म्याराथन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एथलेटिक्स
म्याराथन
Marathon
Berlin marathon.jpg
बर्लिन म्याराथन २०१४ मे प्रतियोगीसभ
पुरुष कीर्तिमान
विश्वकेन्या डेनिस किप्रुटो किमेत्तो २:०२:५७ (२०१४)
ओलम्पिककेन्या स्यामुयल वाञ्जिरू २:०६:३२ (२००८)
महिला कीर्तिमान
विश्वसंयुक्त अधिराज्य पाउला रेडक्लिफ २:15:२५ (२००२)
ओलम्पिकइथियोपिया टिकी गेलेना २:२३:०७ (२०१२)

म्याराथन लम्बा दूरीक दौड़ प्रतियोगिता छी जकर आधिकारिक दूरी ४२.१९५ किलोमिटर (२६ माइल आ ३८५ गज) अछि ।[१] ई दौड़ प्रतियोगिता सड़क दौड़क तौर पर दौड़ल जाएत अछि । ई दौड़ यूनानी सैनिक सन्देशवाहक फेडिप्पिडेसद्वारा म्याराथनक युद्धक विजयी खबर एथेन्स धरि दौड़ लगाए पहुँचाबैक यादमे स्थापित कएल गेल छल ।

१८९६ ग्रीष्मकालीन ओलम्पिकमे म्याराथन एक नायाब दौड़ प्रतियोगिता छल, ओना तँ दूरीक मानकीकरण सन् १९२१ मे भऽ सकल । समुचा दुनियामे प्रति वर्ष ५०० म्याराथन आयोजित होएत अछि, एहिमे अधिकांश धावक शौकिया होएत अछि । पैग म्याराथन प्रतियोगितामे दशो हजार धावक भऽ सकैत अछि ।[२]

प्रारंभ[सम्पादन करी]

एथेन्सक लोकसभकें फेडिप्पिडेसद्वारा म्याराथनक युद्धमे विजयी सूचना देल गेला कालक चित्र

म्याराथन नाम फेडिप्पिडेस नामक यूनानी धावकक किम्बदन्ती सँ आएल अछि । किम्बदन्तीक अनुसार हुनका म्याराथन सँ ऐथेन्स ई घोषित करवाक लेल भेजल गेल छल की फारसीसभक म्याराथनक युद्ध (जहिमे ओ स्वयं युद्धरत छल) मे हराए देल गेल अछि ।[३] ई घटना इशापूर्व ४९० कऽ अगस्त या सितम्बरमे भेल छल ।[४] कहल जाएत अछि की ओ सम्पूर्ण बाट बिना रुकले दौड़ल आ फेर सभामे प्रवेश करि कहलक — Νενικήκαμεν (नेनिकेकामेन, 'हमसभ जीत गेलौं।') आ फेर गिर पड़ल आ मरि गेल ।[५]

म्याराथन सँ ऐथेन्सक दौड़क पहिल वृत्तान्त प्ल्युटार्कक ऐथेन्स कीर्ति मे भेटैत अछि, जे की पहिल शताब्दीमे लिखल गेल छल आ हेराक्लिडेस पोन्टिक्सक लुप्त कृतिकें सन्दर्भित करैत धावकक नाम एर्चियस या युकल्सक थेर्सिपस बतबैत अछि ।[६] समोसाताक ल्युसियन (दोसर शताब्दी) सेहो ई कथा वर्णित करैत अछि मुदा धावकक नाम फेलिप्पिडेस बतबैत अछि (फेडिप्पिडेस नई) ।[७]

आधुनिक ओलम्पिक म्याराथन[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "IAAF Competition Rules for Road Races", International Association of Athletics Federations, International Association of Athletics Federations, २००९, अन्तिम पहुँच १ नवम्बर २०१० 
  2. http://www.marathon-world.com/index.php
  3. "Retreats — Athens", Jeffgalloway.com, अन्तिम पहुँच २००९-०८-२२ 
  4. "The Moon and the Marathon", Sky & Telescope Sept. 2004
  5. "Ancient Olympics FAQ 10", Perseus.tufts.edu, अन्तिम पहुँच २००९-०८-२२ 
  6. Moralia 347C
  7. A slip of the tongue in Salutation, Chapter 3

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]