अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समिति

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समिति
International Olympic Committee
आदर्श वाक्यतेज, उच्च, मजबूत (फ्रान्सेली: Citius, Altius, Fortius)
स्थापना२३ जुन १८९४
प्रकारखेल महासङ्घ
मुख्यालयलुसाने, स्विजरल्यान्ड स्विजरल्याण्ड
सदस्यता
२०५ राष्ट्रिय ओलम्पिक समितिसभ
आधिकारिक भाषा
फ्रान्सेलीअङ्ग्रेजी
मानद अध्यक्ष
ज्याक्स रोगे बेल्जियम
अध्यक्ष
ठोमस बाच जर्मनी
उपाध्यक्ष
यु ज्याकिङ जनबादी गणतन्त्र चीन
जुआन एन्टोनियो समरञ्च स्यालिसिस स्पेन
उगुर एर्डनर टर्की
अनिता डिनफ्रन्टज संयुक्त राज्य अमेरिका
वेबसाइटwww.Olympic.org

अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समिति (आइओसी) (अङ्ग्रेजी: International Olympic Committee (IOC); फ्रान्सेली: Comité international olympique (CIO)) एक अन्तर्राष्ट्रिय समिति छी जाकार मुख्यालय स्विजरल्यान्डक लाजेनमे अवस्थित अछि । एकर स्थापना पियरे डे कोबेर्टिनद्वारा २३ जुन १८९४ कऽ कएल गेल छल तथा युनानी व्यापारी देमित्रिस विकेलस एकर प्रथम अध्यक्ष बनल छल । वर्तमान समयमे विश्वक कुल २०५ राष्ट्रिय ओलम्पिक समितिसभ (एनओसी) एकर सदस्य अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]

आइओसीक स्थापना पियरे डे कोबेर्टिनद्वारा २३ जुन १८९४ कऽ कएल गेल छल तथा युनानी व्यापारी देमित्रिस विकेलस एकर प्रथम अध्यक्ष बनल छल । जुन २०१७ धरि, एकर सदस्यतामे ९५ सक्रिय सदस्य, ४१ मानद सदस्य, एक मानद अध्यक्ष (ज्याक्स रोगे) आ एक सम्मान सदस्य (हेनरी किसिञ्जर) शामिल अछि । आइओसी दुनियाभरिमे आधुनिक ओलम्पिक आन्दोलनक सर्वोच्च शासी निकाय अछि । आइओसी हरेक चारि वर्षमे ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक खेल, शीतकालीन ओलम्पिक खेलयुवा ओलम्पिक खेलक आयोजन करैत अछि । आइओसीद्वारा आयोजित पहिल ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक १८९६ मे ग्रीसक एथेन्सपहिल शीतकालीन ओलम्पिक १९२४ मे फ्रान्सक चेमोनिक्समे आयोजित केनए छल । सन् १९९२ धरि ग्रीष्मकालीन आ शीतकालीन ओलम्पिक दुनू एके वर्ष आयोजित कएल जाएत छल ।

लक्ष्य और भूमिका[सम्पादन करी]

अन्तर्राष्ट्रिय ओलम्पिक समितिकें मुख्य कार्य ओलम्पिक आन्दोलनकें बढ़ावा देनाए आ ओलम्पिक आन्दोलनक नेतृत्व करनाए अछि । [१]

सन्दर्भ सूची[सम्पादन करी]

  1. "Chapter 2: Mission and Role of the IOC" (PDF)Olympic Charter। IOC। 8 July 2011। pp. 14–15। अन्तिम पहुँच 29 July 2012

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]