इरोम चानू शर्मिला

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Irom Chanu Sharmila(iron lady)
Irom Sharmila at a reception given by Solidarity Youth Movement to her in Kozhikode
जन्म (१९७२-०३-१४) १४ मार्च १९७२ (उमर ५२)
Kongpal, Imphal, Manipur, India
राष्ट्रियताIndian
व्यवसायCivil rights activist, political activist, poet
प्रसिद्धि कारणHunger strike against Armed Forces (Special Powers) Act
जीवनसाथी(सभ)Desmond Anthony Bellarnine Coutinho
बालबच्चाNix Shakhi and Autumn Tara
अभिभावक(सभ)Irom c Nanda (father)
Irom Ongbi Sakhi (mother)


इरोम चानू शर्मिला(जन्म:१४ मार्च १९७२) मणिपुर'क मानवाधिकार कार्यकर्ता छथि, जे पूर्वोत्तर राज्य सबमे लागू सशस्त्र बल विशेष शक्ति अधिनियम, १९५८ के हटेवाक लेल एक दशकसँ सेहो बेसी समयसँ(४ नवम्बर २०००[१] ) सँ भूख हड़ताल पर छथि। पूर्वोत्तर राज्य सबहक विभिन्न हिस्सा सबमे लागू अहि कानूनक तहत सुरक्षा बल सबके किन्को देखते गोली मारि' अथवा बिना वारन्टके गिरफ्तार करऽके अधिकार भेटल  अछि। शर्मिला कऽ खिलाफ इम्फालके जस्ट पीस फाउन्डेशन नामक गैर सरकारी सङ्गठनसँ जुड़ि कऽ भूख हड़ताल रहलथि। सरकार शर्मिलाके आत्महत्याक प्रयासमे गिरफ्तार कररि लेने छल। कियकी इ गिरफ्तारी एक सालसँ बेसी नै भऽ सकैत अछि ताए सब साल हुनका रिहा करैत दुबारा गिरफ्तार कएल जाइत छल।[२] नाक सँ लागल एकटा नलीक माध्यमसँ हुनका खाना देल जाइत छल तथा अहिके लेल पोरोपटके सरकारी अस्पतालक एगो रूमक अस्थायी जेल बना देल गेल छल। १४ वर्षक गिरफ्तारीके बाद २० अगस्त २०१४क सेशन कोर्टक आदेशसँ हुनका रिहा कएल गेल।[३]

पृष्ठभूमि[सम्पादन करी]

इरोम अपन भूख हड़ताल तखन कएने छलीह जखन २ नवम्बरके दिन मणिपुरक राजधानी इम्फालके मालोममे असम राइफल्सक जवानक हाथे १०टा बेगुनाह लोक मारल गेल छल। ओ ४ नवम्बर २००० के अपन अनशन शुरू कऽ देने छलीह, अहि उम्मीदक संग कि १९५८सँ अरुणाचल प्रदेश, मेघालय, मणिपुर, असम, नागाल्यान्ड, मिजोरम आओर त्रिपुरामे आर १९९०सँ जम्मू-कश्मीरमे लागू आर्म्ड फोर्स स्पेशल पावर एक्ट (एएफएसपीए)क हटेवामे ओ महात्मा गान्धीके नक्शाकदम पर चलिके कामयाब हेतीह।[१]

आत्महत्याक कोशिश करके मुकद्दमा[सम्पादन करी]

२०१३ मे हुनका उपर आत्महत्याक कोशिश करके मुकद्दमा चलेवाक लेल अदालतमे आरोप तय कएल गेल।[१] २० अगस्त २०१४ के सेशन कोर्टके आदेशसँ हुनका रिहा कऽ देल गेल।[३]

आम आदमी पार्टी द्वारा राजनीतिमे आबऽके निमन्त्रण[सम्पादन करी]

जस्ट पीस फाउन्डेशन ट्रस्ट (जेपीएफ)के द्वारा शर्मिलाके आम आदमी पार्टीके नेता प्रशान्त भूषण  मणिपुरक लोकसभा सीटसँ आम आदमी पार्टी (आप)के टिकट पर २०१४ के लोकसभा चुनाव लड़िके प्रस्ताव देलथि मुदा ओ एकरा अस्वीकार काए देलथिन्ह।[४]

सन्दर्भ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ १.२ "इस बहादुर बेटी पर देश कब ध्यान देगा?"। नवभारत टाईम्स। 8 मार्च 2013। मूलसँ 2016-03-16 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 15 फ़रवरी 2014 {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help); Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "Archive copy"मूलसँ 2011-08-31 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2016-07-29 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link)
  3. ३.० ३.१ "आखिरकार इरोम शर्मिला को रिहा किया गया"। नवभारत टाईम्स। 21 अगस्त 2014। मूलसँ 2014-08-21 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 21 अगस्त 2014 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  4. "इरोम शर्मिला ने ठुकराई 'आप' की पेशकश"। नवभारत टाईम्स। 15 फ़रवरी 2014। मूलसँ 2014-02-24 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 15 फ़रवरी 2014 {{cite web}}: Check date values in: |accessdate=|date= (help); Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)