आकृति:इतिहासमे आई/मार्च
दिखावट
मार्च, {{{1}}}
[सम्पादन करी]१, मार्च (जन्म): ~ जुमानु राई (सन् १९८३)
- वि.सं. १८६० (सन् १८०३) - ओहायो अमेरिकाकें १७वा राज्यके रूपमें स्थापित भेल छल ।
- वि.सं. २०५२ (सन् १९९५) - याहू (चित्रमें) समाविष्ट भेल छल ।
२, मार्च (जन्म): एम्बर स्मिथ (सन् १९७१)
- वि.सं. २०१३ (सन् १९५६) - मोरक्को फ्रान्ससँ स्वतन्त्रता प्राप्त केनए छल ।
- वि.सं. २०२५ (सन् १९६९) - सुपरसोनिक कोनकोर्ड अपन पहिल परीक्षण उडान भरने छल ।
- वि.सं. २०३३ (सन् १९७७) - लिबिया संविधान संशोधन केनए छल ।
३, मार्च (जन्म): जेसिका बेल (सन् १९८२)
- वि.सं. १९१२ (सन् १८४५) - फ्लोरिडा अमेरिकाक २७अम राज्य बनल छल ।
- वि.सं. १९८० (सन् १९२३) - टाइम पत्रिका पहिल बेर छापल गएल छल ।
४, मार्च (जन्म): श्रद्धा दास (सन् १९८७)
- वि.सं. १९३९ (सन् १८८२) - ब्रिटेनक पहिल बिधुत्तीय ट्रम पूर्वी लण्डनमे चलल छल ।
- वि.सं. २०५८ (सन् २००१) - बिबिसी टेलिभिजन केन्द्र आगा बम आक्रमण भेल छल ।
- वि.सं. २०७१ (सन् २०१५) - इस्तानबुलसँ काठमाडौंक लेल उडान भरने छल। टर्किस एयरलायन्सक विमान त्रिभुवन अन्तराष्ट्रिय विमानस्थलमे दुर्घटनागस्त भेल छल परन्तु उक्त दुर्घटनामे कोनो मानवीय क्षति नै भेल छल।
५, मार्च (जन्म): जोलेन ब्लालक (सन् १९७५)
- वि.सं. २०२३ (सन् १९६६) - जापानके माउन्ट फुजीके लग विमान दुर्घटनामे १२४ गोटेक मृत्यु भेल छल ।
६, मार्च (जन्म): माधवकुमार नेपाल (सन् १९५३)
- वि.सं. १९५९ (सन् १९०२) - रियल म्याड्रिड फुटबल क्लबक स्थापना भेल छल ।
- वि.सं. २०१४ (सन् १९५७) - घाना ब्रिटिश शासनसँ स्वतन्त्रता प्राप्त केने छल ।
७, मार्च (जन्म): विव रिचर्डस (सन् १९५२)
- वि.सं. २०४२ (सन् १९८५) - वी आर द वर्ल्ड नामक गीत विश्व्यापी रूपमे जारी कएल गेल ।
- वि.सं. २०६३ (सन् २००६) - आतङ्कवादी सङ्गठन लस्कर ए तोयबा भारतक सहर वाराणसीमे शृङ्खलाबद्ध बम बिष्फोट केनए छल ।
८, मार्च (जन्म): फरदीन खान (सन् १९७४)
- वि.सं. १८६४ (सन् १८१७) - न्यू योर्क स्टक एक्सचेन्जक स्थापना भेल छल ।
- वि.सं. १९१४ (सन् १८५७) - घाना संयुक्त राष्ट्र संघक सदस्यता प्राप्त केने छल ।
- १९०९ - अन्तरराष्ट्रिय नारी दिवस (अङ्ग्रेजी: International women's day ) महिला जागरूकता सम्बन्धी दिवस छी । ई ८ मार्चमे विश्वभर मनावल जाईत अछी ।
९, मार्च (जन्म): युरी गागरिन (सन् १९३४ - १९६८)
- वि.सं. २०७१ (सन् २०१५) - अर्जेन्टिनामे दुई हेलिकप्टर टकरेलासँ १० लोगक मृत्यु भएल छल ।
१०, मार्च (जन्म): ओसामा बिन लादेन (सन् १९५७-२०११)
- वि.सं. १९३३ (सन् १८७६) - अलेक्ज्याण्डर ग्राहम बेल दुई दिसात्मक टेलिफोन संवाद करएमे सफल भएल छल ।
११, मार्च (जन्म): टेरेन्स होवार्ड (सन् १९६९)
- वि.सं. २०६६ (सन् २०११) - जापानक सेनडेइ सहरसँ १३० कि.मि. पूर्वमे ९ रेकटर स्केलक भुकम्पक कारण आएल सुनामी हजारौ व्यक्तिसभ मारने छल।
- वि.सं. २०६९ (सन् २०१३) - युरोपेली संघ पशु उपर परिक्षण कएल सौन्दर्य सामग्रीक विक्रिमे प्रतिवन्ध लगेनए छल ।
१२, मार्च (जन्म): श्रेया घोषाल (सन् १९८४)
- वि.सं. १९८७ (सन् १९३०) - महात्मा गान्धी २०० मीलक नुन सत्याग्रह सुरू केने छल ।
