स्तन क्यान्सर
| स्तन क्यान्सर Breast cancer | |
|---|---|
![]() | |
| म्यामोग्राम्सद्वारा लेल गेल सामान्य स्तन (बामा) आ क्यान्सर प्रभावित स्तन (दहिना, उज्जर तीरमे) | |
| विशेषता | कर्कविज्ञान |
| लक्षण | स्तन लम्बा, स्तनक आकार परिवर्तन, चुचक सँ पानि एनाए, एक उल्टा नव चुचक विकास होनाए, लाल आकारक धब्बा एनाए [१] |
| जोखिमक कारण | महिला, मोटापा, शारीरिक व्यायामक कमी, दारू, महिनावारी बन्द होनाए, आयनकारी विकिरण, पहिल महिनावारीक समय बालबोध होनाए, बहुत समय बाद बच्चा होनाए वा नै भेल होनाए, बृद्ध उमर, पूर्व स्तन क्यान्सर, पारिवारिक इतिहास[१][२][३] |
| नैदानिक विधि | तन्तु बायोप्सी[१] |
| उपचार | शल्यक्रिया, विकिरण चिकित्सा, किमोथेरापी[१] |
| रोग निदान | ~८५% (अमेरिका, ब्रिटेन) पाँच वर्षक जीवित शेष दर [४][५] |
| आवृति | सन् २०१५ धरि २१ लाख प्रभावित[६] |
| मृत्यु | ५,३३,६०० (२०१५)[७] |
स्तन क्यान्सर एक कर्क रोग छी जे स्तन तन्तु सँ विकास होएत अछि।[८] स्तन लम्बा, स्तनक आकार परिवर्तन, चुचक सँ पानि एनाए, एक उल्टा नव चुचक विकास होनाए आ लाल आकारक धब्बा एनाए स्तन क्यान्सर लक्षण छी।[१][९][२] महिलासभ जीवन भईर स्तन परिवर्तनक अनुभव करैत रहैत अछि। एहि परिवर्तसभक बारेमे जागरूक होनाए आ सिखनाए कि महिलसभक स्तन अलग-अलग समय पर केहन महसूस करैत अछि, ई परिवर्तन महिलासभक स्तन रोगक बुझएमे मदत करि सकैत अछि।[४] यदि महिलासभ अपन स्तन परिवर्तसँ परिचित हओए त ओ सभ कोनो भी असामान्य परिवर्तनक ध्यानमे राईखक, स्तन रोगक सङ्केतक महसूस कऽ सकैत अछि। स्तन रोग कोनो भी आयु, हार्मोन स्तरमे बदलाव आ कोनो दवाईक कारण सँ भ सकैत अछि।[५]
लक्षण
[सम्पादन करी]स्तन क्यानसर सँ सम्बन्धित लक्षण आम अछि। एहि लक्षणक कारण प्रत्येक साल १५ मिलियन सँ अधिक महिलासभ डाक्टरक पास जाचक लेल जाएत अछि। एहि लक्षणसभमे निम्न समावेश अछि:
- स्तन दर्द
- गाठ: जे अन्य स्तन ऊतक सँ अलग महसूस होएत अछि
- सूझन जे दुर नै होएत अछि
- चुचुकक चाईरो दिस त्वचा भिजल महसूस होएत अछि
- स्तनक त्वचामे गहिर-जेना महसूस होनाए, लाली होनाए, मोटाई आ दबाव
- स्तनक आकारमे परिवर्तन
- चुचुकमे परिवर्तन, जेन भितर खिचल जा रहल अछि
- गाठ जे त्वचा या छातीक चाईरो दिस महसूस होएत अछि
स्तन रोग
[सम्पादन करी]स्तन रोग क्यानसरमुक्त (हलका) आ क्यानसर सम्बन्धि(घातक) होएत अछि। अधिकांश स्तन रोग क्यानसरमुक्त होएत अछि, जकर होए सँ जीवन पर कोनो खतरा नै होएत आ एकर उपचारक आवश्यकता नै होएत अछि। मुदा स्तन क्यानसरक मतलब स्तन या जीवनक नोक्सान होएत अछि । एहि कारण सँ महिलासभमे स्तन क्यानसर ओकर जीवन पर सबसँ पैग खतरा छी। स्तन रोगक या त प्रजनन प्रणालीक विकार, या प्रजननक विकारक साथ वर्गीकृत कएल जा सकैया।[१०] स्तन रोगक बहुत प्रकार होएत अछि, ई सङ्क्रमणक साथ या बिना सङ्क्रमणक छाती पर गाँठक कारण बनैत अछि।
किछ स्तन रोग हलका होएत अछि, जे हानिरहित होएत अछि। आ किछ घातक, जकर अर्थ छी कि ऊ फैईल सकैत अछि। सबसँ आम छी मास्टिटिस (जीवाणु सङ्क्रमण), सिस्ट, हलक गाठ आ क्यानसर जका स्तन रोग होएत अछि। स्तन रोगक उपचारक लेल ओकर प्रारम्भिक पता लगेनाए आवश्यक अछि।[११]
इलाज
[सम्पादन करी]आईक युगमे, महिलासभमे स्तन क्यानसर मृत्यक सबसँ पैग कारण छी। स्तन क्यानसरक जाँच आत्म-परीक्षण सँ सम्भव अछि। स्तन क्यानसरक बहुतरा सँ लक्षण अछि जे कि शुरुक दिनमे जचेला सँ इलाज कएल जा सकैत अछि।

