सामग्री पर जाएँ

पूजा बोस

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
पूजा बोस
Pooja Bose
पूजा बोस राजधानी राजधानी एक्स्प्रेसक साङ्गीतिक पदार्पण कार्यक्रममे
जन्म (१९८७-०२-०६) फरबरी ६, १९८७ (उमर ३८)
राष्ट्रियताभारतीय
अन्य नामसभपूजा बनर्जी
व्यवसायअभिनेत्री, मोडल
जीवनसाथी(सभ)अर्नोय चक्रवर्ती (तलाक)[]
सङ्गी(सभ)कुनाल वर्मा[][]


पूजा बोस जे पूजा बनर्जी कऽ रूपमे सेहो जानल जाएत अछि, एक भारतीय अभिनेत्री छी।[][][][]स्टार प्लस पर प्रसारित लोकप्रिय धारावाहिक तुझ संग प्रीत लगाई सजनामे वृन्दाकें भूमिका करि लोकप्रिय भेल छल आ दर्शकदीर्घा बीच अवगत भेल छल। ओ सन् २०१४ मे झलक दिखला जा आ सन् २०१५ मे कोमेडी नाइट्स बचाओ नामक टेली धारावाहिककें एक प्रतियोगी रहि चुकल अछि। वर्तमानमे ओ देव - टेलिभिजन धारावहिकमे अभिनय करि रहल अछि जे कलर्स टीवी पर प्रसारित होएत अछि।[][] पूजा एखन धरि हिन्दी छोड़ि बङ्गाली, तेलुगु आ नेपाली भाषामे सेहो निर्मित चलचित्रसभमे अभिनय केनए अछि। ओना तँ ओ प्राय: हिन्दी टेली धारावाहिक बेसी केनए अछि।

कहानी हमारे महाभारत की सँ टेलिभिजन करियर शुरुआत केनिहार पूजा बोसकें ओकर तुरन्त बाद एकटा रोमान्टिक धारावाहिक तुझ संग प्रीत लगाई सजनामे काज करवाक मौका मिलल, जहिमे ओ एक पञ्जाबी लड़की वृन्दाकें भूमिका निर्वाह केनए छल।

ओ एकटा तेलुगु सिनेमामे सेहो अभिनय केनए अछि जकर नाम वीडु थेडा छी।[] एहि वाहेक ओ बङ्गाली चलचित्र माचो मस्तानामे सेहो अभिनय केनए अछि। ई चलचित्र कनिक विवादमे सेहो रहल छल। एहि चलचित्रमे ओ दिव्या नामक पात्रकें भूमिका निर्वाह केनए छल।[]

व्यक्तिगत जीवन

[सम्पादन करी]

पूजाक विवाह अर्नोय चक्रवर्ती सँ भेल छल मुदा हुनका सँ ओ बहुत कम समयमें सम्बन्ध विच्छेद करि लेलक। जखन की एखन ओ तुझ संग प्रीत लगाई सजनाकें सह-कलाकार कुणाल वर्मा सङ्गे प्रेम सम्बन्धमे अछि।[][][]ओ दुनूकें बीच ९ वर्ष सँ प्रेम सम्बन्ध चलि रहल अछि आ ई दुनू निकट भविष्यमे विवाह करवाक लेल तत्पर अछि।

फिल्मोग्राफी

[सम्पादन करी]

पूजा सन् २०११ मे चिन्नी कृष्णाद्वारा निर्देशित तेलुगु भाषाक चलचित्र 'भेडु थेडा' मे मेघना नामक पात्रक भूमिकामे अभिनय केनए छल ओकर बाद ओ सन् २०१२ मे रेशमी मित्राद्वारा निर्देशित बङ्गाली भाषाक चलचित्र 'माचो मस्ताना' मे दिया नामक पात्रक भूमिकामे अभिनय केनए छल। सन् २०१३ मे बलिउड चलचित्र उद्योगमे ओ 'राजधानी एक्सप्रेस' नामक चलचित्रमे अभिनय करि प्रवेश केनए छल।

सन् २०१६ मे निर्मित बलिउड चलचित्र 'ग्रेट ग्र्यान्ड मस्ती' मे सेहो पूजा अभिनय केनए छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. १.० १.१ १.२ "Kunal Verma shares details of his engagement with Puja Banerjee, says he was commitment phobic earlier", टाइम्स ऑफ इंडिया, १४ अगस्त २०१७। 
  2. २.० २.१ २.२ Kunal Verma: After our break-up I realised that Puja Banerje was the one for me
  3. ३.० ३.१ ३.२ Actress Puja Banerjee gets engaged to beau Kunal Verma; see pics - India Today
  4. ४.० ४.१ "Post divorce, Puja Bose is now back to being Puja Chakraborty", Tellychakkar.com, २०१४। 
  5. "Puja Banerjee", मूलसँ २०१४-०६-०८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१९-०३-१२  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  6. "Actor Nikhil tastes commercial success", The Times Of India, १९ दिसम्बर २०११, मूलसँ २०१३-१०-०७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१९-०३-१२  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  7. "Macho Mustafa' is now 'Macho Mastana'", The Times of India, २४ फरबरी २०१२, मूलसँ २०१३-०४-२७ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१९-०३-१२  |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]