गोरखपुर
गोरखपुर गोरखपुर Gorakhpur | |
---|---|
![]() गोरखनाथ मठ, तारामण्डल, गीता प्रेस | |
निर्देशाङ्क: २६°४५′३२″N ८३°२२′११″E / २६.७५८८°N ८३.३६९७°Eनिर्देशाङ्क: २६°४५′३२″N ८३°२२′११″E / २६.७५८८°N ८३.३६९७°E | |
देश | भारत |
राज्य | उत्तर प्रदेश |
जिला | गोरखपुर |
सरकार | |
• गोरखपुर (संसदीय क्षेत्र) | योगी आदित्यनाथ (भाजपा) |
क्षेत्रफल | |
• महानगर | ५४८४ किमी२ (२११७ वर्गमाइल) |
उँचाई | ८४ मिटर (२७६ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०११) | |
• सम्पूर्ण | ६,७३,४४६[१] |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | हिन्दी, भोजपुरी |
समय क्षेत्र | भारतीय मानक समय (युटिसी+५:३०) |
डाक कोड | २७३०xx |
टेलिफोन कोड | +९१-५५१ |
गाडी दर्ता | UP 53 |
लिङ्ग अनुपात | १०००/९४४ ♂/♀ |
औषत तापक्रम | २६ °से (७९ °फे) |
औषत गर्मी तापक्रम | ४० °से (१०४ °फे) |
औषत ठण्डी तापक्रम | १८ °से (६४ °फे) |
वेबसाइट | gorakhpur.nic.in |
गोरखपुर उत्तर प्रदेश राज्यक पूर्वी भागमे नेपालक साथ सीमाक पास स्थित भारतक एक प्रसिद्ध शहर छी। ई गोरखपुर जिलाक प्रशासनिक मुख्यालय सेहो छी। ई एक धार्मिक केन्द्रक रूपमे मशहूर अछि जे बौद्ध, हिन्दू, मुस्लिम, जैन आ सिख सन्तसभक साधनास्थली रहल। मुदा मध्ययुगीन सर्वमान्य सन्त गोरखनाथक बाद हुनकर नाम पर एकर वर्तमान नाम गोरखपुर राखल गेल। एतय के प्रसिद्ध गोरखनाथ मन्दिर अखनो नाथ सम्प्रदायक पीठ छी। ई महान सन्त परमहन्स योगानन्दक जन्म स्थान सेहो छी। ई शहरमे आर बहुतेक ऐतिहासिक स्थलसभ अछि जना, बौद्धसभक घर, इमामबाड़ा, १८अम सदीक दरगाह आ हिन्दू धार्मिक ग्रन्थसभक प्रमुख प्रकाशन संस्थान गीता प्रेस।
२०अम सदीमे, गोरखपुर भारतीय स्वतन्त्रता आन्दोलनक एक केन्द्र बिन्दु छल आ आई ई शहर एक प्रमुख व्यापार केन्द्र बनि चुकल अछि। पूर्वोत्तर रेलवेक मुख्यालय, जे ब्रिटिश कालमे बङ्गाल नागपुर रेलवेक रूपमे जानल जाइत छल, एतय स्थित अछि। आब एकरा एक औद्योगिक क्षेत्रक रूपमे विकसित करैक लेल गोरखपुर औद्योगिक विकास प्राधिकरण (गीडा/GIDA) क स्थापना पुरान शहरसँ १५ किमी दूर कएल गेल अछि।