सामग्री पर जाएँ

स्वामीनारायण अक्षरधाम (न्यू जर्सी)

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
स्वामीनारायण अक्षरधाम
Swaminarayan Akshardham
अवस्थिति
स्थान:रोबिन्सभिल्ले, मर्सर काउन्टी, न्यू जर्सी, संयुक्त अधिराज्य
निर्देशाङ्क:४०°१५′१५″उ॰ ७४°३४′४०″प॰ / ४०.२५४१७°N ७४.५७७७८°W / 40.25417; -74.57778निर्देशाङ्क: ४०°१५′१५″उ॰ ७४°३४′४०″प॰ / ४०.२५४१७°N ७४.५७७७८°W / 40.25417; -74.57778
कला आ संस्कृति
वास्तुशैली:
शिलालेख:आध्यात्मिक-सांस्कृतिक परिसर
ऐतिहासिक पृष्ठभूमि
निर्माणकर्ता:
वेबसाइट:baps.org

बीएपीएस स्वामीनारायण अक्षरधाम न्यू जर्सीक रोबिन्सभिल्लेमे १८३ एकड जमिनमे फैललऽ हिन्दू मन्दिरक परिसर छी जाहिमे अक्षरधाम मन्दिर, पारम्परिक मन्दिर, स्वागत केन्द्र, सङ्ग्रहालय, आ आयोजनक स्थान सम्मिलित अछि ।[]सन् २०१४ मे बीएपीएस श्री स्वामीनारायण मन्दिरक उद्घाटनक पश्चात ८ अक्टूबर, २०२३ मे अक्षरधाम मन्दिर केरऽ उद्घाटन दुनिया केरऽ २टा सभसँ पैघ हिन्दू मन्दिरक रूपमे कएल गेल ।[][][]ई मन्दिर १९१ फिट ऊँच आ न्यू योर्क शहरसँ ९९ किलोमिटर दक्षिणमे स्थित अछि ।[]


बीएपीएस श्री स्वामीनारायण मन्दिर

[सम्पादन करी]

बीएपीएस श्री स्वामीनारायण मन्दिर जे न्यू जर्सीकें रोबिन्सभिल्लेमे स्थित अछि ओ बीएपीएस स्वामीनारायण संस्थाद्वारा निर्मित एवम् प्रमुख स्वामी महाराजद्वारा अभिषिक्त (पवित्र कएल गेल) एकटा हिन्दू पूजास्थल छी | महन्त स्वामी महाराजकें नेतृत्वमे बीएपीएस स्वामीनारायण संस्था हिन्दू धर्मक स्वामीनारायण शाखाक सम्प्रदाय अछि | ई मन्दिर हाथसँ बनाएल गेल इटालियन क्यारारा सङ्गमरमर, भारतीय गुलाबी पत्थर आ चून पत्थरसँ बनलऽ छै । प्राचीन वेद यानी हिन्दू शास्त्रमे उल्लिखित दिशा-निर्देशकें अनुसार मन्दिरक निर्माण कएलऽ गेलऽ छल । मन्दिर नित्य आगन्तुक आ पूजा (दर्शन) के लेल खुजल रहैत अछि | मन्दिरकें छोडि एहि परिसरमे एकटा मण्डली हल सेहो अछि।[]




मन्दिर आ दैनिक अनुष्ठान

[सम्पादन करी]

ई मन्दिर एकटा शिखरबद्ध मन्दिर (जाहिमे मुख्य रुपसँ टावरसभक शिखर आ गुम्बजसभक साथ केरऽ संरचनाक विशेषताबला वास्तुकला होईत अछि) ,[]जे की पवित्र वास्तुकलाक मानकसभ केरऽ निर्धारित करऽबला हिन्दू ग्रन्थसभ, शिल्प शास्त्र (कला आ शिल्प) मे निर्धारित सिद्धान्तसभकें अनुसार बनाओल जाईत अछि। ई मन्दिरमे मन्दिरक भीतरकें, मूर्तिसभ, देवतासभक पवित्र तस्बीरसभ केरऽ प्रतिष्ठित कएल गेल अछि। केन्द्रीय मन्दिरमे स्वामीनारायण आ गुणातीतानन्द स्वामीक मूर्तिसभ अछि, जे अक्षर-पुरुषोत्तम महाराजक सँगेऽ पूजल जाईत अछि। ओहिना, विभिन्न मन्दिरसभमे राधा आ कृष्ण सहित अन्य मूर्तिसभ अछि; जेना की शिवपार्वती; सीताराम; हनुमान; गणेश; आ बीएपीएस गुरुसभक वंशावली जे स्वामीनारायण के आध्यात्मिक उत्तराधिकारीसभ अछि।[]

