गोक्यो ताल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
गोक्यो ताल
Gokyo Lake
गोक्यो ताल
स्थानसोलुखुम्बु जिला
निर्देशाङ्क२७°५८′४९″उ॰ ८६°४०′०७″पू॰ / २७.९८०२८°N ८६.६६८६१°E / 27.98028; 86.66861निर्देशाङ्क: २७°५८′४९″उ॰ ८६°४०′०७″पू॰ / २७.९८०२८°N ८६.६६८६१°E / 27.98028; 86.66861
सिंचित राष्ट्रसभनेपाल
सतह क्षेत्रफल१९६.२ हेक्टेयर (४८५ एकड)
सतह उचाई४,७००–५,००० मी (१५,४००–१६,४०० फिट)

गोक्यो ताल नेपालक सगरमाथा अञ्चल, सोलुखुम्बु जिलामे अवस्थित एक ताल छी । सगरमाथा राष्ट्रिय निकुञ्ज भितर रहल ई ताल समुन्द्र सतहसँ ४,७००-५,००० मिटर (१५,४००-१६,०० फिट) उचाईमे रहल अछि । ई क्षेत्रमे ६ टा मुख्य तालसभ रहल अछि, ई तालसभ विश्वमे सभसँ उंच स्थानमे अवस्थित ताजा पानिक तालसभमेसँ एक रहल अछि । ई तालसभमे सँ थोनाक ताल सबसँ पैग ताल छी ।[१] सन् २००७ सँ गोक्यो ताल रहल ७,७७० हेक्टर (लगभग ३० वर्ग मिटर) क्षेत्रके रामसार क्षेत्रक रूपमे घोषणा कएल गेल अछि ।[२]


धार्मिक महत्व[सम्पादन करी]

ई तालके हिन्दू तथा बौद्ध दुनू शुद्ध तथा पवित्र मानैत अछि । १,००० सँ बेसी हिन्दू धर्मावालाम्बीसभ प्रत्येक बर्ष अगस्त महिनामे होमएवला जनैपूर्णिमाक दिन एतय स्नान करैत अछि । औषत रुपमे देखलापर प्रत्येक बर्ष एतय ७,००० पर्यटक घुमैलेल आबैत अछि । ई तालकें दक्षिणदिस हिन्दू देवता शिव तथा विष्णुक मन्दिर रहल अछि जतय हजारो श्रद्धालु दर्शन करैलेल आबैत अछि । ई ठाम विशेष नाग देवताक लेल प्रसिद्ध रहल अछि ।


चित्र दीर्घा[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामाग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. Bhuju, U.R., Shakya, P.R., Basnet, T.B., Shrestha, S. (2007) Nepal Biodiversity Resource Book. Protected Areas, Ramsar Sites, and World Heritage Sites. International Centre for Integrated Mountain Development, Ministry of Environment, Science and Technology, in cooperation with United Nations Environment Programme, Regional Office for Asia and the Pacific. Kathmandu, Nepal. pdf सङ्ग्रहित २०१२-०३-०१ वेब्याक मेसिन
  2. Bhandari, B.B. (2009) Wise use of Wetlands in Nepal Banko Janakari, Special Issue February 2009: 10-17 pdf

बाह्य लिङ्कसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]