स्तन क्यान्सर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
स्तन क्यान्सर
Breast cancer
म्यामोग्राम्सद्वारा लेल गेल सामान्य स्तन (बामा) आ क्यान्सर प्रभावित स्तन (दहिना, उज्जर तीरमे)
विशेषताकर्कविज्ञान
लक्षणस्तन लम्बा, स्तनक आकार परिवर्तन, चुचक सँ पानि एनाए, एक उल्टा नव चुचक विकास होनाए, लाल आकारक धब्बा एनाए [१]
जोखिमक कारणमहिला, मोटापा, शारीरिक व्यायामक कमी, दारू, महिनावारी बन्द होनाए, आयनकारी विकिरण, पहिल महिनावारीक समय बालबोध होनाए, बहुत समय बाद बच्चा होनाए वा नै भेल होनाए, बृद्ध उमर, पूर्व स्तन क्यान्सर, पारिवारिक इतिहास[१][२][३]
नैदानिक विधितन्तु बायोप्सी[१]
उपचारशल्यक्रिया, विकिरण चिकित्सा, किमोथेरापी[१]
रोग निदान~८५% (अमेरिका, ब्रिटेन) पाँच वर्षक जीवित शेष दर [४][५]
आवृतिसन् २०१५ धरि २१ लाख प्रभावित[६]
मृत्यु५,३३,६०० (२०१५)[७]

स्तन क्यान्सर एक कर्क रोग छी जे स्तन तन्तु सँ विकास होएत अछि ।[८] स्तन लम्बा, स्तनक आकार परिवर्तन, चुचक सँ पानि एनाए, एक उल्टा नव चुचक विकास होनाए आ लाल आकारक धब्बा एनाए स्तन क्यान्सर लक्षण छी ।[१][९][२]


महिलासभ जीवन भईर स्तन परिवर्तनक अनुभव करैत रहैत अछि । एहि परिवर्तसभक बारेमे जागरूक होनाए आ सिखनाए कि महिलसभक स्तन अलग-अलग समय पर केहन महसूस करैत अछि, ई परिवर्तन महिलासभक स्तन रोगक बुझएमे मदत करि सकैत अछि ।[४] यदि महिलासभ अपन स्तन परिवर्तसँ परिचित हओए त ओ सभ कोनो भी असामान्य परिवर्तनक ध्यानमे राईखक, स्तन रोगक सङ्केतक महसूस कऽ सकैत अछि । स्तन रोग कोनो भी आयु, हार्मोन स्तरमे बदलाव आ कोनो दवाईक कारण सँ भ सकैत अछि । [५]


स्तन रोग क्यानसरमुक्त (हलका) आ क्यानसर सम्बन्धि(घातक) होएत अछि । अधिकांश स्तन रोग क्यानसरमुक्त होएत अछि, जकर होए सँ जीवन पर कोनो खतरा नै होएत आ एकर उपचारक आवश्यकता नै होएत अछि । मुदा स्तन क्यानसरक मतलब स्तन या जीवनक नोक्सान होएत अछि । एहि कारण सँ महिलासभमे स्तन क्यानसर ओकर जीवन पर सबसँ पैग खतरा छी । स्तन रोगक या त प्रजनन प्रणालीक विकार, या प्रजननक विकारक साथ वर्गीकृत कएल जा सकैया ।[१०] स्तन रोगक बहुत प्रकार होएत अछि, ई सङ्क्रमणक साथ या बिना सङ्क्रमणक छाती पर गाँठक कारण बनैत अछि ।

किछ स्तन रोग हलका होएत अछि, जे हानिरहित होएत अछि । आ किछ घातक, जकर अर्थ छी कि ऊ फैईल सकैत अछि । सबसँ आम छी मास्टिटिस (जीवाणु सङ्क्रमण), सिस्ट, हलक गाठ आ क्यानसर जका स्तन रोग होएत अछि । स्तन रोगक उपचारक लेल ओकर प्रारम्भिक पता लगेनाए आवश्यक अछि। [११]


आईक युगमे, महिलासभमे स्तन क्यानसर मृत्यक सबसँ पैग कारण छी । स्तन क्यानसरक जाँच आत्म-परीक्षण सँ सम्भव अछि । स्तन क्यानसरक बहुतरा सँ लक्षण अछि जे कि शुरुक दिनमे जचेला सँ इलाज कएल जा सकैत अछि ।


