पूजा बोस

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
पूजा बोस
Pooja Bose
पूजा बोस राजधानी राजधानी एक्स्प्रेसक साङ्गीतिक पदार्पण कार्यक्रममे
जन्म (१९८७-०२-०६) फरबरी ६, १९८७ (उमर ३७)
राष्ट्रियताभारतीय
अन्य नामसभपूजा बनर्जी
व्यवसायअभिनेत्री, मोडल
जीवनसाथी(सभ)अर्नोय चक्रवर्ती (तलाक)[१]
सङ्गी(सभ)कुनाल वर्मा[२][३]


पूजा बोस जे पूजा बनर्जी कऽ रूपमे सेहो जानल जाएत अछि, एक भारतीय अभिनेत्री छी।[१][२][४][३]स्टार प्लस पर प्रसारित लोकप्रिय धारावाहिक तुझ संग प्रीत लगाई सजनामे वृन्दाकें भूमिका करि लोकप्रिय भेल छल आ दर्शकदीर्घा बीच अवगत भेल छल। ओ सन् २०१४ मे झलक दिखला जा आ सन् २०१५ मे कोमेडी नाइट्स बचाओ नामक टेली धारावाहिककें एक प्रतियोगी रहि चुकल अछि। वर्तमानमे ओ देव - टेलिभिजन धारावहिकमे अभिनय करि रहल अछि जे कलर्स टीवी पर प्रसारित होएत अछि।[४][५] पूजा एखन धरि हिन्दी छोड़ि बङ्गाली, तेलुगु आ नेपाली भाषामे सेहो निर्मित चलचित्रसभमे अभिनय केनए अछि। ओना तँ ओ प्राय: हिन्दी टेली धारावाहिक बेसी केनए अछि।

करियर[सम्पादन करी]

कहानी हमारे महाभारत की सँ टेलिभिजन करियर शुरुआत केनिहार पूजा बोसकें ओकर तुरन्त बाद एकटा रोमान्टिक धारावाहिक तुझ संग प्रीत लगाई सजनामे काज करवाक मौका मिलल, जहिमे ओ एक पञ्जाबी लड़की वृन्दाकें भूमिका निर्वाह केनए छल।

ओ एकटा तेलुगु सिनेमामे सेहो अभिनय केनए अछि जकर नाम वीडु थेडा छी।[६] एहि वाहेक ओ बङ्गाली चलचित्र माचो मस्तानामे सेहो अभिनय केनए अछि। ई चलचित्र कनिक विवादमे सेहो रहल छल। एहि चलचित्रमे ओ दिव्या नामक पात्रकें भूमिका निर्वाह केनए छल।[७]

व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

पूजाक विवाह अर्नोय चक्रवर्ती सँ भेल छल मुदा हुनका सँ ओ बहुत कम समयमें सम्बन्ध विच्छेद करि लेलक। जखन की एखन ओ तुझ संग प्रीत लगाई सजनाकें सह-कलाकार कुणाल वर्मा सङ्गे प्रेम सम्बन्धमे अछि।[२][१][३]ओ दुनूकें बीच ९ वर्ष सँ प्रेम सम्बन्ध चलि रहल अछि आ ई दुनू निकट भविष्यमे विवाह करवाक लेल तत्पर अछि।

फिल्मोग्राफी[सम्पादन करी]

पूजा सन् २०११ मे चिन्नी कृष्णाद्वारा निर्देशित तेलुगु भाषाक चलचित्र 'भेडु थेडा' मे मेघना नामक पात्रक भूमिकामे अभिनय केनए छल ओकर बाद ओ सन् २०१२ मे रेशमी मित्राद्वारा निर्देशित बङ्गाली भाषाक चलचित्र 'माचो मस्ताना' मे दिया नामक पात्रक भूमिकामे अभिनय केनए छल। सन् २०१३ मे बलिउड चलचित्र उद्योगमे ओ 'राजधानी एक्सप्रेस' नामक चलचित्रमे अभिनय करि प्रवेश केनए छल।

सन् २०१६ मे निर्मित बलिउड चलचित्र 'ग्रेट ग्र्यान्ड मस्ती' मे सेहो पूजा अभिनय केनए छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ १.२ "Kunal Verma shares details of his engagement with Puja Banerjee, says he was commitment phobic earlier"टाइम्स ऑफ इंडिया। 14 August 2017।
  2. २.० २.१ २.२ Kunal Verma: After our break-up I realised that Puja Banerje was the one for me
  3. ३.० ३.१ ३.२ Actress Puja Banerjee gets engaged to beau Kunal Verma; see pics - India Today
  4. ४.० ४.१ "Post divorce, Puja Bose is now back to being Puja Chakraborty"। Tellychakkar.com। 2014।
  5. "Puja Banerjee"मूलसँ 2014-06-08 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-12 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  6. "Actor Nikhil tastes commercial success"The Times Of India। 19 December 2011। मूलसँ 2013-10-07 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-12 {{cite news}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  7. "Macho Mustafa' is now 'Macho Mastana'"The Times of India। 24 February 2012। मूलसँ 2013-04-27 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2019-03-12 {{cite news}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]