१९७९ क्रिकेट विश्वकप
१९७९ प्रुडेन्सियल कप | |
---|---|
तिथि | ९ जुन – २३ जुन |
प्रशासक(सभ) | अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट परिषद |
क्रिकेटक प्रकार | एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय |
टुर्नामेन्टक प्रकार | राउण्ड रोबिन टुर्नामेन्ट तथा नक् आउट |
आयोजक(सभ) | इङ्ल्यान्ड |
विजेता | वेस्ट इन्डिज (२अम उपाधि) |
सहभागीसभ | ८ |
खेल सङ्ख्या | १५ |
उपस्थिति | १,३२,००० (८,८०० प्रत्येक खेलमे) |
अधिक रन | गोर्डन ग्रिनिज (२५३) |
अधिक विकेट | माइक हेनड्रिक (१०) |
← १९७५ १९८३ → |
क्रिकेट विश्वकप १९७९ (आधिकारिक रुपमे प्रुडेन्सियल कप) क्रिकेट विश्वकप प्रतियोगिताक दोसर क्रिकेट विश्वकप छल । ई प्रतियोगिता ९ जुन सँ २३ जुन धरि इङ्ल्यान्डमे आयोजन भेल छल । ई टुर्नामेन्ट प्रुडेन्सियल एसुरेन्स कम्पनीद्वारा प्रायोजित छल । ई टुर्नामेन्टमे ८ टा टिम भाग लेने छल । जाहिमे ६ टा टेस्ट मान्यताप्राप्त राष्ट्र तथा २ टा गैह्र टेस्ट मान्यताप्राप्त राष्ट्र छल ।
ई प्रतियोगितामे एक म्याच ६० ओभरक खेलाएल गेल छल आ खेलाडी उज्जर पोसाकमे तथा लाल क्रिकेट बल सँ खेलैक नियम छल । म्याच दिनमे भेला कारण खेल शीघ्र सुरु कएल जाइत छल ।
स्वरूप
[सम्पादन करी]टुर्नामेन्टमे टिमसभके २ समूहमे विभाजन कएल गेल छल जाहिमे प्रत्येक टिम दोसर टिम सँ खेल खेलकि छल । दुई उत्कृष्ट टिम सेमीफाइनलक लेल प्रत्येक समूह सँ अगाडी जाकि नियम छल । सेमीफाइनलक विजेता फाइनल खेलक लेल सक्षम होवाक नियम छल ।
पहिल विश्वकप इङ्ल्यान्डक ७ स्थानमे खेलाएल गेल छल । प्रतियोगितामे कूल १५ खेल भेल छल जाहिमे २ सेमीफाइनल तथा १ फाइनल रहल छल । [१]
सहभागी राष्ट्र
[सम्पादन करी]ई प्रतियोगिताक आयोजक इङ्ल्यान्ड छल । आइसिसी अपन पहिल आयोजन इङ्ल्यान्डके करैक निर्णय केनए छल कियाकी इङ्ल्यान्ड सँ ओ समयमे पर्याप्त संसाधन छल जे एकटा सफल आयोजन क सकैत छल । आइसिसीक अनुसार दिन-रातिक म्याच करैलेल असक्षम भेला कारण इङ्ल्यान्डमे जुनक महिनामे दिन लम्बा भेला कारण एहि प्रतियोगिताक आयोजन इङ्ल्यान्डके देल गेल छल । म्याच दिनमे समाप्त होमएक सम्भावना बेसी छल ।[२]
८ राष्ट्र ई टुर्नामेन्टक लेल सहभागी भेल छल । श्रीलंका तथा क्यानाडा मात्र एहन टिम छल जे टेस्ट खेलैक मान्यता नै पौने छल ।
|
|
|
स्थान
[सम्पादन करी]लण्डन | लण्डन | |
---|---|---|
लर्ड्स क्रिकेट ग्राउण्ड | द ओभल | |
क्षमता: ३०,००० | क्षमता: २३,५०० | |
बर्मिङगम | म्यानचेस्टर | |
एजबेस्टन क्रिकेट ग्राउण्ड | ओल्ड ट्रयाफोर्ड क्रिकेट ग्राउण्ड | |
क्षमता: २१,००० | क्षमता: १९,००० | |
नौटिङ्घम | लीड्स | |