हिन्दू मान्यताक अनुसार, एक बेरी जखन कुनु मूर्तिमे परमात्माकें आह्वान कएल जाईत अछि, तँ ओ परमात्माक अवतार बनि जाईत अछि।[]तदनुसार, स्वामीनारायण स्वामी, या भिक्षु, पूरे दिन देवतासभकें भक्तिपूर्वक पूजा करैत अछि। भोरसँ पहिने, ओ प्रभातिया (प्रातः प्रहरकें भजन) गावि देवतासभकें जगावैत अछि। फेर देवतासभकें स्नान कराओल जाईत अछि आ दिन आ मौसमक आधारक हिसाबसँ भोजन आ वस्त्र अर्पित कएल जाईत अछि।[]देवतासभकें चढाओल गेल भोजन पवित्र मानल जाईत अछि आ भक्तसभकें प्रसादक रूपमे वितरित कएल जाईत अछि।[]आरती, एकटा अनुष्ठान छी जतय भक्त भगवानकें महिमा गवैत अछि, जखन की मूर्तिसभक आगा एकटा जलैत बाती घुमाओल जाईत अछि, दिनमे पाँच बेरी कएल जाईत अछि आ एकरा क्रमशः मङ्गला आरती, शनगर आरती, राजभोग आरती, सन्ध्या आरती आ शयन आरती कहल जाईत अछि। अन्तमे, स्वामी मूर्तिसभकें राति के वस्त्रसभसँ सजाओल जाइत अछि आ देवतासभसँ रातिकें लेल सेवानिवृत्त होबाक लेल कहल जाईत अछि।[]

निर्माण

[सम्पादन करी]

उद्घाटन

[सम्पादन करी]

अक्षरधाम महामन्दिर

[सम्पादन करी]

निर्माण कार्य

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "The largest Hindu temple on American soil will soon open its doors", Washington Post (en-USमे), २०२३-०९-२९, आइएसएसएन 0190-8286, अन्तिम पहुँच २०२३-११-०३ 
  2. "A Look At The New, Massive Hindu Temple Gracing New Jersey", HuffPost (अङ्ग्रेजीमे), २०१४-०८-२३, अन्तिम पहुँच २०२३-११-०३ 
  3. ३.० ३.१ "Akshardham Temple, billed to be second-largest in world, inaugurated in US", Tribune India 
  4. "Largest Hindu Temple Outside India Inaugurated In New Jersey", NDTV.com, अन्तिम पहुँच २०२३-११-०३ 
  5. Mangalnidhidas, Sadhu (2019). Sacred architecture and experience: BAPS Shri Swaminarayan Mandir, Robbinsville, New Jersey. Swaminarayan Aksharpith. आइएसबिएन 978-19-4746-101-7. 
  6. Das, Mukundcharan (2005). Hindu Rites and Rituals. Aksharpith. pp. 7. आइएसबिएन 81-7526-356-3. 
  7. Kim, Hanna (२००१), "Being Swaminarayan: The Ontology and Significance of Belief in the Construction of a Gujarati Diaspora", Columbia University Press, 347-349। 
  8. Nagendra, Kumar Singh (2000). Encyclopaedia of Hinduism. आइएसबिएन 8174881689. 
  9. ९.० ९.१ ९.२ Brady Williams, Raymond (2001). An Introduction to Swaminarayan Hinduism. Cambridge Press. आइएसबिएन 978-0521654227. https://archive.org/details/introductiontosw0000will. 



बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]