विकिपिडिया:विकिमेनिया २०१८ प्रतिवेदन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
विकिमेनिया २०१८ – केप टाउन

विकिमेनिया विकिपिडिया स्वयंसेवक आ कार्यकर्ताक एक वार्षिक सम्मेलन छी । एहि सम्मेलनमे विकिपिडिया आ एकर भातृपरियोजनासभक स्वयंसेवकसभक सम्मेलन, वार्तालाप, भेटघाट, विकी शत्र तथा ह्याकाथन होएत अछि । एहि बर्षक विकिमेनिया २०१८ दक्षिण अफ्रिकाक केप टाउनमे आयोजना भेल छल । एहि विकिमेनियामे ७० राष्ट्रक विकिमिडियनसभक सहभागिता रहल छल, जाहिमे सँ नेपाल सँ ५ गोटे विकिमिडियनसभ सहभागी जनेनाए छल ।

नेपाल सँ सहभागी विकिमिडियनसभ[सम्पादन करी]

कार्यक्रमसभमे सहभागिता[सम्पादन करी]

  • डिजिटल राइट, विकिडेटा, विकिमिडिया कमन्स, विकि लभ्स अर्थ आ विकि लभ्स मोन्युमेन्ट्स, कन्टेन्ट ट्रान्सलेसन, विकी शिक्षा कार्यक्रम, विकिमेड, इन्टरनेट उपनिवेशीकरण, विकिमिडिया रणनीति आन्दोलन २०३०, ग्ल्याम तथा उबुन्टु ककर लेल? जका विविध कार्यक्रम तथा भेटघाटमे सहभागी जनाएल गेल ।
  • एसियाक भाषासभक विकिपिडियामे भऽ रहल गतिविधिसभक सम्बन्धमे जानकारी आदान-प्रदानक लेल भेटघाट कार्यक्रममे भाग लेल गेल ।
  • न्यु रिडर्स (नयाँ पाठक) कार्यक्रम अन्तर्गत नेपालमे मैथिली विकिपिडियाक लेल भऽ रहल प्रचार प्रसार कार्यक्रम सम्बन्धमे विप्लव आनन्दद्वारा प्रस्तुतीकरण देल गेल ।
  • निर्मल दुलालनबिन सापकोटाद्वारा translatewiki.net कऽ शत्रमे सहभागी भऽ विकिमिडियाक अत्यावश्यक सूचनासभकें नेपाली भाषामे अनुवाद तथा अपडेट कएल गेल ।

उपलब्धिसभ[सम्पादन करी]

  • स्तरीय श्रव्य प्रस्तुतीकरण बनाए कोना नेपालमे विकी शिक्षा कार्यक्रमसभ, आउटरिच कार्यक्रमसभ सञ्चालन कएल जाए ।
  • सामान्य आकृति तथा मोड्युल प्रयोग करि कोना छोट विकिपिडियासभमे लेख स्तरीय बनाएल जाए ।
  • नेपालक सम्पूर्ण भाषाक विकिपिडियन आ विकिमिडियनसभकें एक स्थानमे जमा करि नव विचार आ भेटघाट करेबाक लेल विकिपिडिया राष्ट्रिय सम्मेलन (विकी क्याम्प नेपाल) करवाक लेल अओरो अनुभव प्राप्त भेल ।
  • कार्यक्रमक अन्तिम चरणमे विकिपिडियाक सह-संस्थापक जिमी वेल्सकें अतिथि भेट स्वरूप विकिमिडियन्स अफ नेपालक कप प्रदान कएल गेल ।

छविकारीसभ[सम्पादन करी]

  • टिप्पणी: ई प्रतिवेदन विकिमेनिया २०१८ मे सहभागी भेल नेपाली विकिमिडियनसभक अनुभवक आधारमे तयार कएल गेल अछि ।