सुमात्रा
Native name: सुमातेरा سومترا | |
---|---|
भूगोल | |
स्थान | इन्डोनेसिया |
निर्देशाङ्क | ००°उ॰ १०२°पू॰ / ०°N १०२°Eनिर्देशाङ्क: ००°उ॰ १०२°पू॰ / ०°N १०२°E |
Archipelago | सुन्दा टापुसमूह |
क्षेत्रफल | ४,७३,४८१ किमी२ (१,८२,८१२ वर्ग माइल) |
उच्चतम उन्न्तांश | ३,८०५ m (१२,४८४ ft) |
उच्चतम विन्दु | केरिन्ची |
प्रशासन | |
इन्डोनेसिया | |
प्रदेश | अाचेह, बेङ्कुलु, जम्बी, लाम्पुङ, रियाउ, पश्चिम सुमात्रा, दक्षिण सुमात्रा, उत्तर सुमात्रा |
पैग settlement | मेदान (pop. 2,097,610) |
जनसाङ्ख्यिकी | |
जनसङ्ख्या | 50,180,000 (as of 2014) |
जनघनत्व | १०५ /km२ (२७२ /sq mi) |
जनजाती समूह | अाचेली, बाताक, मिनाङ्कबाउ, मले, चिनिया |
सुमात्रा (इन्डोनेसियाली: सुमातेरा) पश्चिम इन्डोनेसियामे रहल सुन्दा टापुसमूह अन्तर्गतक एकटा पैग टापु छी। सुमात्रा पूर्ण रूपमे इन्डोनेसियाक एकलौटी अधिनमे रहल टापुसभ मध्ये (बोर्नियो तथा न्युगिनीसँ छोट भेला वाजुदो ओ टापुसभ अन्य देशसभसँ बाँडिएल अछि ) सबसँ पैग आ विश्वभरमे छठा पैग टापु छी। एकर क्षेत्रफल ४,७३,४८१ वर्ग किलोमिटर (सँगैक रियाउ आ बाङ्का बेलितुङ टापु बाहेक) अछि। सुमात्रा अण्डाकार ई उत्तरपश्चिमसँग दक्षिणपूर्वदिश छड्के परै बसल अछि । एकर पश्चिम, उत्तरपश्चिम आ दक्षिणपश्चिममे हिन्द महासागर रहल अछि महासागर पारि सिमेउलु, निआस आ मेन्तावाई टापूसभ रहल अछि । उत्तरपूर्वमे मलाक्का स्ट्रेट नामक साँघुरो पानीक भागसँ ई टापुके युरेसियाली भूखण्डमे रहल माले प्रायद्विपसँग छुट्याएल अछि। तहिना दक्षिणपूर्वमे सुन्दा स्ट्रेट नामक अर्को साँघुरो पानीक भागसँ एकरा जाभासँग छुट्याएल अछि । सुमात्राक उत्तरी किनारा अन्डामान टापुसँ जोडिएल अछि माने दक्षिणी किनारामे करिमाता स्ट्रेट नामक साँघुरो पानीक भाग तथा जाभा समुद्र आ एकर पारीपट्टि बाङ्का आ बेलितुङ टापु रहल अछि । पैग सङ्ख्यामा सकृय ज्वालामुखीसभ रहल बुकित बरिसान पहाडके ई टापुक मेरुदण्डक रूपमे लैइत अछि। सुमात्राक उत्तरपूर्वमे पैग समथर भूभागसभ, सिमसारयुक्त होचो जमिन, घना जङ्गल तथा जटिल नदीनालासभसँ भरल अछि। ई टापुक बिचसँ पश्चिम सुमात्रा आ रिआउ प्रदेश होएत भूमध्य रेखा होएके कारण अतह मौसम उष्ण, गर्मी आ आर्द्र अछि। सुमात्रामे बहुत प्रकारक वनस्पति तथा जीवजनावरसभ पावैत अछि। कोनो बखत हिमरक भूभाग घना उष्ण प्रदेशीय वर्षा वनसँ (ट्रपिकल रेन फरेस्ट) ढाकल अछि । मुदा बिगत ३५ वर्षमे अतके लगभग ५०% वन विनाश भऽ चुकल अछि। स्थानीय रूपमे पाएल बहुत प्रजातिसभ जोखिममे परल अछि । सुमात्रेली भुइँ कोइली, सुमात्रेली बाघ, सुमात्रेली हात्ती, सुमात्रेली गैंडा, सुमात्रेली ओराङ्उटान जहिना जीव जनावरसभ लोपोन्मुख अवस्थामे पुगल अछि । लोग जङ्गल मास्नक लेल लगाएल आगसँ निकल धुवाँक कारण एकर छिमेकी देशमे समेत नकारात्मक असर परल गेल अछि । सन् २०१३ भेल आगजनीक कारण निस्किएल धुवाँसँ मलेसिया तथा सिङ्गापुरमे समेत असर परवाद ई दुई देशसग इन्डोनेसियाक सम्बन्धमे तिक्तता आएल छल ।[१]
नामाकरण
[सम्पादन करी]प्राचिनकालमे सुमात्राक पहाडी भूभागमे सुनक खानी भेटके कारण एकरा संस्कृत भाषामे स्वर्णद्वीप तथा स्वर्णभूमि नामसँ चिनैत छल ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ CNN, By Peter Shadbolt। "Singapore shrouded in haze from Sumatran forest fires - CNN.com"। CNN।
{{cite web}}
:|last=
has generic name (help)