सामग्री पर जाएँ

"योगी आदित्यनाथ" के अवतरणसभमे अन्तर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
पङ्क्त्ति ९४: पङ्क्त्ति ९४:
| archiveurl= http://web.archive.org/web/20070607030443/http://www.sacw.net/DC/CommunalismCollection/ArticlesArchive/subhashiniFeb07.html| archivedate= 7 जून 2007 <!--DASHBot-->| deadurl= no}}</ref>
| archiveurl= http://web.archive.org/web/20070607030443/http://www.sacw.net/DC/CommunalismCollection/ArticlesArchive/subhashiniFeb07.html| archivedate= 7 जून 2007 <!--DASHBot-->| deadurl= no}}</ref>


योगी धर्मांतरणक खिलाफ आ घर वापसीक लेल बहुत चर्चामे रहल। २००५ मे योगी आदित्यनाथ द्वारा करिब १८०० ईसाइसभ कऽ शुद्धीकरण करि हिन्दू धर्ममे शामिल कएल गेल छल। ईसाइसभक अही शुद्धीकरणक काम उत्तर प्रदेशक [[एटा जिला|एटा जिला]]मे कएल गेल छल ।
योगी धर्मांतरणक खिलाफ आ घर वापसीक लेल बहुत चर्चामे रहल। २००५ मे योगी आदित्यनाथ द्वारा करिब १८०० ईसाइसभ कऽ शुद्धीकरण करि हिन्दू धर्ममे शामिल कएल गेल छल। ईसाइसभक अही शुद्धीकरणक काम उत्तर प्रदेशक [[एटा जिला|एटा जिला]]मे कएल गेल छल ।<ref name = hindustan>[http://m.livehindustan.com/news/uttarpradesh/article1-8-thing-you-must-know-about-up-cm-yogi-adityanath-746254.html यूपीक नव CM योगी आदित्यनाथक बारेमे ई ८ चीजसभ जरूर जानी] - [[हिंदुस्तान (अख़बार)|हिंदुस्तान]] - २० मार्च २०१७</ref>


==मुख्यमन्त्री बनलाक बादक प्रतिक्रियासभ==
==मुख्यमन्त्री बनलाक बादक प्रतिक्रियासभ==

अन्तिम परिवर्तन १८:२९, २० मार्च २०१७

योगी आदित्यनाथ
उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री
पूर्वाधिकारीअखिलेश यादव
निर्वाचन क्षेत्रगोरखपुर
कार्यकाल
१९ मार्च २०१७
व्यैक्तिक विवरण
जन्म (१९७२-०६-०५) ५ जुन १९७२ (उमर ५२)
पन्चूड़, पौड़ी गढ़वाल, उत्तराखण्ड
राष्ट्रियताभारतीय
राजनैतिक दलभारतीय जनता पार्टी
निवास(s)गोरखनाथ मठ, गोरखपुर
वेबसाइटyogiadityanath.in


योगी आदित्यनाथ (जन्म नाम: अजय सिंह बिष्ट, जन्म ५ जून १९७२) गोरखपुरक प्रसिद्ध गोरखनाथ मन्दिरक महन्त [] तथा राजनेता छी जे १९ मार्च २०१७क उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री बनल।[] ओ १९९८ सँ लगातार भारतीय जनता पार्टीक टिकट पर गोरखपुर लोकसभा क्षेत्रक प्रतिनिधित्व करि रहल अछि[] आर २०१४ लोकसभा चुनावमे अही ठामसँ सांसद चुनल गेल छ्लाह। आदित्यनाथ गोरखनाथ मन्दिरक पूर्व महन्त अवैद्यनाथक उत्तराधिकारी छी। ओ हिन्दू युवा वाहिनीक संस्थापक सेहो छी, जे हिन्दू युवासभक सामाजिक, सांस्कृतिक आर राष्ट्रवादी समूह छी। हिनकर छवी एक कट्टर हिन्दू नेताक अछि।[]

प्रारम्भिक जीवनी

५ जून १९७२ कऽ उत्तराखण्ड (तखनक उत्तर प्रदेश; उत्तर प्रदेशक विभाजन देखी)क पौड़ी गढ़वाल जिला स्थित यमकेश्वर तहसीलक पन्चूर गामक गढ़वाली राजपूत परिवारमे योगी आदित्यनाथक जन्म भेल।[] हिनकर पिताक नाम आनन्द सिंह बिष्ट छी जे फॉरेस्ट रेन्जर छलाह।[]