स्तन क्यानसर सँ सम्बन्धित लक्षण आम अछि । एहि लक्षणक कारण प्रत्येक साल १५ मिलियन सँ अधिक महिलासभ डाक्टरक पास जाचक लेल जाएत अछि । एहि लक्षणसभमे निम्न समावेश अछि :

  • स्तन दर्द
  • गाठ: जे अन्य स्तन ऊतक सँ अलग महसूस होएत अछि ।
  • सूझन जे दुर नै होएत अछि ।
  • चुचुकक चाईरो दिस त्वचा भिजल महसूस होएत अछि ।
  • स्तनक त्वचामे गहिर-जेना महसूस होनाए, लाली होनाए, मोटाई आ दबाव
  • स्तनक आकारमे परिवर्तन।
  • चुचुकमे परिवर्तन, जेन भितर खिचल जा रहल अछि ।
  • गाठ जे त्वचा या छातीक चाईरो दिस महसूस होएत अछि ।


स्तन क्यानसरक जाच [१२]

स्तन असामान्यताक पता निम्नलिखित जाँच द्वारा कएल जा सकैत अछि :

1. क्यानसर स्क्रीनिंग

२. चुंबकीय अनुनाद इमेजिंग (एमआरआई)

३. म्यामोग्राफी

४. अल्ट्रासोनोग्राफी

५. बायोप्सी


सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ १.२ १.३ १.४ "Breast Cancer Treatment (PDQ®)", NCI, २३ मई २०१४, ५ जुलाई २०१४-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २९ जून २०१४  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  2. २.० २.१ World Cancer Report 2014. World Health Organization. 2014. pp. Chapter 5.2. आइएसबिएन 92-832-0429-8. 
  3. "Klinefelter Syndrome", Eunice Kennedy Shriver National Institute of Child Health and Human Development, २४ मई २००७, मूलसँ २७ नवम्बर २०१२-मे सङ्ग्रहित।  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  4. ४.० ४.१ "SEER Stat Fact Sheets: Breast Cancer", NCI, ३ जुलाई २०१४-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १८ जून २०१४  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  5. ५.० ५.१ "Cancer Survival in England: Patients Diagnosed 2007–2011 and Followed up to 2012", Office for National Statistics, २९ अक्टुबर २०१३, २९ नवम्बर २०१४-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २९ जून २०१४  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  6. GBD 2015 Disease and Injury Incidence and Prevalence, Collaborators. (८ अक्टुबर २०१६), "Global, regional, and national incidence, prevalence, and years lived with disability for 310 diseases and injuries, 1990–2015: a systematic analysis for the Global Burden of Disease Study 2015.", Lancet 388 (10053): 1545–1602, डिओआई:10.1016/S0140-6736(16)31678-6, पिएमआइडी 27733282, पिएमसी 5055577 
  7. GBD 2015 Mortality and Causes of Death, Collaborators. (८ अक्टुबर २०१६), "Global, regional, and national life expectancy, all-cause mortality, and cause-specific mortality for 249 causes of death, 1980–2015: a systematic analysis for the Global Burden of Disease Study 2015.", Lancet 388 (10053): 1459–1544, डिओआई:10.1016/s0140-6736(16)31012-1, पिएमआइडी 27733281, पिएमसी 5388903 
  8. "Breast Cancer", NCI, २५ जून २०१४-कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २९ जून २०१४  |deadurl= प्यारामिटर ग्रहण नै केलक (सहायता)
  9. Saunders, Christobel; Jassal, Sunil (2009). Breast cancer (1. संस्करण). Oxford: Oxford University Press. प॰ Chapter 13. आइएसबिएन 978-0-19-955869-8. Archived from the original on 25 October 2015. https://web.archive.org/web/20151025013217/https://books.google.com/books?id=as46WowY_usC&pg=PT123. 
  10. "MedlinePlus: Breast Diseases"
  11. World Health Organization (February 2006). "Fact sheet No. 297: Cancer"
  12. Breast Self Examination at The Breast Site

आर पढवाक लेल[सम्पादन करी]

1. MedlinePlus: Breast Diseases
२. World Health Organization (February 2006). "Fact sheet No. 297: Cancer"
3. Breast Self Examination at The Breast Site