ
[सम्पादन करी]ओ बहुत रास अनुदान सञ्चयकें व्यवस्था करैत अछि जकरा ओ 'रन फर द गल्फ' आ 'ग्लोबल ग्रीन गल्फ रिलीफ' नामक परियोजनाक सञ्चालनमे खर्च करैत अछि। बुश समलैङ्गिक विवाहक एक निष्टावान समर्थक छी। सन् २०१० अप्रैलमे जखन 'गल्फ अफ मेक्सिको' कऽ पानिमे तेल फैलल छल तखन ओ ई पर्यावरणीय अपादाक लेल एक अनुदान सञ्चयकें व्यवस्था केनए छल। ई अनुदान सञ्चयकें व्यवस्था इन्टरनेटद्वारा कएल गेल छल।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ १.० १.१ "Sophia Bush", TV Guide, अन्तिम पहुँच मार्च ८, २०१४।
- ↑ "Sophia Bush – Home girl", FHM, मूलसँ मार्च ९, २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच मार्च ८, २०१४।
- ↑ Dunn, Jancee (सितम्बर २६, २००८), "Sophia Bush Loves Her Healthy Curves", Health.com, मूलसँ अप्रैल २९, २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच अगस्त ५, २०१५।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "Sophia Bush, secret 90210 fan", In Touch Weekly, जनवरी २२, २००८, अन्तिम पहुँच अगस्त ५, २०१५।