बरिसाल
| बरिशाल বরিশাল |
|
|---|---|
| — शहर — | |
|
बरिशालक सम्पदासभ |
|
| उपनाम: पुरबक भेनिस | |
| निर्देशांक : २२°४८′०″उ॰ ९०°३०′०″पू॰ / २२.८००००°N ९०.५००००°E | |
| विभाग | बरिशाल विभाग |
| जिला | बरिशाल |
| नगरपालिकाक स्थापना | १८७६ |
| शहर निगम | २००२ |
| शहर | १९ अप्रैल २००१[१] |
| शासन | |
| • प्रणाली | मेयर परिसद |
| • सभा | बरिशाल परिसर निगम |
| • मेयर | |
| क्षेत्र[२] | |
| • नगरीय | 58 किमी2 (22 वर्गमाइल) |
| ऊँचाई | 1 मिटर (4 फिट) |
| जनसंख्या (२०११)[३] | |
| • शहर | ३,२८,२७८ |
| • महानगर | ३,८५,०९३ |
| समय मण्डल | बङ्गलादेशी समय (यूटीसी +६) |
| डाक कोड | ८२०० |
| टोलिफोन कोड | ०४३१ |
| जालस्थल | अाधिकारिक वेबसाइट |
बरिशाल (बङ्गाली: বরিশাল) बङ्गलादेशक एक मुख्य शहर छी जे कीर्तनखोला नदिक किनारमे अवस्थित अछि । ई शहर बङ्गलादेशक दक्षिण-मध्य क्षेत्रमे अवस्थित अछि । ई बरिसाल जिला आ बरिसाल विभागक प्रशासनिक मुख्यालय आ सभ सँ पैग शहर छी । ई बङ्गलादेशक सभ सँ पुरान नगरपालिका आ नदी बन्दरगाहक रुपमे रहल अछि । बरिशाल नगरपालिका सन् १९७६ मे ब्रिटिश राजक समयमा स्थापना भेल छल आ २५ जुलाई २००२ मे नगरपालिका निगममे स्थानोन्न्ति कएल गेल छल । सन् २०११ कऽ राष्ट्रिय जनगणना अनुसार ई शहरक जनसङ्ख्या ३२८,२७८ रहल अछि आ ई शहरमे ३० टा वार्डसभ आ ५० टा महलसभ अछि । ई शहरक कुल क्षेत्रफल ५८ वर्ग किलोमिटर रहल अछि ।
जनसाङ्ख्यिकी
[सम्पादन करी]सन् २०११ कें राष्ट्रिय जनगणनाक अनन्त परिणामक अनुसार बरिसालक जनसङ्ख्या (बरिसाल नगर निगमक अधिकार क्षेत्र अन्तर्गत) ३२८,२७८ रहल अछि जहिमे सँ परुषक जनसङ्ख्या ५१.६३ आ महिलाक जनसङ्ख्या ४८.३७% रहल अछि ।
बरिसालको शहरीया लोकसभक साक्षरता दर ७५.३% अछि जे राष्ट्रिय औसत ५६.५% सँ अधिक छी । बरिसालमे लगभग सम्पूर्ण लोक बङ्गाली छी ।
भूगोल
[सम्पादन करी]बरिसाल शहरक कुल क्षेत्रफल ५८ वर्ग किलोमिटर रहल अछि । बरिसाल जिल्लाकें केन्द्रक रुपमे रहल ई शहरकें मदारीपुर, लक्ष्मीपुर, चाँदपुर, शरियतपुर जिलाद्वारा उत्तर तर्फ सँ घेरल अछि तँ पटुवाखाली, बर्जुना आ झालोकोटी जिला एकरा दक्षिण दिशा दिस सँ घेरने अछि । खोरदबाद, एरियल खान, कमलीजरा आ कीर्तनखोला ई शहरक मुख्य नदीसभ छी ।
अर्थतन्त्र
[सम्पादन करी]बरिसाल बङ्गलादेशक सभ सँ बेसी धान उत्पादन केनिहार शहर छी । ई शहरमे बलाम (एक प्रकारक बासमती धान) एक लोकप्रिय धान छी । ई शहर पानक लेल सेहो प्रख्यात अछि । शहरकें नदीसभद्वारा घेरल भेलाक कारण एतय माछ सेहो पर्याप्त मात्रमे भेटैत अछि । नारियल ई शहरक एक मुख्य फलफुल छी । ई शहर सँ अखन हल्सा माछ, सिमेन्ट, धान, औषधिसभ अायात होएत आएल अछि ।
खेलकुद
[सम्पादन करी]ई शहरमे क्रिकेट आ फुटबल अत्याधिक रुचाएल खेल छी तहिना कबड्डी आ टेनिस सेहो लोकप्रिय रहल अछि । बरिसाल विभागीय रङ्गशाला ई शहरक अन्तर्राष्ट्रिय रङ्गशाला छी जहिमे विविध प्रकारक खेलसभ खेलल जाएत अछि । ई रङ्गशालाक कुल दर्शक क्षमता १५,००० रहल अछि ।
सन्दर्भ सामग्री
[सम्पादन करी]- ↑ "बरिशाल शहरको अग्रिम योजना -", बङ्गलादेश सरकार, मूलसँ १४ अप्रैल २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १४ अप्रैल २०१५।
|deadurl=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "बरिशाल शहर परिसद, बङ्गलादेश", मूलसँ १२ अप्रैल २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १२ अप्रैल २०१५।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "२०११ राष्ट्रिय जनगणना , बङ्गलादेश", बङ्गलादेश राष्ट्रिय तथ्याङ्क विभाग, पृ: ३८, मूलसँ ८ दिसम्बर २०१५ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १५ डिसेम्बर २०१५।
|deadurl=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]| विकिमिडिया कमन्समे बरिसालसँ सम्बन्धित मिडिया अछि।आकृति:Preview warning |