पौलोमी घटक

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
पौलोमी घटक
Poulomi Ghatak
सन् २०१० मे पौलोमी
व्यक्तिगत विवरण
जन्म:३ जनवरी, १९८३
कोलकाता, पश्चिम बङ्गाल

पौलोमी घटक (बङ्गाली: পৌলমী ঘটক; जन्म: ३ जनवरी सन् १९८३) पश्चिम बङगाल, भारत सँ टेबुल टेनिस खेलाडी छी। ओ तीन जुनियर राष्ट्रिय च्याम्पियनसिप (सन् १९९६, सन् १९९८ आ सन् १९९९) आ साथे सन् १९९८ आ सन् २०१६ मे सात वरिष्ठ राष्ट्रिय च्याम्पियनशिप जितने अछि। सन् १९९८ मे ओ राष्ट्रिय सिनियर आ जुनियर च्याम्पियनशिप दुनु जितने छल। पौलोमी सन् २००६ मे मेलबर्नमे राष्ट्रमण्डल खेल आ सन् २००० सँ सन् २००८ क बीच राष्ट्रमण्डल च्याम्पियनशिपमे भारतक प्रतिनिधित्व केनए अछि। ओ १६ सालक उमरमे सिडनी ओलम्पिक मे खेलने छल। ओ सन् २००७ मे इन्डियन ओपेन क फाइनलमे सेहो खेलने छल।

व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

पौलोमी घटकक जन्म ३ जनवरी सन् १९८३ मे कोलकाता, पश्चिम बंङगाल, भारत मे भेल छल।[१] ओ ९ सालक उमरमे अपन टेबुल टेनिस कैरियरक शुरुवात केनेए छल।

पौलोमी अपन शिक्षा नवीन नालन्दा हाई स्कुल आ बादमे कोलकाता विश्वविद्यालय क जोगमाया देवी कलेजमे अध्ययन पुरा केनए छल।[२] सन् २०१० कऽ राष्ट्रमण्डल खेलसभक तुरन्त बाद, ओ पेशेवर टेबुल टेनिस खेलाडी सौम्यदीप रोय सँ विवाह करि लेलक ।[३]

करियर[सम्पादन करी]

ओ सन् १९९२ मे अपन टेबुल टेनिस कैरियरक शुरुवात केलक। ओहि समय ओ ९ सालक छल। ओ १६ सालक उमरमे ओलम्पिक खेलसभ मे भाग लेलक। ओ अचंत शरत कमलअंकिता दास क सङगे विभिन्न म्याच खेललक।

ओ एसियाई टेबुल टेनिस चैम्पियनशिप, कोरियाम, रूस ओपेनमे, जापानमे टोयोटा कप, जर्मन आ पोलिश ओपेन, सन् २००६ मे दोहामे १५म एसियाई खेल आ चिली ओपेनमे भारतक प्रतिनिधित्व केनए छल। सन् २००७ मे, वह क्रोशिया मे विश्व टेबुल टेनिस च्याम्पियनशिपम, गोल्डेन रैकेट च्याम्पियनशिप, वियतनाम मे आ इन्डोनेशिया में अन्तर्राष्ट्रिय ओपेन टूर्नामेन्टमे खेललक। ओहि वर्ष ओ अस्ट्रिया, फ्रान्स आर जर्मन ओपेनमे सेहो देशक प्रतिनिधित्व केलक। ओ सन् २०१०0 क राष्ट्रमण्डल खेलसभमे रजत पदक जितने छल।[४] ओ एसियन गेम्स २०१२ मे टेबुल टेनिस क्वार्टरफाइनलमे सेहो जगह प्राप्त केनए छल।[५] ओ सन् २०१२ क ओलम्पिक क सम्भावित खेलाडीसभमे सेहो सम्मलित छल।

हालेमे, सन् २०१४ मे ओ पाकिस्तानक विरुद्ध अंकिता दासक सङ्ग एसियाई खेलसभमे सेहो खेललक आ जित दर्ज केलक।[६] ई स्पर्धामे ओ अचंत शरत कमलक सङ्ग मिश्रित युगल सेहो खेललक मुदा ओ पराजित भऽ गेल। वर्तमानमे, पौलोमी भारत पेट्रोलियम मे सहायक प्रबन्धकक रूपमे काज करैत अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Poulomi Ghatak"veethi.com। अन्तिम पहुँच 2017-05-13
  2. History of the College
  3. "From TT court to grand courtship"The Telegraph। अन्तिम पहुँच 2017-05-13
  4. "Sharath Kamal, Ghatak among Olympic Table Tennis probables"Jagran Post। अन्तिम पहुँच 2017-05-13
  5. "Poulomi leads India into Asian TT quarterfinals"Jagran Post। अन्तिम पहुँच 2017-05-13
  6. "Mixed day for Indian Paddlers at Asian Games"Firstpost (अमेरिकी अंग्रेज़ीमे)। 2014-09-29। अन्तिम पहुँच 2017-05-13

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]