ट्रेन्ट ब्रिज | हेडिङ्ले स्टेडियम | |
क्षमता: १५,३५० | क्षमता: १४,००० | |
समुह चरण
[सम्पादन करी]समुह A
[सम्पादन करी]टिम | अङ्क | खेल | जित | हार | बेनतिजा | रन रेट |
---|---|---|---|---|---|---|
इङ्ल्यान्ड | १२ | ३ | ३ | ० | ० | ३.०७ |
पाकिस्तान | ८ | ३ | २ | १ | ० | ३.६० |
अस्ट्रेलिया | ४ | ३ | १ | २ | ० | ३.१६ |
क्यानाडा | ० | ३ | ० | ३ | ० | १.६० |
समुह B
[सम्पादन करी]टिम | अङ्क | खेल | जित | हार | बेनतिजा | रन रेट |
---|---|---|---|---|---|---|
वेस्ट इन्डिज | १० | ३ | २ | ० | १ | ३.९३ |
न्युजिल्यान्ड | ८ | ३ | २ | १ | ० | ३.५५ |
श्रीलंका | ६ | ३ | १ | १ | १ | ३.५६ |
भारत | ० | ३ | ० | ३ | ० | ३.१३ |
१३ जुन १९७९
|
v
|
नक् आउट चरण
[सम्पादन करी]सेमिफाइनलसभ | फाइनल | ||||||
२० जुन - ओल्ड ट्रयाफोर्ड, म्यानचेस्टर | |||||||
इङ्ल्यान्ड | २२१/८ | ||||||
न्युजिल्यान्ड | २१२/९ | ||||||
२३ जुन - लर्ड्स, लण्डन | |||||||
इङ्ल्यान्ड | १९४ | ||||||
वेस्ट इन्डिज | २८६/९ | ||||||
२० जुन - द ओभल, लण्डन | |||||||
वेस्ट इन्डिज | २९३/६ | ||||||
पाकिस्तान | २५० |
सेमी-फाइनल
[सम्पादन करी]१९७९ क्रिकेट विश्वकपक पहिलो सेमीफाइनल खेल वेस्ट इन्डिज तथा पाकिस्तान बीच खेलल गेल छल ताहिना दोसर सेमीफाइनल खेल इङ्ल्यान्ड तथा न्युजिल्यान्ड बीच खेलल गेल छल । पहिल सेमीफाइनल खेलमे वेस्ट इन्डिज पाकिस्तानके ४३ रन सँ आ दोसर सेमीफाइनलमे इङ्ल्यान्ड न्युजिल्यान्डके ९ रन सँ हराए फाइनलक यात्रा तय केनए छल ।
फाइनल
[सम्पादन करी]फाइनलमे वेस्ट इन्डिजद्वारा इङ्ल्यान्ड ९२ रन सँ पराजित भेल छल । इङ्ल्यान्ड पहिने टस जित बलिङ करैक निर्णय केनए छल । वेस्ट इन्डिजक पहिल ४ विकेट ९९ रनमे आउट भेल छल मुदा भिभियन रिचर्डसक तुफानी १३८ रन (१५७ बल) आ कोल्लिस किङ्गक ८६ रन (६६ बल) क मदति सँ वेस्ट इन्डिज सम्मानजनक २३८/५ (६० ओभर) बनेनाए छल ।
इङ्ल्यान्ड जवाफमे बढिया सुरुवात केलक ओकर प्रारम्भिक ब्याट्सम्यान माइक ब्रीयरली ६४ रन (१३० बल) तथा ज्योफ बोयकट ५७ रन (१०५ बल) धिमा सुरुवात देलक । ओसभ पहिल विकेटक लेल १२९ रन बनेलक मुदा ओकर लेल ३८ ओभर लगेनाए छल । ओभरक कमीक कारण इङ्ल्यान्डक अन्य ब्याट्सम्यान दवाबमे अपन विकेट नै बचाए सकल आ अन्तत: १९४ रनमे अल आउट भेल । ई म्याचमे उत्कृष्ट प्रदर्शन केनिहार वेस्ट इन्डिजक धुवांधार ब्याट्सम्यान भिभियन रिचर्डसके म्यान अफ द म्याच सँ समनित कएल गेल ।
सन्दर्भ सामाग्रीसभ
[सम्पादन करी]बाह्य लिङ्कसभ
[सम्पादन करी]- क्रिकेट विश्वकप १९७९ क्रिकइन्फो सँ
- प्रथम विश्वकप १९७९ सङ्ग्रहित २०१०-११-३० वेब्याक मेसिन