कोरियाली युद्ध

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
युद्धक आरम्भिक दिनमे अधिकार-क्षेत्र बेर-बेर परिवर्तित होइत रहल । अन्ततः सीमा स्थिर भेल ।
उत्तर कोरिया आ चीनी सेनासभ
दक्षिण कोरिया, अमेरिका, कमनवेल्थ तथा संयुक्त राष्ट्क सेनासभ

कोरियाली युद्ध शीत युद्ध कालमे लड़ल गेल पहिल महत्वपूर्ण युद्ध छल ।[१] एक दिस उत्तर कोरिया छल जकर समर्थन सोभियत सङ्घ तथा साम्यवादी चीन करि रहल छल, तँ दोसर दिस दक्षिण कोरिया छल जकर रक्षा अमेरिका करि रहल छल । युद्ध अन्तमे बिना निर्णय समाप्त भेल मुदा जन क्षति तथा तनाव बहुत अधिक छल । कोरिया-विवाद सम्भवतः संयुक्त राष्ट्र सङ्घक शक्ति-सामर्थ्यक सभसँ महत्वपूर्ण परीक्षण छल । अन्तर्राष्ट्रिय राजनीतिक विद्वान शुमा एकरा सामूहिक सुरक्षा परीक्षण कऽ संज्ञा देनए अछि ।[२]

परिचय[सम्पादन करी]

द्वितीय विश्वयुद्धक अन्तिम दिनमे मित्र-राष्ट्रसभमे ई तय भेल की जापानी आत्म-समर्पणक बाद सोभियत सेना उत्तर कोरियाक ३८ अक्षांशधरि तथा संयुक्त राष्ट्र सङ्घक सेना ई अन्तर्राष्ट्रिय सीमारेखाक दक्षिण भागक निगरानी करत । दुनू शक्ति अन्तरिम कोरियाली प्रजातान्त्रिक सरकार कऽ स्थापनाक लेल संयुक्त आयोगक स्थापना केलक । मुदा सन् १९५० जुन २५ कें उत्तर कोरियाद्वारा दक्षिण कोरिया पर आक्रमण करि देल गेल । एहि दिन संयुक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषदमे सोभियत अनुपस्थितिकें फायदा उठबैत अमेरिकाद्वारा अन्य सदस्यसभसँ मिल उत्तर कोरियाकें आक्रमणकारी घोषित करवाए देलक । सुरक्षा परिषद ई सिफारिशकें संयुक्त राष्ट्र सङ्घक सदस्य कोरियाली गणतन्त्रक आवश्यक सहायता प्रदान करी जहि सँग ओ सशस्त्र आक्रमणक प्रतिरोक करि सकए तथा ओ क्षेत्रमे शान्ति आ सुरक्षा स्थापित कएल जाए सकै । पहिल बेर सन् १९५० जुलाई ७ कें अमेरिकाक जनरल म्याकार्थरक कमानमे संयुक्त राष्ट्र सङ्घक झण्डाक नीचा संयुक्त कमानक निर्माण कएल गेल ।

मुदा बादमे सोभियत सङ्घ सेहो सुरक्षा परिषदक कारवाहीमे भाग लेनाए आरमभ करि देलक आ कोरियामे संयुक्त राष्ट्र सङ्घक कारवाही रोकैक लेल भिटो कऽ प्रयोग करि देलक । एकर परिणामस्वरूप सन् १९५० नवम्बर ३, संयुक्त राष्ट्र महासभाद्वारा शान्ति कऽ लेल एकता प्रस्ताव पास करि अन्तर्राष्ट्रिय शान्ति आ सुरक्षाकें उत्तरदायित्व स्वयं लऽ लेलक । फलस्वरूप अमेरिकी आ चीनी सेनासभ कोरियाली मामला केर लऽ उलझि गेल । अन्ततः भारत तथा किछ अन्य शान्तिप्रिय राष्ट्रसभक पहलक कारण सन् १९५३ जुलाई २७, कऽ दिन दुनू पक्षसभक बीच युद्ध विराम-सन्धि भेल । एहि प्रकार कोरियाली युद्धकें संयुक्त राष्ट्र सङ्घ रोक लगेबामे सफल भेल । ओना तँ अखनो उत्तर तथा दक्षिण कोरियामे आपसी तनाव जारी रहैत अछि ।

जनहानि[सम्पादन करी]

अमेरिकी रक्षा मन्त्रालय केर अनुसार ई विनाशकारी युद्धक कारण ३३,६८६ सैनिक आ २,८३० आम नागरिकक मृत्यु भऽ गेल । सन् १९५० नवम्बर १, चीनक सैनिकसभक सामना केलाक बाद सैनिकसभक मृत्यु सङ्ख्या ८,५१६ बढि गेल ।[३] दक्षिण कोरियाक बतौलक की ई युद्ध सँ ओकर ३,७३,५९९ आम नागरिक आ १,३७,८९९ सैनिक मारल गेल । पश्चिम देशसभक स्रोत अनुसार ई युद्धमे चारि लाख लोकसभक मृत्यु आ ४,८६,००० लोक घायल भेल छल । केपिए अनुसार २,१५,००० लोकसभक मौत आ ३,०३,००० लोक घायल भेल छल ।[४]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "North Korea enters 'state of war' with South"BBC News। 30 March 2013। मूलसँ 30 March 2013 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 30 March 2013 {{cite news}}: Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. Birtle, Andrew J. (2000). The Korean War: Years of Stalemate. U.S. Army Center of Military History. प॰ 34. Archived from the original on 14 December 2007. https://web.archive.org/web/20071214151848/http://www.history.army.mil/brochures/kw-stale/stale.htm. अन्तिम पहुँच तिथि: 14 December 2007. 
  3. Defense Casualty Analysis System search Korean War Extract Data File. Accessed 21 December 2014.
  4. Bethany Lacina and Nils Petter Gleditsch, Monitoring Trends in Global Combat: A New Dataset of Battle Deaths सङ्ग्रहित २०१४-१०-०६ वेब्याक मेसिन, European Journal of Population (2005) 21: 145–166. Also available here सङ्ग्रहित २०१४-१०-०६ वेब्याक मेसिन

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]