बरिसाल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
बरिशाल
বরিশাল
—  शहर  —
बरिशालक सम्पदासभ
उपनाम: पुरबक भेनिस
बरिसाल बंगलादेशपर अवस्थित
बरिशाल
बरिशाल
निर्देशांक : २२°४८′०″उ॰ ९०°३०′०″पू॰ / २२.८००००°N ९०.५००००°E / 22.80000; 90.50000
विभाग बरिशाल विभाग
जिला बरिशाल
नगरपालिकाक स्थापना १८७६; १४८ वर्ष पहिने (१८७६)
शहर निगम २००२; २२ वर्ष पहिने (२००२)
शहर १९ अप्रैल २००१[१]
शासन
 • प्रणाली मेयर परिसद
 • सभा बरिशाल परिसर निगम
 • मेयर
क्षेत्र[२]
 • नगरीय 58 किमी2 (22 वर्गमाइल)
ऊँचाई 1 मिटर (4 फिट)
जनसंख्या (२०११)[३]
 • शहर ३,२८,२७८
 • महानगर ३,८५,०९३
समय मण्डल बङ्गलादेशी समय (यूटीसी +६)
डाक कोड ८२००
टोलिफोन कोड ०४३१
जालस्थल अाधिकारिक वेबसाइट

बरिशाल (बङ्गाली: বরিশাল) बङ्गलादेशक एक मुख्य शहर छी जे कीर्तनखोला नदिक किनारमे अवस्थित अछि । ई शहर बङ्गलादेशक दक्षिण-मध्य क्षेत्रमे अवस्थित अछि । ई बरिसाल जिला आ बरिसाल विभागक प्रशासनिक मुख्यालय आ सभ सँ पैग शहर छी । ई बङ्गलादेशक सभ सँ पुरान नगरपालिका आ नदी बन्दरगाहक रुपमे रहल अछि । बरिशाल नगरपालिका सन् १९७६ मे ब्रिटिश राजक समयमा स्थापना भेल छल आ २५ जुलाई २००२ मे नगरपालिका निगममे स्थानोन्न्ति कएल गेल छल । सन् २०११ कऽ राष्ट्रिय जनगणना अनुसार ई शहरक जनसङ्ख्या ३२८,२७८ रहल अछि आ ई शहरमे ३० टा वार्डसभ आ ५० टा महलसभ अछि । ई शहरक कुल क्षेत्रफल ५८ वर्ग किलोमिटर रहल अछि ।

जनसाङ्ख्यिकी[सम्पादन करी]

सन् २०११ कें राष्ट्रिय जनगणनाक अनन्त परिणामक अनुसार बरिसालक जनसङ्ख्या (बरिसाल नगर निगमक अधिकार क्षेत्र अन्तर्गत) ३२८,२७८ रहल अछि जहिमे सँ परुषक जनसङ्ख्या ५१.६३ आ महिलाक जनसङ्ख्या ४८.३७% रहल अछि ।

बरिसालको शहरीया लोकसभक साक्षरता दर ७५.३% अछि जे राष्ट्रिय औसत ५६.५% सँ अधिक छी । बरिसालमे लगभग सम्पूर्ण लोक बङ्गाली छी ।

भूगोल[सम्पादन करी]

बरिसाल शहरक कुल क्षेत्रफल ५८ वर्ग किलोमिटर रहल अछि । बरिसाल जिल्लाकें केन्द्रक रुपमे रहल ई शहरकें मदारीपुर, लक्ष्मीपुर, चाँदपुर, शरियतपुर जिलाद्वारा उत्तर तर्फ सँ घेरल अछि तँ पटुवाखाली, बर्जुना आ झालोकोटी जिला एकरा दक्षिण दिशा दिस सँ घेरने अछि । खोरदबाद, एरियल खान, कमलीजरा आ कीर्तनखोला ई शहरक मुख्य नदीसभ छी ।

अर्थतन्त्र[सम्पादन करी]

बरिसाल बङ्गलादेशक सभ सँ बेसी धान उत्पादन केनिहार शहर छी । ई शहरमे बलाम (एक प्रकारक बासमती धान) एक लोकप्रिय धान छी । ई शहर पानक लेल सेहो प्रख्यात अछि । शहरकें नदीसभद्वारा घेरल भेलाक कारण एतय माछ सेहो पर्याप्त मात्रमे भेटैत अछि । नारियल ई शहरक एक मुख्य फलफुल छी । ई शहर सँ अखन हल्सा माछ, सिमेन्ट, धान, औषधिसभ अायात होएत आएल अछि ।

खेलकुद[सम्पादन करी]

ई शहरमे क्रिकेटफुटबल अत्याधिक रुचाएल खेल छी तहिना कबड्डीटेनिस सेहो लोकप्रिय रहल अछि । बरिसाल विभागीय रङ्गशाला ई शहरक अन्तर्राष्ट्रिय रङ्गशाला छी जहिमे विविध प्रकारक खेलसभ खेलल जाएत अछि । ई रङ्गशालाक कुल दर्शक क्षमता १५,००० रहल अछि ।

सन्दर्भ सामग्री[सम्पादन करी]

  1. "बरिशाल शहरको अग्रिम योजना -"। बङ्गलादेश सरकार। मूलसँ 14 April 2015 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 14 April 2015 {{cite web}}: Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. "बरिशाल शहर परिसद, बङ्गलादेश" (PDF)मूल (PDF)सँ 12 April 2015 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 12 April 2015 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  3. "२०११ राष्ट्रिय जनगणना , बङ्गलादेश" (PDF)। बङ्गलादेश राष्ट्रिय तथ्याङ्क विभाग। p. ३८। मूल (PDF)सँ 8 December 2015 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच १५ डिसेम्बर २०१५ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help); Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]