सामग्री पर जाएँ

म्याराथन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एथलेटिक्स
म्याराथन
Marathon
बर्लिन म्याराथन २०१४ मे प्रतियोगीसभ
पुरुष कीर्तिमान
विश्वकेन्या डेनिस किप्रुटो किमेत्तो २:०२:५७ (२०१४)
ओलम्पिककेन्या स्यामुयल वाञ्जिरू २:०६:३२ (२००८)
महिला कीर्तिमान
विश्वसंयुक्त अधिराज्य पाउला रेडक्लिफ २:15:२५ (२००२)
ओलम्पिकइथियोपिया टिकी गेलेना २:२३:०७ (२०१२)

म्याराथन लम्बा दूरीक दौड़ प्रतियोगिता छी जकर आधिकारिक दूरी ४२.१९५ किलोमिटर (२६ माइल आ ३८५ गज) अछि ।[] ई दौड़ प्रतियोगिता सड़क दौड़क तौर पर दौड़ल जाएत अछि । ई दौड़ यूनानी सैनिक सन्देशवाहक फेडिप्पिडेसद्वारा म्याराथनक युद्धक विजयी खबर एथेन्स धरि दौड़ लगाए पहुँचाबैक यादमे स्थापित कएल गेल छल ।

१८९६ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिकमे म्याराथन एक नायाब दौड़ प्रतियोगिता छल, ओना तँ दूरीक मानकीकरण सन् १९२१ मे भऽ सकल । समुचा दुनियामे प्रति वर्ष ५०० म्याराथन आयोजित होएत अछि, एहिमे अधिकांश धावक शौकिया होएत अछि । पैग म्याराथन प्रतियोगितामे दशो हजार धावक भऽ सकैत अछि ।[]

प्रारंभ

[सम्पादन करी]
एथेन्सक लोकसभकें फेडिप्पिडेसद्वारा म्याराथनक युद्धमे विजयी सूचना देल गेला कालक चित्र

म्याराथन नाम फेडिप्पिडेस नामक यूनानी धावकक किम्बदन्ती सँ आएल अछि । किम्बदन्तीक अनुसार हुनका म्याराथन सँ ऐथेन्स ई घोषित करवाक लेल भेजल गेल छल की फारसीसभक म्याराथनक युद्ध (जहिमे ओ स्वयं युद्धरत छल) मे हराए देल गेल अछि ।[] ई घटना इशापूर्व ४९० कऽ अगस्त या सितम्बरमे भेल छल ।[] कहल जाएत अछि की ओ सम्पूर्ण बाट बिना रुकले दौड़ल आ फेर सभामे प्रवेश करि कहलक — Νενικήκαμεν (नेनिकेकामेन, 'हमसभ जीत गेलौं।') आ फेर गिर पड़ल आ मरि गेल ।[]

म्याराथन सँ ऐथेन्सक दौड़क पहिल वृत्तान्त प्ल्युटार्कक ऐथेन्स कीर्ति मे भेटैत अछि, जे की पहिल शताब्दीमे लिखल गेल छल आ हेराक्लिडेस पोन्टिक्सक लुप्त कृतिकें सन्दर्भित करैत धावकक नाम एर्चियस या युकल्सक थेर्सिपस बतबैत अछि ।[] समोसाताक ल्युसियन (दोसर शताब्दी) सेहो ई कथा वर्णित करैत अछि मुदा धावकक नाम फेलिप्पिडेस बतबैत अछि (फेडिप्पिडेस नई) ।[]

आधुनिक ओलम्पिक म्याराथन

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "IAAF Competition Rules for Road Races"International Association of Athletics Federations। International Association of Athletics Federations। 2009। अन्तिम पहुँच 1 November 2010
  2. "Archive copy"मूलसँ 2010-03-24 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-05-07 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)CS1 maint: archived copy as title (link)
  3. "Retreats — Athens"। Jeffgalloway.com। मूलसँ 2009-06-01 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2009-08-22 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  4. ""The Moon and the Marathon", Sky & Telescope Sept. 2004"मूलसँ 2012-06-04 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2018-05-07 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  5. "Ancient Olympics FAQ 10"। Perseus.tufts.edu। अन्तिम पहुँच 2009-08-22
  6. Moralia 347C
  7. A slip of the tongue in Salutation, Chapter 3

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]