योगी आदित्यनाथ १९७७ मे टिहरीक गजाक स्थानीय स्कूलमे पढ़ाइ शुरू केल्खिन आ १९८७ मे टिहरीक गजा स्कूलसँ दसम कऽ परीक्षा पास करि सन् १९८९ मे ऋषिकेशक श्री भरत मन्दिर इण्टर कौलेजसँ इन्टरमीडिएटक परीक्षा पास भेल आ १९९० मे ग्रेजुएशनक पढ़ाई करैत अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषदसँ जुड़ल। १९९२ मे श्रीनगरक हेमवती नन्दन बहुगुणा गढ़वाल विश्वविद्यालयसँ गणितमे बी.एस.सी. कऽ परीक्षा पास भऽ १९९३ मे गणितमे एम.एस.सी. कऽ पढ़ाईक समय गुरु गोरखनाथ पर शोध करैत योगी गोरखपुर आएल छल।[] अही ठाम गोरक्षनाथ पीठक महन्त अवैद्यनाथक दृष्टि हिनका पर पड़ल छल। १९९४मे पूर्ण सन्यासी बनि गेल, जेकर बाद हिनकर नाम अजय सिंह बिष्टसँ योगी आदित्यनाथ भऽ गेल।[][]


योगी आदित्यनाथ १२ सितम्बर २०१४ कऽ गोरखनाथ मन्दिरक पूर्व महन्त अवैद्यनाथक निधनक बाद ओ अही ठामक महन्त बनल। २ दिन बाद हुनका नाथ पन्थक पारम्परिक अनुष्ठानक मुताबिक मन्दिरक पीठाधीश्वर बनाओल गेल।[]

राजनैतिक जीवन

सबसँ पहिल १९९८ मे योगी आदित्यनाथ गोरखपुरसँ भाजपा उमेदबार भऽ चुनाव लड़ल आर जीत गेल। तखन हिनकर उमर केवल २६ वर्ष छल।[][] ओ बारहम लोक सभा (१९९८-९९)क सभसँ युवा सान्सद छलाह। १९९९ मे गोरखपुरसँ पुनः सान्सद चुनल गेल।


अप्रैल २००२ मे हिनका द्वारा हिन्दू युवा वाहिनी बनाओल गेल । २००४ मे तेसर बेर लोकसभाक चुनाव जितलखिन। २००९ मे २ लाखसँ बेसी भोटसँ जीतिकऽ लोकसभा पहुँचल। २०१४ मे पांचम बेर एक बेर पुनः दुई लाखसँ बेसी भोटसँ जीतिकऽ सान्सद चुनल गेल । २०१४ कऽ लोकसभा चुनावमे भाजपाक बहुमत मिलल, एकर बाद उत्तर प्रदेशमे १२ विधानसभा सीटसभ पर उपचुनाव भेल। अही चुनाबमे योगी आदित्यनाथसँ बहुत प्रचार कराओल गेल, लेकिन परिणाम निराशाजनक रहल। २०१७ मे विधानसभा चुनावमे बीजेपीक राष्ट्रीय अध्यक्ष द्वारा योगी आदित्यनाथसँ समुचा राज्यमे प्रचार कराओल गेल। आर हिनका एक हेलीकप्टर सेहो देल गेल।[]

१९ मार्च २०१७ मे उत्तर प्रदेशक बीजेपी विधायक दलक बैठकमे योगी आदित्यनाथ कऽ विधायक दलक नेता चुनिक मुख्यमन्त्री पद सोपल गेल।[][]


भारतीय जनता पार्टीसँ सम्बन्ध

आदित्यनाथक भारतीय जनता पार्टीक साथमे रिश्ता एक दशकसँ पुरान अछि। ओ पूर्वी उत्तर प्रदेशमे बढ़िया प्रभाव राखैत छथि।[] अहीसँ पहिल हुनकर पूर्वाधिकारी तथा गोरखनाथ मठक पूर्व महन्त, महन्त अवैद्यनाथ सेहो भारतीय जनता पार्टीसँ १९९१ तथा १९९६ कऽ लोकसभा चुनाव जीति चुकल अछि।[]


लोकसभा चुनावसभमे प्रदर्शन

योगी आदित्यनाथ सबसँ पहिल बेर १९९८ मे गोरखपुरसँ चुनाव भाजपा उमेदवार भऽ लड़ल आर तखन ओ बहुत कम अन्तरसँ जीत दर्ज केलक। लेकिन ओकर बाद हरेक चुनावमे हुनकर जीतक अन्तर बढ़ैत गेल आ ओ १९९९, २००४, २००९ आर २०१४ मे सान्सद चुनल गेल।[] हिनका द्वारा अप्रैल २००२ मे हिन्दू युवा वाहिनी बनाओल गेल।[]

