मगध
मगध प्राचीन भारत केर १६ महाजनपद में सँ एक छल। आधुनिक पटना तथा गया ज़िला एहिमें शामिल छल। एकर राजधानी गिरिव्रज छल। भगवान बुद्ध केर पूर्व बृहद्रथ तथा जरासंध एहिठामक प्रतिष्ठित राजा छल। एखन एहि नामसँ बिहार में एकटा प्रंमडल अछि - मगध प्रमंडल।
मगध महाजनपद
[सम्पादन करी]मगध के सर्वप्रथम उल्लेख अथर्व वेद में भेटैत अछि। अभियान चिन्तामणिक अनुसार मगध के कीकट कहल गेल अछि।
मगध बुद्धकालीन समय में एकटा शक्तिशाली राजतन्त्र में सँ एक छल। इ दक्षिणी बिहार में स्थित छल जे कालान्तर में उत्तर भारत केर सर्वाधिक शक्तिशाली महाजनपद बनि गेल। इ गौरवमयी इतिहास आ राजनीतिक एवं धार्मिकता के विश्व केन्द्र बनि गेल।
मगध महाजनपद केर सीमा उत्तर में गंगा स दक्षिण में विन्ध्य पर्वत धरि, पूर्व में चम्पा स पश्चिम में सोन नदी धरि विस्तृत छल।
मगध'क प्राचीन राजधानी राजगृह छल। इ पाँच पहाड़ स घिरल नगर छल। कालान्तर में मगध'क राजधानी पाटलिपुत्र में स्थापित भेल। मगध राज्य में तत्कालीन शक्तिशाली राज्य कौशल, वत्स व अवन्ति के अपने जनपद में मिला लेलक। एहि प्रकार मगध'क विस्तार अखण्ड भारत केर रूप में भ गेल और प्राचीन मगध'क इतिहासे भारत'क इतिहास बनल।