जाच
[सम्पादन करी]स्तन असामान्यताक पता निम्नलिखित जाँच द्वारा कएल जा सकैत अछि:[१२]
- क्यानसर स्क्रीनिंग
- चुंबकीय अनुनाद इमेजिंग (एमआरआई)
- म्यामोग्राफी
- अल्ट्रासोनोग्राफी
- बायोप्सी
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- 1 2 3 4 5 "Breast Cancer Treatment (PDQ®)", NCI, २३ मई २०१४, ५ जुलाई २०१४ कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २९ जून २०१४।
|deadurl=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - 1 2 World Cancer Report 2014. World Health Organization. 2014. pp. Chapter 5.2. आइएसबिएन 92-832-0429-8.
- ↑ "Klinefelter Syndrome", Eunice Kennedy Shriver National Institute of Child Health and Human Development, २४ मई २००७, मूलसँ २७ नवम्बर २०१२ मे सङ्ग्रहित।
|deadurl=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - 1 2 "SEER Stat Fact Sheets: Breast Cancer", NCI, ३ जुलाई २०१४ कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १८ जून २०१४।
|deadurl=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - 1 2 "Cancer Survival in England: Patients Diagnosed 2007–2011 and Followed up to 2012", Office for National Statistics, २९ अक्टुबर २०१३, २९ नवम्बर २०१४ कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २९ जून २०१४।
|deadurl=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ GBD 2015 Disease and Injury Incidence and Prevalence, Collaborators. (८ अक्टुबर २०१६), "Global, regional, and national incidence, prevalence, and years lived with disability for 310 diseases and injuries, 1990–2015: a systematic analysis for the Global Burden of Disease Study 2015.", Lancet 388 (10053): 1545–1602, डिओआई:10.1016/S0140-6736(16)31678-6, पिएमआइडी 27733282, पिएमसी 5055577।
- ↑ GBD 2015 Mortality and Causes of Death, Collaborators. (८ अक्टुबर २०१६), "Global, regional, and national life expectancy, all-cause mortality, and cause-specific mortality for 249 causes of death, 1980–2015: a systematic analysis for the Global Burden of Disease Study 2015.", Lancet 388 (10053): 1459–1544, डिओआई:10.1016/s0140-6736(16)31012-1, पिएमआइडी 27733281, पिएमसी 5388903।
- ↑ "Breast Cancer", NCI, २५ जून २०१४ कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २९ जून २०१४।
|deadurl=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ Saunders, Christobel; Jassal, Sunil (2009). Breast cancer (1. संस्करण). Oxford: Oxford University Press. प॰ Chapter 13. आइएसबिएन 978-0-19-955869-8. Archived from the original on 25 October 2015. https://web.archive.org/web/20151025013217/https://books.google.com/books?id=as46WowY_usC&pg=PT123.
- ↑ "MedlinePlus: Breast Diseases"
- ↑ World Health Organization (February 2006). "Fact sheet No. 297: Cancer"
- ↑ Breast Self Examination at The Breast Site
आर पढवाक लेल
[सम्पादन करी]1. MedlinePlus: Breast Diseases
२. World Health Organization (February 2006). "Fact sheet No. 297: Cancer"
3. Breast Self Examination at The Breast Site