- वि.सं. २०५० (सन् १९९३) - जेनेट रेनो अमेरिकाक पहिल महिला प्रधान न्यायधिवक्ता भेल छल ।
१३, मार्च (जन्म): क्याथी हिल्टन (सन् १९५९)
- वि.सं. १८३८ (सन् १७८१) - विलियम हर्चेलद्वारा अरुणग्रह पत्ता लगाएल छल ।
- वि.सं. २०७० (सन् २०१३) - २६६अम क्याथोलिक पोपक रूपमे पोप फ्रान्सिस (चित्रमे) निर्वाचित भेल छल ।
१४, मार्च (जन्म): अल्बर्ट आइनस्टाइन (सन् १८७९)
- वि.सं. १९८८ (सन् १९३१) - भारतक पहिल ध्वनि सहितक चलचित्र आलम अरा प्रदर्शत भेल छल ।
१५, मार्च (जन्म): आलिया भट्ट (सन् १९९३)
- वि.सं. २०४२ (सन् १९८५) - पहिल इन्टरनेट डोमेन (symbolics.com) पंजीकृत भेल छल ।
१६, मार्च (जन्म): अनन्य खरे (सन् १९६८)
- वि.सं. २०३५ (सन् १९७८) - पूर्व इटालीक प्रधानमन्त्री एल्डो मोरो कऽ अपहरण आ बन्धकद्वारा हत्या भेल छल। ।
- वि.सं. १९९९ (सन् १९४२) - पहिल V-2 रकेट परीक्षण प्रक्षेपण क्रममे विस्फोट भेल छल ।
१७, मार्च (जन्म): कल्पना चावला (सन् १९६१ - २००३)
- वि.सं. २०५३ (सन् १९९७) - सिएनएन स्पेनिस भाषामें प्रसारण शुरू केने छल ।
१८, मार्च (जन्म): क्वीन लतिफा (सन् १९७०)
- वि.सं. २०७० (सन् २०१४) - अमेरिका सिरियाकऽ राजदुतावास बन्द कएर सिरियाली राजदुतावासक कर्मचारीसभ कें निकाला केने छल ।
१९, मार्च (जन्म): राजकुमारी लुईसा (सन् १७४९)
- वि.सं. १९३२ (सन् १९८९) - सिड्नी बन्दरगाह बाँध सर्वसाधारणक लेल खोलल गेल छल ।
२१, मार्च (जन्म): रोनाल्डिन्हो (सन् १९८०)
- वि.सं. २०६९ (सन् २०१३) - पाकिस्तानक पेशावरमे कार बम बिस्फोटन होएसँ १२ गोटेक मृत्यु तथा ३० जना घायल भेल छल ।
२२, मार्च (जन्म): रिज वीदरस्पुन (सन् १९७६)
- वि.सं. २०७१ (सन् २०१४) - वासिङ्टन नजदिके धसना गिरलासँ ४३ लोकक मृत्यु भेल छल ।
- वि.सं. २०७१ (सन् २०१४) - लेक अल्बर्टमे नाव डुब्लासँ २५१ लोकक मृत्यु भेल छल ।
२३, मार्च (जन्म): कंगना राणावत (सन् १९८७)
- वि.सं. २०१३ (सन् १९५६) - पाकिस्तान संसारमें पहिल इस्लामी गणतन्त्र भेल छल ।
२४, मार्च (जन्म): जिम पार्सन्स (सन् १९७३)
- वि.सं. २०६४ (सन् २००८) - भुटानमे पहिल जनचुनाव भेलाक पश्चात प्रजातन्त्र घोषणा भेल छल ।
२५, मार्च (जन्म): एलटन जोन (सन् १९४७)
- वि.सं. २०६१ (सन् १९९५) - विश्वविख्यात बक्सर माईक टाइसन ३ वर्षक कारागारसँ सजाय पश्चात रिहा भेल छल ।
२६, मार्च (जन्म): लेरी पेज (सन् १९७३)
- वि.सं. २०६२ (सन् २००६) - स्कटल्याण्डमें सार्वजनिक स्थानमें धुम्रपानकें निषेध केल गेल छल ।
२७, मार्च (जन्म): मारिया केरी (सन् १९७०)
- वि.सं. २०३२ (सन् १९७५) - ट्रान्स अलास्का पाइपलाइन प्रणालीक काज सुरु भएल छल ।
२९, मार्च (जन्म): फ्याबियो बोरिनी (सन् १९९१)
- वि.सं. २०६० (सन् २००४) - आयरल्याण्ड धुम्रपान निषेध करेबला विश्वके पहिल राष्ट्र भेल छेल ।
३०, मार्च (जन्म): भिनसेन्ट भ्यान गोह (सन् १९५३-१८९०)
- वि.सं. २०६६ (सन् २००९) - पाकिस्तानकें लाहोरमें एगो पुलिस चौकी उपर १२ बन्दुकधारी आक्रमण केने छल ।
३१, मार्च (जन्म): मेलिसा ओर्डवे (सन् १९८३)
- वि.सं. २००६ (सन् १९५९) - चौदहम दलाई लामा भारतकें सीमा प्रवेश करि राजनैतिक शरण पौने छल ।
- वि.सं. २०५२ (सन् १९९५) - सोमालियामें अमेरिकी सैनिककें कार्यक्रम समाप्त भेल छल ।