विवाद

७ सेप्टेम्बर २००८ कऽ योगी आदित्यनाथ पर आजमगढ़मे जानलेवा हिन्सक हमला भेल छल। अही हमलामे ओ बाल-बाल बचल। ई हमला एतेक बड़का छल की एकसयसँ अधिक वाहनसभक हमलावसभ द्वारा घेरि लेल गेल आर लोगसभक लहुलहान करि देलक।[] आदित्यनाथ गोरखपुर दङ्गाक समय तखन गिरफ्तार कएल गेल जब मुस्लिमसभ्क पावनि मोहर्रमक समय फायरिङ्गमे एक हिन्दू युवाक जान चलि गेल ।[१०] जिलाधिकारी द्वारा बताओल गेल कि ओ पुरा घायल अछि। तखन अधिकारिसभ द्वारा योगीक ओहि जगह जाइसँ रोकि देल गेल परन्तु आदित्यनाथ ओही जगह पर जाएक लेल अड़ि गेल छल। तखन हुनका द्वारा शहरमे लागल कर्फ्यूक हटाबक माङ्ग केलक। दोसर दिन ओ शहरक मध्य श्रद्धाञ्जलि सभाक आयोजन करकऽ घोषणा केलक लेकिन जिलाधिकारी द्वारा एकर अनुमति देबऽसँ मनाह करि देल गेल। आदित्यनाथ द्वारा सेहो एकर चिन्ता नै केलक आर हजारो समर्थसभक साथ अपन गिरफ्तारी देलक। आदित्यनाथक सीआरपीसी कऽ धारा १५१A, १४६, १४७, २७९, ५०६ के तहत जेल भेज देल गेल।[११] हुनका पर कार्यवाहीक असर भेल कि मुम्बई-गोरखपुर गोदान एक्सप्रेसक किछ डिब्बा जला देल गेल, जेकर आरोप हुनकर सङ्गठन हिन्दू युवा वाहिनी पर लागल।[१२]

ई दङ्गा पूर्वी उत्तर प्रदेशक छटा जिलसभ आर तीन मन्डलसभमे सेहो फैलि गेल।[१३]हुनकर गिरफ्तारीक दोसर दिन जिलाधिकारी हरि ओम आ पुलिस प्रमुख राजा श्रीवास्तवक तबादला भऽ गेल। कथित रूपसँ आदित्यनाथक ही दबावक कारण मुलायम सिंह यादवक उत्तर प्रदेश सरकार कऽ ई कार्यवाही करऽ पड़ल छल।[१४]

योगी धर्मांतरणक खिलाफ आ घर वापसीक लेल बहुत चर्चामे रहल। २००५ मे योगी आदित्यनाथ द्वारा करिब १८०० ईसाइसभ कऽ शुद्धीकरण करि हिन्दू धर्ममे शामिल कएल गेल छल। ईसाइसभक अही शुद्धीकरणक काम उत्तर प्रदेशक एटा जिलामे कएल गेल छल ।[]

मुख्यमन्त्री बनलाक बादक प्रतिक्रियासभ

राष्ट्रीय

अन्तराष्ट्रीय

एहो सभ देखी

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. राजनीतिक केन्द्र रहल योगी कऽ गोरखनाथ मठ - बीबीसी - १९ मार्च २०१७
  2. २.० २.१ २.२ २.३ २.४ योगी आदित्यनाथक असली नाम अजय सिंह नेगी छी। हिनकर जीवनसँ जुड़ल नैसुनल बातसभ - एनडीटीवी - १८ मार्च २०१७
  3. Official biography from Parliament of India records
  4. ४.० ४.१ ४.२ ४.३ ४.४ ४.५ योगी आदित्यनाथक पूरा बायोडाटा, जन्मसँ लकऽ उत्तर प्रदेशक मुख्यमन्त्री धरिक सफर - एनडीटीवी - १९ मार्च २०१७
  5. यूपीक सीएम बनला पर योगी आदित्यनाथक पिता आनन्द सिंह बिष्ट द्वारा देल गेल यी सलाह - एनडीटीवी - १९ मार्च २०१७
  6. ६.० ६.१ ६.२ ६.३ यूपीक नव CM योगी आदित्यनाथक बारेमे ई ८ चीजसभ जरूर जानी - हिंदुस्तान - २० मार्च २०१७
  7. शरद गुप्ता (२८ सितम्बर १९९९)। "Group war peaks in Uttar Pradesh"इंडियन एक्सप्रेस
  8. भारतीय निर्वाचन आयोग
  9. दैनिक पांचजन्य
  10. Violence hits parts of eastern UP, curfew in Gorakhpur area, दीपक गिडवानी डीएनए मुम्बई, जनवरी २९, २००७
  11. अपूर्वानन्द (१७ फरवरी २००७)। "Riot, manufactured in Gorakhpur"तहलका। अन्तिम पहुँच २६ अप्रैल २००७ {{cite news}}: Check date values in: |date= (help)
  12. शाहिरा नईम (२ फरवरी २००७)। "Vahini activists set train ablaze"। ट्रिब्यून समाचार सेवा। मूलसँ 28 अप्रैल 2007 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच २६ अप्रैल २००७ {{cite news}}: Check date values in: |date= (help); Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)
  13. शाहिरा नईम (३० जनवरी २००७)। "Gorakhpur: DM, SSP removed"। ट्रिब्यून समाचार सेवा। अन्तिम पहुँच २६ अप्रैल २००७
  14. सुभाषिनी अली (२७ फरवरी २००७)। "Hindutva's Uncivil Society in Eastern UP: Its time stop the hate spewing yogi of Gorakhpur"। SACW.net Communalism Repository। मूलसँ 7 जून 2007 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच १ मई २००७ {{cite web}}: Check date values in: |date=|archivedate= (help); Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)